विकिपिडिया:मुख्य लेख

मुख्य लेख
ई मासक प्रमुख लेख (जुलाई, २०१७)
Cscr-featured.svg

मैथिली विकिपिडियाक मुख्य पन्नामे भेल मुख्य लेखके मासिक रुपसँ स्तरीय लेखसभसँ परिवर्तन करैक लेल व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे अखन धरि ११,५६७ लेखसभ अछि जाहिमे २४ लेखसभ मुख्य लेखक लेल चुनल जा चुकल अछि । कोनो भी लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जाइक लेल स्तरीय होनाई अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझाबैत अछि अथवा अहाँ कोनो समस्या देखलिय तहन कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देबऽ कऽ लेल अनुरोध करैत छी ।

लेखके उपर दाहिना दिस पियर ताराक चिन्ह ओ मुख्य लेख छी से जनाबैत अछि ।

Hetauda 001.JPG

मकवानपुर जिला नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक नारायणी अञ्चलमे अवस्थित एक जिला छी । ई जिलाके मेची -महाकाली अञ्चलके राजधानीसँ सम्बन्ध स्थापित करैवला जिलाक रूपमे जानल जाइत अछि । उत्तरदिस करिब ६६ किलोमिटर लम्बा महाभारत श्रृङ्खला आ दक्षिणदिस करिब ९२ किलोमिटर लम्बा चुरे पर्वत (सिवालिक पहाड)क कोखमे ई जिला अवस्थित अछि। राजधानी प्रवेशक मुख्य मार्गक रूपमे परिचित ई जिला राजधानी काठमाडौं आ ऐतिहासिक जिला ललितपुरसँ सीमाबद्ध भऽ रहल अछि। त्रिभुवन राजपथमहेन्द्र राजमार्गक निर्माण भेलाक बाद ई जिला भऽ देशक पूर्व तथा पश्चिम आवागमन अत्यन्त सहज भेल अछि। ई जिलाक सदरमुकाम हेटौंडासँ फाखेल-हुमानेभञ्ज्याङ्ग-फर्पिङ्ग होइत कम समयमे काठमाडौं पहुँचै लेल वैकल्पिक मार्ग सेहो निर्माण भेल अछि। ई जिला देशक तेसर बड्का औद्योगिक जिलामे पडैत अछि। एतय बहुतरास प्राकृतिक मनोरम स्थलसभ रहल अछि। शान्त शीतल वातावरण जे किनको मन जित सकैत अछि। चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जपर्सा वन्यजन्तु आरक्ष सहो एहि जिलाक किछ भू-भाग ओगटने अछि। (पूरा लेख...)




सम्पादन
प्रमुख लेख शीर्षक सूची

मन्दिर पर्व आ दिवस स्थान व्यक्तित्व विधा आ भाषा संघ तथा संस्था पर्यटन इतिहास समसामयिक

मन्दिर

छिन्नमस्ता भगवती जानकी मन्दिर कैलाश पर्वत बाबाधाम हरिमन्दिर साहिब

स्थान

राजविराज बिराटनगर नेपाल दड़िभङ्गा

व्यक्तित्व

विद्यापति जिमी वेल्स कृति सेनन सामन्था रूथ प्रभु मदर टेरेसा मलाला युसुफजई कैलाश सत्यार्थी लियोनेल मेस्सी सचिन तेन्दुलकर महात्मा गान्धी जनक

विधा आ भाषा

मैथिली भाषा

पर्यटन

सगरमाथा विश्व सम्पदा क्षेत्र शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज

पर्व आ दिवस

विजयादशमी छठि