राजविराज विमानस्थल

विमानस्थल

राजविराज विमानस्थल (आइएटिए: RJBआइसिएओ: VNRB) नेपालक मधेश प्रदेश अवस्थित सप्तरी जिलाक सदरमोकाम राजविराज सँ ५ किलोमिटर दक्षिणमे अवस्थित विष्णुपुर गाउँपालिकामे रहल एक अन्तरदेशीय विमानस्थल छी । ई विमानस्थल राजविराज नगरवाशीसहित ई स्थान सँ नजदिकक क्षेत्रक वासिन्दासभकें सेवा पहुँचा रहल अछि ।[][]ई विमानस्थलमे १ टा अन्तरदेशीय टर्मिनल अछि । वर्तमान समयमे ई विमानस्थल नेपालक राजधानी शहर काठमाडौं सँ जुड़ल अछि । प्रदेश नं. २ मे रहल ३ टा अन्तरदेशीय विमानस्थलमे सँ एहो एक छी ।[]

राजविराज विमानस्थल
Rajbiraj Airport
Summary
Airport typeसार्वजनिक
Ownerनेपाल सरकार
Operatorनागरिक उड्डयन मन्त्रालय
Servesराजविराज, नेपाल
Elevation AMSL२५० ft / ७६ m
Coordinates२६°३०′३१″उ॰ ८६°४४′१४″पू॰ / २६.५०८६१°N ८६.७३७२२°E / 26.50861; 86.73722निर्देशाङ्क: २६°३०′३१″उ॰ ८६°४४′१४″पू॰ / २६.५०८६१°N ८६.७३७२२°E / 26.50861; 86.73722
Map
RJB नेपालपर अवस्थित
RJB
RJB
नेपालमे विमानस्थलक स्थान
Runways
Direction लम्बाई सतह
मी फिट
११/२९ १,५०० ४,९२१ अलकत्रा
स्रोत:[][]
राजबिराज विमानस्थलमे बुद्ध एयर विमान

११ वर्षधरि पूर्ण रूप सँ बन्द रहलाक बाद विमानस्थल जाँच बुझ काजक लेल नव निर्माणाधीन धावनमार्ग पर श्री एयरलाइन्सक विमान सन् २०१८ मई २३ कऽ दिन सफल अवतरण केनए छल ।[]

इतिहास

सन् १९५९ मे यातायात मन्त्री गणेशमान सिंहद्वारा आधिकारिक रूप सँ उद्घाटनक बाद कमजोर भौतिक संरचना आ कच्ची धावनमार्ग भेलाक कारण विमानस्थल बन्द भऽ गेल छल । अनेक प्रयासक बाद किछ दिन विमान सेवा सुचारू भेल मुदा धावनमार्गक समस्याक कारण विमान सेवा निरन्तर नै भऽ सकल । अन्तत: सन् २००७ मे सम्पूर्ण विमान सेवा ठप्प भऽ गेल छल ।[]

आर्थिक वर्ष २०१५-१६ मे नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरणद्वारा ई विमानस्थलक पुनर्निर्माणक लेल ३० करोड़ ३० लाख ७४ हजार ५२८ नेपाली रुपैयाँ बजेट विनियोजित केनए छल ।[][] ई विमानस्थलक पुनर्निर्माणक काजक लेल सन् २०१६ अक्टोबरमे १.५ वर्षक भितर काज सम्पन्न करवाक प्रतिबद्धता सहित रमण, कान्छाराम, देव एण्ड सायर जेभी नामक कम्पनीकें ठेक्का प्रदान कएल गेल ।[] विमानस्थलक कार्य सम्पन्न भेलाक बाद पहिल उद्घाटन विमान सेवा सन् २०१८ मई २३ मे श्री एयरलाइन्सद्वारा कएल गेल छल ।[१०]

सुविधा

ई विमानस्थल समुद्र सतह सँ २५० फिट (७६ मी) उपर अवस्थित अछि । सन् २०१८ मे धावनमार्गक पुनर्निर्माणक बाद ई विमानस्थलक कारीपत्रे धावनमार्गक लम्बाई १,५०० मिटर (४,९२१ फिट) कऽ भऽ गेल अछि ।[]

विमान आ गन्तव्य

विमानगन्तव्य
बुद्ध एयर काठमाडौं[११]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. Airport information for Rajbiraj, Nepal (VNRB / RJB) ग्रेट सर्कल म्यापरमे ।
  2. "Rajbiraj Airport runway finally constructed", The Himalayan Times, १६ अप्रैल २०१८, अन्तिम पहुँच १ मई २०१८ 
  3. "Rajbiraj Airport", Civil Aviation Authority of Nepal, अन्तिम पहुँच १ मई २०१८ 
  4. https://www.aviationnepal.com/shree-airlines-to-conduct-test-flight-for-rajbiraj-airport-with-crj-aircraft/
  5. "राजविराज विमानस्थल वैशाख अन्तिमदेखि सुचारु" (नेपालीमे), मूलसँ २०१८-०६-२२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-०७-०१  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  6. ६.० ६.१ ६.२ "Rajbiraj Airport resumes operations after a decade", The Kathmandu Post, २५ मई २०१८, अन्तिम पहुँच २५ मई २०१८ 
  7. "News Rajbiraj, Nepal to reopen to traffic in mid-2Q18", ch-aviation, २५ अप्रैल २०१८, अन्तिम पहुँच १ मई २०१८ 
  8. "Rajbiraj Airport ready for test flight as the construction work completes", Aviation Nepal, अन्तिम पहुँच ३ मई २०१८ 
  9. "राजविराज विमानस्थल उडान भर्न तयार" (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०७-०१ 
  10. "Rajbiraj Airport ready to welcome flights on May 3" (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२३ 
  11. "Shree Airlines preparing Rajbiraj flights starting from June 24", Aviation Nepal, अन्तिम पहुँच १९ जून २०१८ 

एहो सभ देखी

बाह्य जडीसभ

विमान सुरक्षा सञ्जालमे RJB / VNRB कऽ दुर्घटना इतिहास