कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष
कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष (English: Koshi Tappu Wildlife Reserve) कोशी नदीक तटमे रहल संरक्षित क्षेत्र छी । कोशी टप्पुक स्थापना वि.स. २०३२ (सन् १९७६) सालमे भेल अछि । कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष १७५ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । ई आरक्ष सुनसरी, सप्तरी आ उदयपुर करि तीनटा जिलामे पसरल अछि । सन् १९८७ मे रामसार सूचीमे सूचीकृत भेल नेपालक पहिल बडका रामसार क्षेत्रक रूपमे परिचित ई आरक्षमे विभिन्न ४८९ प्रजातीक चिरइसभ, २१९ दुर्लभ अर्ना आ ११/१२ टा दुर्लभ डल्फिन एतय संरक्षित करि राखल गेल अछि ।[२]
कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष Koshi Tappu Wildlife Reserve | |
---|---|
आइयुसिएन श्रेणी आइभी (आदत/प्रजाति प्रबन्धन क्षेत्र) | |
नेपालक नक्सामे कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष अवस्थित क्षेत्र | |
रहल स्थान | कोशी अञ्चल, पूर्वाञ्चल |
नजदिकक सहर | इनरूवा |
निर्देशाङ्क | २६°३९′उ॰ ८७°०′पू॰ / २६.६५०°N ८७.०००°Eनिर्देशाङ्क: २६°३९′उ॰ ८७°०′पू॰ / २६.६५०°N ८७.०००°E |
क्षेत्रफल | १७५ किमी२ (६८ वर्ग माइल) |
स्थापना | वि.स. २०३२ (सन् १९७६) |
सरकारी संस्था | राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय |
आधिकारिक नाम | कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष |
नामाङ्कित | १७ दिसम्बर १९८७[१] |
नेपाल सरकारक जनसहभागितामे संरक्षण कार्य अगाडि बढाबक लक्ष्यसँ मध्यवर्ती क्षेत्रक घोषणा करि, ई मध्यवर्ती क्षेत्र व्यवस्थापन समितिक गठन २०६१ भादो ३१ मे कएल गेल अछि ।[३] मध्यवर्ती क्षेत्रक क्षेत्रफल १७३ वर्ग किलोमिटर रहल ३ जिलाक (सुनसरी, सप्तरी, उदयपुर) १६ टा गाउँ विकास समितिसभ समेटने अछि । मध्यवर्ती क्षेत्र व्यवस्थापन समितिमे ९ टा समिति सदस्य, १ टा समिति अध्यक्ष तथा १ सदस्य सचिव संरक्षण अधिकृत सहित १३ सदस्यीय व्यवस्थापन समिति रहल अछि । मध्यवर्ती क्षेत्र व्यवस्थापन समिति विशेष करि आरक्ष अगलबगल रहल प्राकृतिक श्रोतक संरक्षण आ सदुपयोग, स्थानीय सामुदायिक विकास सहित आरक्ष संरक्षणमे सहयोग आ सल्लाहकारक भूमिका निर्वाह करैत अछि ।[४]
एतय प्रत्येक वर्ष विश्व सिमसार दिवस तथा राष्ट्रिय चिरई महोत्सव मनाएल जाइत अछि । कोशी टप्पु वन्य जन्तु आरक्षण दक्षिण पूर्वी तराईक सुनसरी जिलामे सप्तकोशीक तटमे अवस्थित अछि । ई आरक्ष वि.सं. २०३२ साल (सन् १९७६) मे लोपोन्मुख अवस्थामे रहल अर्ना (जङ्गली भैँस)सभक संरक्षित बासस्थानक रूपमे स्थापना भेल छल । कुल क्षेत्रफल १७५ वर्ग किलोमिटर भेल ई आरक्षण नेपालक सबसँ छोट आरक्षण छी । एकर दक्षिणी सीमामे सप्तकोशी नदीक बाँध रहल अछि । बढिया आ पैग सिमसार क्षेत्र भेल कारण ई आरक्षमे साइवेरियासँ चिरईसभ आवत जावत करैत अछि, एतबी मात्र नै भऽ ई आरक्ष दुर्लभ गिद्धक लेल सेहो प्रसिद्ध मानल जाइत अछि ।
हावापानी
ई कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्षमे तीन अलग मौसम अनुभव कएल जा सकैत अछि । गर्मीक मौसम (फागुनसँ जेठधरि)मे तीव्रता न्यूनतम वर्षा संगे तीव्र गर्मी होइत अछि । ई समय एतय तापक्रम ४० डिग्री सेन्टीग्रेट पहुँच जाइत अछि । मनसुन जेठक अन्त्य तथा आषाढक शुरूमे शुरू होइत अछि आ भादोधरि लगातार भारी वर्षा होइत अछि । सबसँ भारी वर्षा साउन दिस होइत अछि मुदा ओई समय मौसममे उच्च आर्द्रता आ तापक्रमक अनुभव सेहो होइत अछि । शिषिर ऋतुमे साफ आकाश आ सयमी तापक्रम भेलाक बाद एतय एकदम ठण्डा मौसम रहैत अछि ।[५]
वनस्पति तथा वन्यजन्तुसभ
कोशी टप्पु वन्य जन्तु आरक्षण मुख्यत: घाँसक मैदानसँ भरल अछि । एतय खयर, साल तथा सिसौ लगायत वनस्पतिसभ पाबल जाइत अछि । मुख्यत: लोपोन्मुख अवस्थामे रहल अर्ना (जङ्गली भैँस)सभ पाबल जाइवला ई आरक्षमे अन्य २० प्रकारक छोट पैग जानावरसभ जेना: हरिण, रतुवा, नीलगाई, बाँदर, अजिङ्गर आदि जानवरसभ रहैत अछि ।[६]
विश्वमे दुर्लभ मानल गेल चिरई चुनमुनसभ सहित ४४१ प्रजातिक चिरई चुनमुनसभ पाबल जाइवला ई आरक्षणमे हाँस प्रजातिक २० टा, जलचिरई प्रजातिक ११४ टा लगायतक पंक्षीसभ पाबल जाइत अछि । जहिमे सँ लोसार, पैग धनेश, स्वाम्प प्याराडाइज, फिसिङ इगल, टफटेड सोभलरडक ब्रेस्टेट, ब्रान्डेट रेल किङ फिसर आदि संसारमे दुर्लभ चिरईसभ अन्तर्गत आबैत अछि ।
अर्नाक राजधानी आ चिरईसभक स्वर्ग
बिराटनगरसँ करिब ५० किमी उत्तर-पश्चिम आ धरानसँ करिब ४० किमी पश्चिम दक्षिणमे अवस्थित कोशीक कोशीटप्पु सिमसार भूमि आ दलदल क्षेत्रक लेल विश्वमे प्रसिद्ध अछि । सिसौ, खयर आ सिमलक गाछ आ अनेकन छोट गाछवृक्षसँ भरल ई टप्पु सिमसार भूमि आ दलदल क्षेत्र वाहेक चिरईसभक वासस्थानक लेल प्रसिद्ध अछि । एतय ४२० प्रजातिका स्थायी चिरई अछि, हरेक वर्ष साइबेरियासँ हिमाल नाघि अस्थायी चिरईसभ सेहो किछ महिनाक लेल डेरा खोजैत एतय आबि जाइत अछि । समुच्चा नेपालमे अर्ना एतय पाबल जाइत अछि । यहिलेल कोशीटप्पुके अर्नाक राजधानी आ चिरईसभक स्वर्ग कहल जाइत अछि ।
कोशी नदीक किछ भाग समेत समेट १७५ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे फैलल ई आरक्ष क्षेत्रमे अर्ना आ दुर्लभ चिरईको अवलोकन करवाक लेल बिदेशी पर्यटकसभ आबैत अछि । विश्वमे कतौ आनठाम नै पाबल जाइवला स्वाम प्यास्ट्रिज नामक चिरई एतय पाबल जाइत अछि । कात्तिकसँ फागुन महिनाधरि रूस, श्रीलङ्का, भारत, तिब्बत आदि देशसभसँ हुल बनाए चिरईसभक बथान एतय आबैत अछि । किछ समय एतय बास बैसलाबाद चिरईसभ पाकिस्तान, अफगानिस्तान होइत अफ्रिका, युरोप दिस चलि जाइत अछि । कोशी नदीक धुमिल पानिमे क्रेन प्रजातिक लम्बा गर्दन भेल चिरईसभक संगे कुर्रा, सारस, हाँससभक हुल देख सकैत छी । डल्फिन आ घड़ियाल गोहि सेहो कोशी टप्पुक मुख्य आकर्षण छी।
कात्तिकसँ फागुन महिनाधरि अर्ना आ चिरईसभक संसार घुमघाम आ दृश्यावलोकनक लेल बेसी उपयुक्त मानल जाइत अछि । ई अवधिमे चिरईसभक भीडसँ कोशीटप्पुक रौनक बढि जाइत अछि ।
यातायात
बिराटनगरसँ करिब ५० किमी उत्तर-पश्चिम आ धरानसँ करिब ४० किलोमिटर पश्चिम दक्षिणमे अवस्थित कोशीटप्पुधरि पहुँचक लेल यातायातक साधन उपलब्ध अछि । पूर्व-पश्चिम राजमार्गक लौकही नजदिक कटान क्षेत्रसँ ५ किलोमिटर पश्चिममे कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष अवस्थित अछि ।
वन्य-जीवनक संरक्षण अतिरिक्त ई संरक्षित क्षेत्रमे सप्तकोशी नदीक किछ महत्वपूर्ण भाग सेहो संरक्षित रहनाए आवश्यक भेल एक अध्ययन बतौने अछि । सन् १९८७ मे ई ठामके रामसर क्षेत्र घोषित कएल गेल छल ।[७][८]
चित्र दिर्घा
-
जङ्गली भैँस, अर्ना
-
कोशी टप्पुमे माछ मारैत एक मछवाड़ा
-
जानवरसभ
-
गाछ वृक्ष
-
एक मछवाड़ा
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ GoN/MoFSC (2014). Nepal Biodiversity Strategy and Action Plan 2014-2020. Government of Nepal, Ministry of Forests and Soil Conservation, Kathmandu, Nepal
- ↑ Bhuju, U. R., Shakya, P. R., Basnet, T. B., Shrestha, S. (2007). Nepal Biodiversity Resource Book. Protected Areas, Ramsar Sites, and World Heritage Sites सङ्ग्रहित २०१२-०३-०१ वेब्याक मेसिन International Centre for Integrated Mountain Development, Ministry of Environment, Science and Technology, in cooperation with United Nations Environment Programme, Regional Office for Asia and the Pacific. Kathmandu, Nepal
- ↑ Limbu, K. P., Karki, T. B. (2003). Park–people Conflict in Koshi Tappu Wildlife Reserve. Our Nature (2003) 1: 15–18.
- ↑ Baral, H. S. and C. Inskipp (2005). Important Bird Areas in Nepal: Key Sites for Conservation. Bird Conservation Nepal, Kathmandu and BirdLife International, Cambridge
- ↑ Karki, J. B. (2008). Koshi Tappu Ramsar Site: Updates on Ramsar Information Sheet on Wetlands सङ्ग्रहित २०१४-०७-१४ वेब्याक मेसिन. The Initiation 2 (1): 10–16.
- ↑ "KTWR to shift 30 'Arnas' to Chitwan"। kathmandupost.ekantipur.com। अन्तिम पहुँच 2016-05-04।
- ↑ Park–people Conflict in Koshi Tappu Wildlife Reserve, 2003 PDF[permanent dead link]
- ↑ The Ramsar Wetlands of International Importance Official List p.26 of PDF (under Nepal listing)
बाह्य जडीसभ
विकिमिडिया कमन्समे कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्षसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |