बकिङ्घम प्यालेस (अङ्ग्रेजी: Buckingham Palace) ब्रिटिश राजशाही कऽ लन्डन अवस्थित आधिकारिक निवास छी ।[१] वेस्टमिन्स्टर शहरमे स्थित ई राजमहल राजकीय आयोजना आ शाही आतिथ्यक केन्द्र छी । ई ब्रिटेन वासीसभक लेल राष्ट्रिय हर्षोन्माद आ सङ्कटकक समय चर्चाकें विषय रहल अछि ।

बकिङ्घम प्यालेस
Buckingham Palace
बकिङ्घम प्यालेस
नक्शा
पुरान नामबकिङ्घम हाउस
सामान्य विवरण
प्रकारराजमहल
ठेगानवेस्टमिन्स्टर शहर, लन्डन,  संयुक्त अधिराज्य
एखन भाडामे लेनिहारसभमहारानी एलिजाबेथ द्वितीय
स्वामित्वराजमुकुट
महारानी भिक्टोरिया, बकिङ्घम प्यालेसमे वसोबास कएनिहार पहिल महारानी, सन् १८३७ मे अपन राज्याभिषेकक बाद नव बनल महलमे बैसैलेल आएल छल ।

मूलतः बकिङ्घम हाउस कऽ रूपमे जानल जाए वला, ई भवन जे आजुक महलक महत्वपूर्ण भाग छी, सन् १७०३ मे बकिङ्घमक ड्युकक लेल एक एहन जगह पर बनायल गेल एक विशाल टाउन हाउस छल, जे कम सँ कम १५० वर्षधरि निजी स्वामित्वकें अधीन रहल छल । बादमे सन् १७६१[२] मे एकरा जर्ज तृतीय- महारानी चार्लोटक लेल एक निजी आवासक रूपमे अधिगृहित करि लेल गेल छल आ द क्विन्स हाउस कऽ नाम सँ जानल जाइत अछि । १९हम शताब्दीकें समयमे मुख्य रूपसँ वास्तुकार जन न्यास आ एडवर्ड ब्लोरद्वारा एक केन्द्रीय प्राङ्गणक अगल-बगल तीन बालकनी बनाए एकर विस्तार कएल गेल । अन्तत: सन् १८३७ मे महारानी भिक्टोरियाक शासनमे बकिङ्घम प्यालेस ब्रिटिश राजशाहीकें आधिकारिक शाही महल बनि गेल । अन्तिम पैग संरचनात्मक परिवर्तन १९हम शताब्दीक अन्त आ २०अम शताब्दीक शुरुआतमे कएल गेल जाहिमे पुर्व दिशाक ठीक आगाक भाग शामिल अछि, जतय ओ सुप्रसिद्ध बालकनी अछि, जतय सँ शाही परिवार पारम्परिक तौर पर बाहर रहल भीड़कें सम्बोधित करैत अछि । ओना तँ, महलक छोट गिर्जाघरकें द्वितीय विश्वयुद्धमे एक जर्मन बमद्वारा नष्ट करि देल गेल छल; याह कारण ई स्थान पर क्विन्स ग्यालेरी बनाएल गेल आ सन् १९६२ मे एकरा शाही सङ्ग्रहक कलाकृतिसभक प्रदर्शनीक लेल सार्वजनिक तौर पर खुला करि देल गेल छल ।

१९हम शताब्दीक आन्तरिक सजावटक मूल डिजाइन, जहिमे सँ बहुतेक आइयो देखल जाए सकैत अछि, एहिमे सर चार्ल्स लाङ कऽ सलाह पर चमकदार स्काग्लियोला आ बुलु आ गुलाबी ल्यापिसक व्यापक उपयोग शामिल अछि । किङ एडवर्ड सातमद्वारा एक बेल एपक क्रिम आ सोनगर रङ्गक मेल सँ आंशिक रूपसँ एकर पुन: सजावट करौलक । बहुतेक छोट-छोट स्वागत कक्षसभक सजावट चीनी रिजेन्सी शैलीमे ब्रिटेनक ब्रिटेन रोयल प्याभिलियन आ कार्लटन हाउससँ लाबल गेल फर्निचर आ फिटिङ्गस सँ करवाएल गेल । बकिङ्घम प्यालेसक गार्डन लन्डनक सभसँ पैग निजी गार्डन छी ।

राजकीय कक्ष, जकरा आधिकारिक आ राजकीय मनोरञ्जनक लेल प्रयोग कएल जाइत छल, गर्मी मौसमक समयमे महलक एक भागक रूपमे प्रदर्शनीक लेल प्रति वर्ष मुख्यतया अगस्तसितम्बरमे सार्वजनिक तौर पर खोलल जाइत अछि ।

इतिहास

स्थलक इतिहास

मध्य कालमे, बकिङ्घम प्यालेसक स्थान म्यानर अफ एबरीक एक भाग छल । एकर दलदल सतहकें ट्याबर्न नदीकें पानिसँ पटायल गेल छल, जे आइयो महलक अङ्गना आ दक्षिणी खण्डक नीचा बहैत अछि ।[३]ओ ठाम एक गाम आई क्रस विकसित भेल छल जतय नदी हेल केर पार करल जाए सकैत छल । एहि निर्माण क्षेत्रक स्वामित्व बहुतेक बेर परिवर्तन कएल गेल; एकर मालिकसभमे स्याक्सन कालक उत्तरार्धमे एडवर्ड द कनफेसर आ हुनकर महारानी पत्नी एडिथ अफ वेसेक्स आ नर्मन कन्क्वेस्टक बाद विलियम द कन्करर शामिल छल । विलियमद्वारा ई निर्माण क्षेत्र ज्योफरी द म्यान्डेभिलेकें दऽ देलक, जे एकरा वेस्टमिनिस्टर एबीकें भिक्षुसभक नाम वसीयत करि देल गेल छल ।[४]

सन् १५३१ मे हेनरी सातम एटन कलेजसँ सेन्ट जेम्सक अस्पताल (बादमे सेन्ट जेम्स प्यालेस)[५] कऽ अधिग्रहण केलक आ सन् १५३६ मे ओ वेस्टमिनिस्टर एबीसँ म्यानर अफ एबरीकें लऽ लेलक ।[६] ई हस्तान्तरणसभ बकिङ्घम प्यालेसक साइटकें विलियम द कन्कररद्वारा तकरीबन ५०० वर्ष पहिने एकरा छोडि देलाक बाद सँ पहिल बेर शाही हाथमे वापिस आनि देलक ।[७]

बहुतेक स्वामीसभ एकरा शाही जमिन्दारसभसँग लीज पर प्राप्त केनए छल आ एकर फ्रिहोल्ड १७हम शताब्दीक समय उन्मादी अनुमानसभक विषय बनि गेल छल । ताबे धरि पुरान गाम आई क्रस बहुत पहिने नष्ट भऽ गेल छल आ ई क्षेत्र ज्यादातर बेकार जमीनक रूपमे रहि गेल छल ।[८] पैसाक जरूरतक कारण जेम्स प्रथमद्वारा क्राउनक एक भागकें फ्रिहोल्डकें बेच देलक मुदा बाकी भागकें अपन अधिनमे राखलक जहिपर ओ रेशम उत्पादनक लेल एक ४ एकड (१६,००० मी) मलबरी गार्डन स्थापित केलक । (ई आजुक समयमे महलक उत्तर पश्चिमी किनार पर अछि)।[९] एनार्किया एङ्लिकाना (१६४९) मे क्लिमेन्ट वाकर सेन्ट जेम्सक मलबरी गार्डनमे नव तैयार कएल गेल सोडोम्स आ स्पिन्ट्रिज कऽ सन्दर्भ दैत अछि, जहिसँ ई पता चलैत अछि की ई एक व्यभिचारक स्थान रहल होएत । अन्ततः १७हम शताब्दीक अन्तमे, प्रोपर्टी टाइकुन सर ह्यु औडलीसँ एकर वारिस पोता म्यारी डेभिसद्वारा एकर फ्रिहोल्ड विरासतक रूपमे प्राप्त करि लेल गेल ।[१०]

महलक स्थल पर बनल पूर्व मकान

 
महलक वर्तमान रूप

गोरिङ हाउस

एहि निर्माण क्षेत्रक भितर पहिल मकान सम्भवतः सन् १६२४ कऽ अगल-बगल सर विलियम ब्ल्याकद्वारा तैयार कएल गेल छल ।[११] एकर दोसर मालिक लर्ड गोरिङ छल जे ब्ल्याकक मकानक विस्तार करि आजुक गार्डनकें ज्यादातर भागकें विकसित केलक, जकरा ओ समय गोरिङ ग्रेट गार्डनक रूपमे जानल जाइत छल ।[१२][१३]ओना तँ, ओ मलबरी गार्डनमे फ्रिहोल्ड प्राप्त करवाक लेल कोनो रुचि नै देखेनए छल । सन् १६४० मे गोरिङ कऽ नाम एक अज्ञात दस्तावेजमे किङ चार्ल्स प्रथमक लन्डन भाग जाए सँ पहिने, जतय कानूनी दण्डक लेल एकर आवश्यकता छल, ग्रेट सिलकें पास करवाबैमे असफल रहल ।[१४] याह ओ महत्वपूर्ण चूक छल जे किङ जर्ज तृतीयकें अधीन ब्रिटिश शाही परिवारकें एकर फ्रिहोल्ड प्राप्त करैमे सहायता केलक ।[१५]

अर्लिङ्गटन हाउस

अदूरदर्शी गोरिङद्वारा अपन मकान महसुलमे चूक केनए छल,[१६] जखन सन् १६७४ मे एकरा जलाए देल गेल छल, अर्लिङ्गटन क पहिल अर्ल, हेनरी बेनेटद्वारा महलकें प्राप्त कएल गेल आ एहिमे बैसे लागल छल, जकरा आब गोरिङ हाउस क नाम सँ जानल जाइत अछि ।[१३] आगुक साल-आजुक महलक दक्षिणी खण्डमे ई निर्माण क्षेत्रमे अर्लिङ्गटन हाउस बनाए खड़ा कएल गेल आ एकर फ्रिहोल्ड सन् १७०२ मे खरिदल गेल ।[१३]

बकिङ्घम हाउस

ओ मकान जे वर्तमान महलक वस्तुकलाक एक महत्वपूर्ण भाग छल एकरा सन् १७०३ मे पहिल ड्यूक फ बकिङ्घम आ नर्मनबाई क लेल विलियम विन्डे क डिजाइनसँग तयार कएल गेल छल । जे शैली चुनल गेल ओ एक पैग, दुई छोट फल्याकिङ सर्भिस खण्ड सहित तीन मञ्जिला केन्द्रीय ब्लक छल ।[१७] अन्ततः बकिङ्घम हाउसकें बकिङ्घम क वारिस, सर चार्ल्स शेफिल्डद्वारा सन् १७६१[२]मे जर्ज तृतीयकें २१,००० पाउन्ड[१८] (£२१,०००) मे बेच देल गेल जे स्रोतक अनुसार £Error when using &#१२३;&#१२३;Inflation&#१२५;&#१२५;: &#१२४;index&#६१;UK (parameter १) not a recognized index. छी । २०२४[१९]

अपन दादा जर्ज द्वितीय जका, जर्ज तृतीय मलबरी गार्डनक भाग नै बेचवाक निर्णय केलक, जहिसँ शेफिल्ड ई निर्माण क्षेत्रक सम्पूर्ण फ्रिहोल्ड प्राप्त करैमे नाकाम रहल । जखन शेफिल्डद्वारा बकिङ्घम हाउसकें बेचल गेल तखन ई शाही परिवारकें हाथमे आबि गेल ।

महारानीक घरसँ महलधरि

 
महलक आगा एक द्वाररक्षक

ई मकानकें विशेषरूप सँ क्विन चार्लोटक लेल- जकर १५ बच्चासभमे सँ १४ एतय जन्म लेनए छल, मूलतः एक निजी सम्पति समझल गेल छल आ एकरा द क्विन्स हाउस[२०] कऽ नामसँ जानल जाइत छल । सेन्ट जेम्स प्यालेस आधिकारिक आ समारोहसभक लेल शाही निवास रहि गेल छल ।[२१]

ई निर्माणक जीर्णोद्धार सन् १७६२ मे आरम्भ भेल छल ।[२२] सन् १८२० मे राजगद्दी पर बैठलाक बाद जर्ज छठमद्वारा एकरा छोट आरामदायक स्वरूपमे बनेवाक विचार करि पुनरोद्धार कार्यकें आगा बढाएल गेल । जखन ई कार्य प्रगति पर छल, सन् १८२६ मे महराजाद्वारा अपन वास्तुकार जन न्यासक सहायतासँ मकानकें एक महलमे रूपान्तरित करवाक निर्णय केलक ।[२३] किछ अन्तिम सजवाटक्ल कार्य कार्ल्टन हाउससँ स्थानान्तरित करि एतय लाबल गेल आ बाकीकें फ्रान्सक क्रान्तिकें बाद फ्रान्ससँ किनल गेल ।[२४] बाहरी भागकें जर्ज चतुर्थकें पोसन्दकें फ्रान्सेली नियो क्लासिकल प्रभावमे डिजाइन कएल गेल । जीर्णोद्धार कार्यसभक लागत बहुत तेजीसँ बढल आ सन् १८२९ धरि न्यासक डिजाइनकें व्यापक स्वरूपक परिणाम स्वरूप हुनकर वास्तुकारक रूपमे हुनका हटाएल जाए पर बाध्य करि देलक । सन् १८३० मे जर्ज चतुर्थक मृत्यु पर, हुनकर छोट भाई विलियम चतुर्थद्वारा हुनकर कामकें पूरा करवाक लेल एडवर्ड ब्लोरक सेवा प्राप्त केलक ।[२५][२६] एक समय, सन् १८३४ मे रहल नेमशेक कऽ आगि सँ नष्ट भऽ गेलाक बाद, विलियमद्वारा महलकें संसद कऽ नव मकानसभमे परिवर्तन करवाक विचार कएल गेल ।[२७]


महाराजक घर

 
महल सन् १८३७, जतय मार्बल आर्कक कलाकृतिसभ चित्रित अछि ।
 
सन् १९१३ मे बकिङ्घम प्यालेसक पूर्वी मुहरक निर्माण कार्य

बकिङ्घम प्यालेस अन्तत: सन् १८३७ मे महारानी भिक्टोरिया[२८] कऽ गद्दी पर बैठवाक बाद, जे एकर बनि तैयार होमए सँ विलियम चतुर्थ कऽ मृत्यु कऽ बाद हुनकर उत्तराधिकारीक रूपमे एतय निवास कएनिहार पहिल सम्राज्ञी छल, प्रमुख शाही निवास बनि गेल ।[२९] जतय राजकीय कक्षसभक रङ्ग आ गिल्टक साथ छेड़छाड़ कएल गेल छल, नव महलक जरूरी चीजसभ किछ हद धरि कम आरामदायक छल । एक चीज जकर बारेमे कहल गेल छल की एकर चिमनीसँ एतेक धुंआ निकलैत छल की आगिके बुतबैत पडैत छल आ याह रुपेण प्राङ्गणमे बरफ कऽ फुहार आबैत छल ।[३०] भेन्टिलेसन एतेक खराब छल की भितर कक्षसँ गन्ध आबैत छल आ जब ग्यास ल्याम्प लगवैक निर्णय कएल गेल, तँ निचलका मञ्जिला पर ग्यास तैयार करवाक गम्भीर चिन्ता उत्पन्न भऽ गेल । एहो कहल गेल छल की स्टाफ बेकाम आ सुस्त छल आओर महल गन्दा छल ।[३०] सन् १८४० मे महारानीक विवाहक बाद, हुनकर पति प्रिन्स अल्बर्टद्वारा स्वयं घरकें कार्यालयसभ आ कर्मचारीक संग-संग महलक डिजाइनक त्रुटीसभकें ठीक करवाक लेल एकरा पुनः व्यवस्थित करवाक विचार केलक । सन् १८४० कऽ अन्तधरि सम्पूर्ण समस्यासभ सुलझाए लेल गेल ।

सन् १८४७ धरि ई दुनू जोड़ीद्वारा अपन बढ़ैत परिवार आ दरबारी जीवनक लेल ई महलकें बहुत छोट महसूस केलक[३१] आ एकर बाद एडवर्ड ब्लोरद्वारा डिजाइन कएल गेल नव खण्डक केन्द्रीय चौकोरकें शामिल करेत थमस क्युबिटद्वारा[३२] तैयार कएल गेल । पूर्व दिशामे विशाल आगुक भाग द मल आइयो बकिङ्घम प्यालेसक सार्वजनिक भाग छी आ एहिमे ओ बालकनी अछि जतय सँ यादगार अवसरसभ आ वार्षिक रूप सँ ट्रूपिङ्ग द कलरक बाद शाही परिवार जनसमूहकें सम्बोधित करैत अछि । बालरूम विङ्ग आ राजकीय कक्षसभक एक आगुक सुइट सेहो याह अवधिक समयमे न्यासक एक छात्र सर जेम्स पेनेथोर्नद्वारा तैयार कएल गेल डिजाइनसँ बनाएल गेल ।

प्रिन्स अलबर्ट कऽ मौत सँ पहिने, ई महल प्राय: सङ्गीतमय मनोरञ्जनक स्थल छल[३३] आ बहुतेक महानतम समकालीन सङ्गीतकारसभद्वारा बकिङ्घम प्यालेसमे अपन प्रदर्शन केलक । कम्पोजर फेलिक्स मेन्डेलसोन तीन अवसरपर एतय प्रदर्शन करवाक लेल जानल जाइत अछि ।[३४] जोहान स्ट्रस द्वितीय आ ओकर आर्केस्ट्रा इङ्ल्यान्डमे रहैत काल एतय प्रदर्शन केलक ।[३५] स्ट्रसक एलिस पोल्काद्वारा सन् १८४९ मे महारानीक बेटी, राजकुमारी एलिसक सम्मानमे पहिल बेर एतय प्रदर्शन केनए छल ।[३६] भिक्टोरियाक शासनमे बकिङ्घम प्यालेस प्राय नियमित शाही समारोहसभ, उदघाटनसभ आ प्रस्तुतिसभक वाहेक भव्य पोशाक प्रदर्शनसभक दर्शनीय स्थल छल ।

सन् १८६१ मे विधवा भेल, शोकाकुल महारानीद्वारा सार्वजनिक जीवनसँ स्वयंकें अलग करि लेलक आ बकिङ्घम प्यालेसकें त्याग करि विन्डसर क्यासल, बालमोरल क्यासल आ ओसबोर्न हाउसमे बसोबास करै लागल । बहुतेक वर्षधरि महलकें कहियो-काले प्रयोग कएल गेल आ एतय धरि की एकरा पूर्ण रूप सँ अस्वीकार करि देल गेल । अन्तत: जनताक आग्रह पर हुनका लन्डन आबऽ पड़ल, ओना तँ तहियो ओ जतय सम्भव छल कोनो दोसर स्थान पर रहवाक लेल पोसन्द केलक । दरबारी कार्यक्रम तहियो महलक स्थान पर विन्डसर क्यासलमे आयोजित कएल जाइत छल, जतय शोकमे डुबल महारानी आदतन उदास कारी पोशाक पहिन सभाकें अध्यक्षता करैत छल जबकि बकिङ्घम प्यालेस वर्ष भरि बेसी रास बन्द रहैत छल ।[३७]

आन्तरिक सज्जा

 
बकिङ्घम प्यालेसक पियानो नोबिल ।

महलक आकार १०८ मिटर गुणा १२० मिटर अछि, उचाई २४ मिटर अछि आ एहिमे ७७,००० वर्गमिटरक फ्लोर स्पेस (८,२८,८१८ वर्ग फिट) रहल अछि ।[३८] महलक मुख्य कक्ष पियानो नोबिल मे महलक पिछ्ला भागमे पश्चिमक दिस मुख भेल गार्डेन फ्याकेड कऽ पाछा अवस्थित अछि । राजकीय कक्षसभक ई आकर्षक सुइटक केन्द्र म्युजिक रूम छी जकर विशाल बनावट ई फ्याकेडक सभसँ प्रभावशाली विशेषता छी । म्युजिक रूमक बगलमे बुलु आ उज्जर ड्रोइङ रूम बनल अछि । सुइटक केन्द्रमे, राजकीय कक्षसभ सँ जुड़ल एक कोरिडोरक रूपमे एक पिक्चर ग्यालेरी अछि, जे टप-लिट आ ५५ यार्ड (५० मिटर) लम्बा अछि ।[३९] ग्यालरीमे बहुतेक कलकृतिसभ टङ्गल अछि जहिमे सँ किछ रेम्ब्रान्ट, भ्यान डेक, रुबेन्स आ वर्मीरक अछि,[४०][४१] पिक्चर ग्यालरी सँ लगल अन्य कक्षसभमे राजगद्दी कक्ष आ ग्रीन ड्रोइङ्ग रूम शामिल अछि । ग्रीन ड्रोइङ्ग रूम राजगद्दी कक्षक लेल एक विशाल प्रतीक्षालयक रूपमे काम करैत अछि आ गार्डनक सीढिसभक उपर गार्ड रूमसँ राजगद्दीधरि समारोह मार्गक एक भाग अछि ।[३९] गार्ड रूममे क्विन भिक्टोरिया आ प्रिन्स एलबर्टक उज्जर सङ्गमरमरक प्रतिमासभ, रोमन पोशाकमे, कशिदाक संग एक ट्रिब्युन लाइनमे सजाएल गेल अछि । ई अत्यन्त औपचारिक कक्षसभकें मात्र समारोहसभ आ आधिकारिक मनोरञ्जनसभक लेल प्रयोग कएल जाइत अछि, मुदा प्रत्येक गर्मीमे जनताक लेल खोलि देल जाएत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. पारंपरिक तौर पर ब्रिटिश रॉयल कोर्ट आज भी सेंट जेम्स पैलेस में मौजूद है। जब विदेशी राजदूत अपना पद संभालने आते हैं उन्हें ब्रिटिश राजा द्वारा बकिङ्घम प्यालेस में पदभार ग्रहण कराया जाता है, वास्तव में वे सेंट जेम्स पैलेस के दरबार" से मान्यता प्राप्त करते हैं। यह असंगति परम्परा के लिए चलाई जा रही है क्योंकि बकिङ्घम प्यालेस अपने सभी इरादों और मकसदों से एक आधिकारिक निवास है। देखें सेंट जेम्स पैलेस का इतिहास (रॉयल वेबसाइट).
  2. २.० २.१ रॉबिन्सन, पी. 14
  3. गोरिंग. पी. 15
  4. साइट की भौगोलिक स्थिति और इसके स्वामित्व की चर्चा राईट, 1-4 अध्यायों में की गयी है।
  5. गोरिंग. पी. 28
  6. गोरिंग. पी. 18
  7. द एक्विजिशन ऑफ द एस्टेट, सर्वे ऑफ लंदन: खंड 39: द ग्रॉसवेनर एस्टेट इन मायफेयर, पार्ट 1 (सामान्य इतिहास) (1977), पीपी. 1-5. पहुँच की तिथि: 3 फ़रवरी 2009
  8. राइट, पीपी 76-8.
  9. गोरिंग. पीपी. 31 और 36
  10. आउडली आ डेभिस, एबरी म्यानर आ ग्रासवेनर एस्टेटक विकासमे मुख्य व्यक्ति छल (देखी ड्यूक्स अफ वेस्टमिनिस्टर), जे आइओ स्थापित अछि । (एकरा नर्थ आउडली स्ट्रिट, साउथ आउडली स्ट्रिट आ डेभिस स्ट्रिट जका सड़कसभक नामसँ याद कएल जाइत अछि, सम्पूर्ण मायफेयर मे अछि ।)
  11. राइट, पी. 83
  12. गोरिंग. अध्याय V
  13. १३.० १३.१ १३.२ हैरिस, पी.21
  14. राइट, पी. 96
  15. गोरिंग. पी. 62
  16. गोरिंग. पी. 58
  17. हैरिस, पी. 22
  18. नैश, पी. 18, ओना तँ खरीद मूल्य राइटद्वारा पी. 142 मे २८,००० पाउन्डक रूपमे देल गेल अछि ।
  19. UK Consumer Price Index inflation figures are based on data from Gregory Clark (2016), "The Annual RPI and Average Earnings for Britain, 1209 to Present (New Series)", MeasuringWorth.com.
  20. सन् १७७५ मे, संसदक अधिनियमक अनुसार सम्पति केर अधिकार क्विन चारलोटकें हुनकर समरसेट हाउसक अधिकारसभकें बदलामे देल गेल (देखी ओल्ड एण्ड न्यू लन्डन (नीचा)
  21. वेस्टमिन्स्टर: बकिंघम पैलेस, ओल्ड एंड न्यू लंदन : अंक 4 (1878), पीपी (61-74). पहुँच की तिथि: 3 फ़रवरी 2009. परम्परा के अनुसार विदेशी राजदूत "सेंट जेम्स के दरबार" से मान्यता प्राप्त करते हैं हालांकि यह बकिंघम पैलेस में है जहाँ वे अपनी नियुक्ति के समय अपने क्रेडेंशियल्स और स्टाफ को महाराने के समक्ष प्रस्तुत करते हैं।
  22. हैरिस, पी.24
  23. हैरिस, पीपी. 30-31
  24. जोन्स, पी. 42
  25. हैरिस, पी. 33
  26. "The Royal Residences > Buckingham Palace > History"। www.royal.gov.uk। अन्तिम पहुँच 2 फ़रवरी 2009 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  27. Ziegler, Phillip (1971). King William IV. Collins. प॰ 280. आइएसबिएन 0-00-211934-X.. 
  28. "The Royal Residences > Buckingham Palace"। www.royal.gov.uk। मूलसँ 2009-01-27 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2 फ़रवरी 2009 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  29. हेडली, पी. 10
  30. ३०.० ३०.१ वुडहैम-स्मिथ, पी. 249
  31. हैरिस, डी बेलैग एंड मिलर पी.33
  32. हॉलैंड एंड हैनेन एंड क्युबिट्स - द इंसेप्शन एंड डेवलपमेंट ऑफ ए ग्रेट बिल्डिंग फर्म प्रकाशित 1920 पी. 35
  33. हेडली, पी. 19
  34. हीली, पीपी. 137-138
  35. हीली, पी. 122
  36. एलेनक भारतीय मेल आ ब्रिटिश आ विदेशी भारत, चीन आ पूरबक सम्पूर्ण भागक रजिस्टर, १८५०, वॉल्यूम. VIII. गूगल बुक लिंक
  37. रॉबिन्सन, पी. 9
  38. [१] फ्लोरस्पेस के लिए संदर्भ.
  39. ३९.० ३९.१ हैरिस, पी. 41
  40. हैरिस, पीपी.78-79
  41. हीली, पीपी. 387-388

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी