विकिपिडिया:मुख्य लेख/२०१४
मुख्य लेख
|
ई मासक प्रमुख लेख (जनवरी, २०२५)
|
मैथिली विकिपिडियाक सम्मुख पन्नामे प्रदर्शित होमएवाला मुख्य लेखकें मासिक रुप सँ स्तरीय लेखसभ सँ परिवर्तन करवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे एखन धरि १४,१३८ लेखसभ अछि जहिमे ५० लेखसभ मुख्य लेखक लेल चुनल जा चुकल अछि । कोनो भी लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जेवाक लेल स्तरीय होनाए अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझबैत अछि या अहाँ कोनो समस्या देख रहल छी तँ कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देबऽ कऽ लेल अनुरोध करैत छी ।
|
|
मुख्य सामाग्रीसभ
दिसम्बर, २०१४ क मुख्य लेखविद्यापति (जन्म:१३५२-१४४८) मैथिली साहित्यके आदि कवि अछि । विद्यापतिक जन्म १३५२ ई.क लगातिमे बिस्फी गाममे भेलन्हि । हिनकर परवर्ती सभ आइ-काल्हि सौराठ गाममे रहैत छथि। एकर प्रमाण निम्न गप सभसँ लगैत अछि। १३९४-९६ क बीच कएल पदक समर्पण गियासौद्दीन आजमशाह आ नसरत शाहकेँ कएल गेल अछि। देव सिंहक आदेश सँ १४०० ई.क लगातिमे ई “भू-परिक्रमा लिखलन्हि। १४०२-०४ क बीच कीर्तिलताक रचना कीर्ति सिंहक राज्यकालमे कएलन्हि। १४०९-१४१५ ई.क बीच कीर्तिपताकाक रचना। पूर्वार्ध १४०९ क लगातिमे मे - हरि केलि अर्जुन सिंहक कीर्तिगाथासँ सम्बन्धित अछि आ उत्तरार्ध १४१५ क लगातिमे शिवसिंहक युद्ध आ तिरोधानसँ सम्बद्ध अछि। (पूरा लेख...) |