मधेश प्रदेश

नेपालक मिथिला क्षेत्रक एक प्रदेश

मधेश प्रदेश नेपालक दक्षिणपूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित एक प्रदेश छी । नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलाक बाद ई प्रदेशक स्थापना कएल गेल छल । ई नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल आ[] क्षेत्रफलक आधारमे सभ सँ छोट प्रदेश छी । ई प्रदेशक पूर्व दिशामे कोशी प्रदेश, उत्तर दिशामे कोशी प्रदेशबागमती प्रदेश, पश्चिम दिशामे बागमती प्रदेश आ दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा अछि । ई प्रदेशक क्षेत्रफल ९,६६१ किमी (३,७३० वर्ग माइल) अछि । सन् २०११क जनगणना अनुसार ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक सभ सँ बेसी मानव जनघनत्व भेल प्रदेश बनौने अछि ।[]

मधेश प्रदेश
Madhesh Province
नेपालक मधेश प्रदेशमे अवस्थितिक अवस्थिति
नेपालक मधेश प्रदेशमे अवस्थिति
मधेश प्रदेशक नक्साक अवस्थिति
मधेश प्रदेशक नक्सा
राष्ट्र नेपाल
स्थापना२० सितम्बर २०१५
राजधानीजनकपुर (आस्थायी)
पैग शहरवीरगञ्ज
जिला
सरकार
 • अङ्गमधेश प्रदेशक सरकार
 • राज्यपालसुमित्रा भण्डारी
 • मुख्यमन्त्रीसतिश कुमार सिंह (जनमत पार्टी)
 • उच्च अदालतजनकपुर उच्च अदालत
 • प्रदेश सभाएकसदनीय (१०७ सिट)
क्षेत्रफल
 • कुल९६६१ किमी (३७३० वर्गमाइल)
 • क्रम७अम
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल५४,०४,१४५
 • क्रमदोसर
 • घनत्व५६०/वर्ग किमी (१४००/वर्ग माइल)
  • क्रमप्रथम
वासिन्दामिथिला
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
आधिकारिक भाषासभमैथिली, भोजपुरीनेपाली
अन्य भाषासभबज्जिका, थारुउर्दु
एचडिआई०.४८५ (न्यून)
साक्षरता४९.५४%
लैङ्गिक अनुपात१०१.१८ /१०० (२०११)

पूर्वमे सप्तरी जिला सँ लऽ पश्चिममे पर्सा जिला धरि फैलल ई प्रदेशमे कूल ८ जिला अछि । ई प्रदेशक अधिकांश लोक मैथिली, भोजपुरीनेपाली बजैत अछि ।[]धार्मिक आ सांस्कृतिक धरोहरक केन्द्रक रूपमे रहल उपमहानगर जनकपुर, जनकपुरधामक रूपमे सेहो जानल जाएत अछि ।[][] प्राचीन किम्बदन्ती अनुसार ई विश्वास कएल जाएत अछि जे ई क्षेत्र विदेह वंशक राजधानी छल जे प्राचीन मिथिला पर राज्य केनए छल ।[]

नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बैसाएल गेल शहर राजविराज नेपालक चारिम आ तराई क्षेत्रक सभ सँ पुरान नगरपालिका छी ।[][][] ई शहरक नाम प्राचीन राजदेवी मन्दिरक नाम पर राखल गेल विश्वास कएल जाएत अछि जकर स्थापना सन् १७०० मे भेल छल । ई प्रदेशक एक मात्र महानगरपालिका वीरगञ्ज व्यापारिक आ आर्थिक रूप सँ महत्वपूर्ण अछि । ई शहरकें नेपालक प्रवेशद्वार सेहो कहल जाएत अछि ।[][][१०][११][१२][१३]

सन् २०१८ जनवरी १७ मे भेल नेपालक मन्त्रीपरिषदक बैठकक निर्णयानुसार ई प्रदेशमे अवस्थित जनकपुरकें अन्तरिम राजधानी घोषित कएल गेल अछि ।[१४]मधेश प्रदेश प्रदेशसभा निर्वाचन, परिणामस्वरूप जनमत पार्टीक संसदीय नेता सतिश कुमार सिंह प्रदेशक तेसर आ वर्तमानमे मुख्यमन्त्री छी ।[१५][१६] ई प्रदेशक नाम मधेश या मिथिला या भोजपुरा रखवाक प्रस्ताव कएल गेल छल मुदा अखन सहमति भऽ एकर नाम मधेश प्रेदेश छी।[१७]

भूगोल

ई प्रदेश निम्नलिखित क्षेत्र सँ घेरल अछि:[१८]

नेपालक केन्द्रीय तथ्याङ्क विभागक अनुसार ई प्रदेश नेपालक कूल क्षेत्रफल १,४७,१८१ किमी (५६,८२७ वर्ग माइल)[१९]मे सँ ९,६६१ किमी (३,७३० वर्ग माइल) भाग ओकटने अछि । ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल प्रदेश बनौने अछि ।[][२०]

मधेश प्रदेश कऽ सम्पूर्ण क्षेत्रफल समथर जमीन अछि आ जकरा तराई कहल जाएत अछि । ई प्रदेशक उत्तरी भागमे रहल नेपालक भित्री उपत्यका या शिवालिक पहाड़ एकर प्राकृतिक सीमारेखा छी । दक्षिणी भागमे ई भारतीय राज्य बिहार सँ जुड़ल अछि । पूर्वी भागमे अवस्थित कोशी नदी एकर कोशी प्रदेश सँ प्राकृतिक सीमाक काज करैत अछि । सामानान्तर रूप सँ मधेश प्रदेश मे आठ जिलासभ अवस्थित अछि । ई प्रदेशक मुख्य नदीसभ बागमती नदी, कमला नदी, लाखनदेई नदी, विष्णुमति नदी छी ।

मौसम

मधेश प्रदेश कऽ किछ शहरक औसत मौसम[२१]
स्थान अगस्त

(°फे)

अगस्त

(°से)

जनवरी

(°फे)

जनवरी

(°से)

वार्षिक

वर्षा (मिमी/इन्च)

गौर ९१/७७.९ २३/९.१ ७३.४/४८.४ ३२.८/२५.५ १५९०.२/६२.६
सिराहा ८९.६/७६.३ ३२/२४.६ ७२.१/४७.३ २२.३/८.५ १२९३.१/५०.९
वीरगञ्ज ८४.७ २९.३ ६०.८ १६ १८६२.२/७३.३
जलेश्वर ८४.४ २९.१ ६१.२ १६.२ १४९२.९/५८.८
मलङ्वा ८४.४ २९.१ ६०.८ १६ १८१७.७/७१.६
जनकपुर ८४.२ २९ ६०.८ १६ १५१६.५/५९.७
राजविराज ८३.३ २८.५ ६०.४ १५.८ १२२३.३/४८.२
लाहान ८३.३ २८.५ ६०.३ १५.७ १२३१.४/४८.५

सरकार आ प्रशासन

प्रादेशिक सरकारक प्रमुखक रूपमे मुख्यमन्त्री आ प्रदेशक मुख्यक रूपमे राज्यपाल काज करैत अछि । न्यायलयक मुख्य व्यक्तिक रूपमे जनकपुर उच्च अदालतक मुख्य न्यायधिश रहैत अछि ।[२२] मधेश प्रदेश कऽ वर्तमान राज्यपाल, मुख्यमन्त्री आ मुख्य न्यायधिश क्रमश: रत्नेश्वर लाल कायस्थ, मोहम्मद लालबाबु राउत आ उदय प्रकाश चापागाईं छथि ।[२३][२४] ई प्रदेशमे १०७ प्रदेश सभा निर्वाचन क्षेत्र आ ३२ प्रतिनिधि सभा निर्वाचन क्षेत्र अछि ।[२५]

नेपालक अन्य प्रदेश जका मधेश प्रदेश मे सेहो एकसदनीय विधान सभा अछि । प्रदेश सभाक कार्यकाल ५ वर्ष कायम कएल गेल अछि । मधेश प्रदेश कऽ विधान सभा अखन अस्थायी रूप सँ जनकपुरक जिला शिक्षा कार्यलयमे राखल गेल अछि ।[२६]

प्रशासनिक उपविभाग

मधेश प्रदेश कें आठ जिलामे विभाजित कएल गेल अछि । एक जिलाकें जिला समन्वय समितिक मुख्य आ जिला प्रशासनिक अधिकारीद्वारा शासित कएल जाएत अछि । सम्पर्ण जिलाकें दुई स्थानीय तह नगरपालिकागाउँपालिकामे विभाजित कएल गेल अछि । ई प्रदेशमे कूल १ महानगरपालिका, ३ उपमहानगरपालिका, ७३ नगरपालिका आ ५९ गाउँपालिका अछि ।[२७]

जिलासभक सूची

# जिलाक नाम अङ्ग्रेजी मुख्यालय जनसङ्ख्या (२०११) क्षेत्रफल वेबसाइट
सप्तरी जिला Saptari District राजविराज ६,३९,२८४ १,३६३ किमी [१]
पर्सा जिला Parsa District वीरगञ्ज ६,०१,०१७ १,३५३ किमी [२]
सर्लाही जिला Sarlahi District मलङ्वा ७,६९,७२९ १,२५९ किमी [३]
बारा जिला Bara District कलैया ६,८७,७०८ १,१९० किमी [४]
सिराहा जिला Siraha District सिराहा ६,३७,३२८ १,१८८ किमी [५]
धनुषा जिला Dhanusha District जनकपुर ७,५४,७७७ १,१८० किमी [६]
रौतहट जिला Rautahat District गौर ६,८६,७२२ १,१२६ किमी [७]
महोत्तरी जिला Mahottari District जलेश्वर ६,२७,५८० १,००२ किमी [८]

मुख्य शहरसभ

भाषा आ धर्म

यातायात

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. १.० १.१ Law, G. (२०१५), "Provinces of Nepal", statoids.com, अन्तिम पहुँच २३ फरबरी २०१८ 
  2. २.० २.१ "National Population and Housing Census 2011", Central Bureau of Statistics, मूलसँ १ अगस्त २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ मार्च २०१४  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. ३.० ३.१ Burghart, R. (1978). The disappearance and reappearance of Janakpur. Kailash: A Journal of Himalayan Studies 6 (4): 257–284.
  4. Rastriya Samachar Samiti (2004). "More Indian tourists visit Janakpurdham". Himalayan Times, 17 January 2004.
  5. "राजविराज नगरपालिका", विकिपिडिया (नेपालीमे), २०१७-१०-०६। 
  6. "राजविराज नगरपालिका, नगर कार्यपालिकाकाे कार्यालय | मधेश प्रदेश, नेपाल सरकार", www.rajbirajmun.gov.np (नेपालीमे), मूलसँ २०१८-०३-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-०३-०३ 
  7. "Rajbiraj revisited − Nepali Times", nepalitimes.com, अन्तिम पहुँच २०१८-०३-०३ 
  8. "Birgunj Metropolitan City official Website", birgunjmun.gov.np 
  9. "Biratnagar, Birgunj promoted to Metropolitan Cities", The Himalayan Times, २०१७, अन्तिम पहुँच २५ जून २०१७ 
  10. "Possible headquarters of states", onlinekhabar.com 
  11. "Where will Province Chief live?", Naya Patrika Nepal's National News 
  12. "Possible Province headquarters", BroadNepal News Bnn 
  13. "कुन प्रदेशको राजधानी कहाँ ?", Himalayan Kangaroo, मूलसँ २०१९-११-२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-०५-३१  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  14. "Places proposed for temporary capitals of all seven provinces - News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition", News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition (en-USमे), २०१८-०१-०२, अन्तिम पहुँच २०१८-०३-०३ 
  15. "Raut appointed Chief Minister of province-2 - News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition", News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition (en-USमे), २०१८-०२-१४, अन्तिम पहुँच २०१८-०३-१३ 
  16. "Lalbabu Raut to be sworn in Province 2 CM today", The Himalayan Times (en-USमे), २०१८-०२-१४, अन्तिम पहुँच २०१८-०३-१३ 
  17. Yadav, S. (२०१८), "Province 2 struggles to reach consensus on its name", Nepal Republic Media Pvt. Ltd, अन्तिम पहुँच २९ मार्च २०१८ 
  18. "Big 3 draw new 7-province map", Republica, २२ Aug २०१५, अन्तिम पहुँच २६ जून २०१७ 
  19. "Statistical Year Book 2015 by CBS Nepal", Central Bureau of Statistics(CBS), मूलसँ १३ सितम्बर २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २६ जून २०१७ 
  20. "The population of the provinces of Nepal according to census results and latest official projections.", City Population, २९ Dec २०१५, अन्तिम पहुँच २६ जून २०१७ 
  21. "Nepal Travel Weather Averages (Weatherbase)", Weatherbase, अन्तिम पहुँच २०१८-०४-२८ 
  22. "High Courts get their chief judges" (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०४-२७ 
  23. "Lalbabu Raut appointed as Chief Minister of Province-2", My Republica (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०४-२७ 
  24. "President of Nepal administers oath to Chiefs of seven provinces | DD News", ddnews.gov.in (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०४-२७ 
  25. "CDC creates 495 constituencies", The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे), २०१७-०८-३१, अन्तिम पहुँच २०१८-०४-२७ 
  26. "First Provincial Assembly meeting begins in 4 provinces" (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०४-२७ 
  27. "स्थानिय तह", 103.69.124.141, अन्तिम पहुँच २०१८-०४-२७ 

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी