मैथिली भाषा

उत्तर भारत तथा पूर्वी नेपालमें बाजल जायवला एक भाषा

मैथिली (/ˈmtli/; Maithilī) भारोपेली भाषा छी जे मुख्य रूपम भारतक उत्तरी बिहार आर नेपालक पूर्वी मधेस क्षेत्रसभमे बोलल जाइत अछि । ई प्राचीन भाषा समूह भारोपेली भाषा परिवार अन्तर्गत आवैत अछि आर भाषाशास्त्रक हिसावसँ बङ्गाली, आसामी, उडिया आर नेपालीसँ एकर निकट सम्बन्ध अछि । ई भाषाक अपन तिरहुता लिपि अछि हाल एकर प्रयोग न्यून देखल जाइत अछि ।[१] हाल मैथिली भाषा देवनागरीमा लेख्ने गरिन्छ । [२] मैथिली भाषा भारतक संविधानक आठम अनुसूची आ नेपालक अन्तरिम संविधानक अनुसुचीमे सम्मिलित आ साहित्य परिषदद्वारा मान्यता प्राप्त भाषा छी ।

मैथिली
Maithili, মৈথিলী
Maithili.svg
देवनागरी लिपिम लिखल मैथिली
बोलल जाएवाला  स्थान: भारतनेपाल
प्रयोग क्षेत्र: भारतक उत्तरी बिहार, नेपालक तराई क्षेत्र
मातृभाषाप्रयोगकर्ता: 35 मिलियन (लगभग ३.५ करोड)
भाषा परिवार:
शाखा भाषा:
केन्द्रीय (सोतीपुरा)
पश्चिमी
पूर्वी कुर्था
देहाती
जोलाहा
किसान
दक्षिणी नेपाल
ठेठिया
लिपि देवनागरी
तिरहुता
कार्यालय प्रयोजनके अवस्था
नियन्त्रक संस्था: कोनो आधिकारिक नियम नै अछि
भाषा कोड:
आइएसओ 639-2 mai
आइएसओ 639-3 mai

सन् २००२ म मैथिली भाषाके भारतक संविधानक आठम धाराम समावेश कएल गेल जहिसँ भाषाक शिक्षा, सरकारी निकाय आर अन्य आधिकारिक प्रयोजनम प्रयोग कऽ सकैत अछि।[३] सन् २०१५ म मैथिलीके नेपालक संविधान २०७२क भाग १, धारा ५ म आधिकारिक भाषाक रूपम राखल गेल अछि ।[४] भारतक ई एक सबसँ बडका भाषा अन्तर्गत आवैत अछि तहिना नेपालक ई दोसर बोलल जाइवाला भाषा छी । [५] सन् २०११ धरि ई भाषा लगभग ४ करोड ४७ लाख लोगसभ बोलैत अछि जहि मध्ये नेपालम मात्र २८ लाख आर भारतम ३ करोड ४७ लाख लोग मातृभाषाक रुपम बोलैत अछि ।[६]


विषय सूचीसभ

भौगोलिक अवस्थासम्पादन

नेपालम मैथिली तराईक जिलासभ धनुषा, सर्लाही, महोत्तरी, सिरहा, सप्तरी, सुनसरीमोरङमे बाजल जाइत अछि। ई भाषा विभिन्न जातिसभ आ समूहसभमे कायस्थ, राजपुत, ब्राह्मण, खत्वे, चमार, यादव तेली आ अन्य वर्गद्वारा बाजल जाइत अछि ।[१] संविधानम समावेसक मैथिलीमे प्राथमिक शिक्षाक रूपमे विद्यालयसभमे प्रयोगक कएल गेल अछि ।[५] भारतक साहित्य प्रतिष्ठानद्वारा मैथिलीके साहित्यिक भाषाक स्थान पण्डित जवाहर लाल नेहरूक समयसँ प्राप्त अछि । भारतम मैथिली उत्तरी बिहारक मधुबनी, दरभंगा, सुपौलसहरसा जिलामे व्यापक रूपसँ बाजल जाइत अछि । मधुबनी आ दरभंगाक एकर प्रवेशद्वार मानल जाइत अछि । मातृभाषीसभ भारतक अन्य क्षेत्र जना नयाँ दिल्ली, मुम्बईकोलकातामे सेहो अछि ।

इतिहाससम्पादन

प्राचीन मैथिलीक विकासक शुरूवात प्राकृत आर अपभ्रंशक विकाससभसँग जुडल अछि । विद्यापति मैथिली भाषाक आदिकवि आर सर्वाधिक ज्ञात कवि छला । विद्यापति जी मैथिली अतिरिक्त संस्कृत तथा अवहट्ट शेहो रचना करने अछि ।

सम्बन्धित पृष्ठसम्पादन

सन्दर्भ सूचीसम्पादन

  1. १.० १.१ Yadava, Y. P. (2013). Linguistic context and language endangerment in Nepal. Nepalese Linguistics 28: 262–274.
  2. Lewis, M. P. (ed.) (2009). Maithili Ethnologue: Languages of the World. Sixteenth edition. Dallas, Texas: SIL International.
  3. Singh, P., & Singh, A. N. (2011). Finding Mithila between India’s Centre and Periphery. Journal of Indian Law & Society 2: 147–181.
  4. Government of Nepal (2015). Constitution of Nepal 2015
  5. ५.० ५.१ Sah, K. K. (2013). Some perspectives on Maithili. Nepalese Linguistics 28: 179–188.
  6. "विश्व भाषा". http://aboutworldlanguages.com/maithili. अन्तिम पहुँच तिथि: २ डिसेम्बर २०१४. 

बाहिरक स्रोतसम्पादन