मुक्तिनाथ हिन्दू तथा बौद्धमार्गीसभक लेल एक महत्वपूर्ण तिर्थस्थल छी । ई तिर्थस्थल समुद्र सतहसँ ३,७१० मीटरक उचाईमे नेपालक हिमालय पारक मुस्ताङ जिलामे अवस्थित अछि । ई मन्दिरके हिन्दूसभ मुक्ति क्षेत्र तथा बौद्धमार्गीसभ तिब्बती भाषामे छुमिङ ग्यात्सा (अर्थ 'सय पानी') कहैत अछि । तिब्बती बौद्धमार्गीसभक २४ तान्त्रिक स्थानसभमे सँ छुमिङ ग्यात्सा सेहो एक छी । मुक्तिनाथ वैष्‍णव सम्प्रदायक सेहो प्रमुख मन्दिरसभमे सँ एक छी । ई तिर्थस्थल शालिग्राम भगवानक लेल प्रसिद्ध रहल अछि । शालिग्राम बास्तवमे एकटा पवित्र शिला छी जकरा हिन्दू धर्ममे पुजनिय मानल जाइत अछि । ई मुख्य रुपमे कालीगण्डकी नदीमे मिलैत अछि । जहि क्षेत्रमे मुक्तिनाथ अवस्थित अछि ओ ठामके मुक्तिक्षेत्र कहल जाइत अछि । हिन्दु धार्मिक मान्‍यताक आधारमे ई एहन क्षेत्र छी, जतय लोकसभके मुक्ति अथवा मोक्ष प्राप्‍त होइत अछि । मुक्तिनाथक यात्रा जटिल अछि मुदा तबो हजारो सङ्ख्यामे हिन्दू धर्मावलम्बी एतय तिर्थ करैलेल आबैत अछि । ई हिन्दु धर्मक दुर्गम तिर्थस्थलमे सँ एक छी।

मुक्तिनाथ
Muktinath
मुक्तिनाथ मन्दिर
मुक्तिनाथ Muktinath नेपालपर अवस्थित
मुक्तिनाथ Muktinath
मुक्तिनाथ
Muktinath
नेपालक नक्सामे मुक्तिनाथक मन्दिर
निर्देशाङ्क:२८°४९′०″उ॰ ८३°५२′१५″पू॰ / २८.८१६६७°N ८३.८७०८३°E / 28.81667; 83.87083निर्देशाङ्क: २८°४९′०″उ॰ ८३°५२′१५″पू॰ / २८.८१६६७°N ८३.८७०८३°E / 28.81667; 83.87083
नाम
वास्तविक नाम:मुक्तिनाथक मन्दिर
अवस्थिति
देश:नेपाल
राज्य/अञ्चल:धवलागिरी
जिला:मुस्ताङ
स्थान:मुक्तिनाथ, जोमसोम
कला आ संस्कृति
मुख्य देवता:मुक्तिनाथ,विष्णु
वास्तुशैली:द्रबिड शैली
वेबसाइट:muktinath.org

पौराणिकता सम्पादन करी

मुक्तिनाथ १०८ दिव्‍य देशसभमे एक स्थान छी । ई 'दिव्‍य देश' वैष्‍णवसभक पवित्र मन्दिर छी ।[१] पारम्परिक रूपमे भगवान विष्‍णुक शालिग्राम शिलाक रूपमे पूजा कएल जाइत अछि । ई शिलाक निर्माण प्रागैतिहासिक कालमे पाबल जाइवाला किराक जीवाश्‍मसँ भेल छल, जे मुख्‍यत: टेथिस सागरमे पाबल जाइत छल । जतय टेथिस सागर अवस्थित छल ओ ठाम अखन हिमालय पर्वत अछि । पौराणिक मान्‍यतासभक अनुसार शालिग्राम शिलामे विष्‍णुक निवास होइत छल । एहि सम्बन्धमे अनेक पौराणिक कथासभमे सेहो प्रचलित अछि । याह कथासभमे एक कथाक अनुसार जब भगवान शिव जालन्धर नामक असुरसँ युद्धमे नै जित सकल तखन भगवान विष्‍णु हुनकर मद्दत केनए छल ।

चित्र दीर्घा सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Archive copy"मूलसँ 2015-03-22 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-06-19 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)

बाह्य लिङ्कसभ सम्पादन करी