मुख्य लेख
ई मासक प्रमुख लेख (नवम्बर, २०२४)

मैथिली विकिपिडियाक सम्मुख पन्नामे प्रदर्शित होमएवाला मुख्य लेखकें मासिक रुप सँ स्तरीय लेखसभ सँ परिवर्तन करवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे एखन धरि १४,११८ लेखसभ अछि जहिमे ५० लेखसभ मुख्य लेखक लेल चुनल जा चुकल अछि । कोनो भी लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जेवाक लेल स्तरीय होनाए अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझबैत अछि या अहाँ कोनो समस्या देख रहल छी तँ कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देबऽ कऽ लेल अनुरोध करैत छी ।

लेखके उपर दहिना दिस पियर ताराक चिन्ह ओ मुख्य लेख छी से जनबैत अछि ।

आकृति:मुख्य लेख/नवम्बर, २०२४

जनवरी, २०१६ क मुख्य लेख

कृति सेनन

कृति सेनन (जन्म: २७ जुलाई १९९०) एक भारतीय मोडल तथा अभिनेत्री छी । ओ मोडलिङसँ अपन करियरक सुरूवात केनए छल । ओ अपन अभिनयक पदार्पण सुकुमारद्वारा निर्देशित तेलुगु चलचित्र १:नेनोककाडीन सँ केनए छल । कृतिक पहिल बलिउड चलचित्र सब्बिर खान निर्देशित हिरोपन्ती छल जे कृतिक फिल्मफेयर उत्कृष्ट महिला पदार्पणकक उपाधि दिलाएने छल । सेनोनक जन्म २७ जुलाई १९९० मे नयाँ दिल्लीमे भएल छल ।
कृतिक पिता राहुल सेनन एक चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट छल आर माँ गीता सेनन दिल्ली विश्वविद्यालयक सहायक प्रोफेसर छल । कृतिक एक बहिन अछि, नुपुर । सेनन अपन प्रारम्भिक शिक्षा दिल्ली पब्लिक स्कुलसँ केल्हिन आ स्नातक तह जेपी प्राविधिक संस्थानसँ करने छल । (पूरा लेख...)

फरबरी, २०१६ क मुख्य लेख

कृति सेनन

मलाला युसुफजई (पश्तो: ملاله یوسفزۍ जन्म: १२ जुलाई १९९७)क बच्चासभक अधिकारक कार्यकर्ताक रुपमे जानल जाएत अछि । ओ पाकिस्तानक खैबर-पख्तुनख्वा प्रान्तक स्वात जिलामे स्थित मिङ्गोरा शहरक एक छात्रा छी । १३ सालक उम्रसँ ओ तहरिक-ए-तालिबान शासनक अत्याचारक बारेमे एक छद्म नामक तहत बिबिसीक लेल ब्लगिङद्वारा स्वातक लोगमे प्रतिष्ठित बनि गेल । अक्टुबर २०१२ मे, मात्र १४ वर्षक आयुमे अपन उदारवादी प्रयासक कारण ओ आतङ्कवादिक हमलाक शिकार बनि गेल, जेहिसँ ओ पूर्ण रुपसँ घायल भऽ गेल आर अन्तर्राष्ट्रिय मीडियाक चर्चामे आएब गेल । (पूरा लेख...)

मार्च, २०१६ क मुख्य लेख

सामन्था रूथ प्रभु

सामन्था रूथ प्रभु एक भारतीय अभिनेत्री तथा मोडल छी । सामन्थाके जन्म २८ अप्रैल १९८७ चेन्नई तमिलनाडुमे भेल अछि आर ओ किशोरावस्थाके दौरान मोडलिङसँ कैरियर सुरूवात केनए छल । सामन्था मुख्य रूपसे तेलुगु आर तमिल फिल्म उद्योगमे काम करने अछि । २००७ मे रवि वर्मनक मस्कोइन कवेरी क लेल साइन अप करलाके बाद ई पहिल प्रदर्शित गौतम मेननद्वारा निर्देशित २०१० के तेलुगु रोमान्स फिल्म ये माया चेसाव छल, जे समीक्षकद्वारा प्रशंसित कएल गेल आर सामन्थाक सर्वश्रेष्ठ नवोदित अभिनेत्रीक फिल्मफेयर पुरस्कार-दक्षिण सेहो दिवेलक । २०१३ मे सामन्था एक वर्षमे दुनु, सर्वश्रेष्ठ तेलुगु अभिनेत्रीके लेल फिल्मफेयर पुरस्कार आर सर्वश्रेष्ठ तमिल अभिनेत्रीके लेल फिल्मफेयर पुरस्कार जितए वाली रेवतीके बाद दोसर अभिनेत्री बनि गेल । (पूरा लेख...)

अप्रैल, २०१६ क मुख्य लेख

मदर टेरेसा

मदर टेरेसा (२६ अगस्त १९१०- ५ सितम्बर १९९७)क जन्म अग्नेसे गोङ्क्से बोजसियुक नामसँ एक अल्बेनियाली परिवारमे उस्कुब, ओटोमन साम्राज्य (आजक सोप्जे, म्यासेडोनिया)मे भेल छल । मदर टेरसा रोमन क्याथोलिक नन छल , जेकरसंग भारतीय नागरिकता छल । ओ सन् १९५० मे कोलकातामे मिसनरिज अफ च्यारिटीक स्थापना कएलक । ४५ साल तक गरीब, बीमार, अनाथ आर असहाय व्यक्तिसभक मद्दत कएलक आर साथे च्यारिटीक मिसनरिजक प्रसारक मार्ग प्रसस्त करने छल ।

सन् १९७० तक ओ गरीब आर असहायक लेल अपन मानवीय कार्यसभक लेल प्रसिद्द भेल छेलिह, माल्कोम मुगेरिजक बहुत रास वृत्तचित्र आर पुस्तक जेहन समथिङ ब्युटिफुल फर गड हुनकर उल्लेख कएल गेल अछि । वो सन् १९७९ मे नोबेल शान्ति पुरस्कार आर सन् १९८० मे भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्न प्राप्त केनए छल । मदर टेरेसाक जीवनकालमे मिसनरिज अफ च्यारिटीक कार्य लगातार विस्तृत भेल छल आर हुनकर मृत्युक समय तक ई संस्था १२३ देशमे ६१० मिसन नियन्त्रित करि रहल छल । (पूरा लेख...)

मई, २०१६ क मुख्य लेख

कैलाश सत्यार्थी

कैलाश सत्यार्थी (जन्म: ११ जनवरी १९५४) एक भारतीय बाल अधिकार कार्यकर्ता आ बाल-श्रमक विरुद्ध पक्षधर छी । ओ १९८०मे बचपन बचाओ आन्दोलनक स्थापना करलैथ जेकर बादसँ ओ विश्व भरक १४४ देशक ८३,०००सँ अधिक बच्चासभक अधिकारक रक्षाक लेल कार्य क चुकल छैथ । सत्यार्थीक कार्यक कारणसँ वर्ष १९९९मे अन्तर्राष्ट्रिय श्रम सङ्घद्वारा बाल श्रमक निकृष्टतम श्रेणीसभ पर संधि सँ॰ १८२क अंगीकृत केएल गेल, जे आब दुनियाभैरक सरकारक लेल एहि क्षेत्रमे एक प्रमुख मार्गनिर्देशक छी ।

कैलाश सत्यार्थीक कार्यक विभिन्न राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय सम्मान आर पुरुस्कार द्वारा सम्मानित कएल गेल अछि । ई पुरुस्कारमे वर्ष २०१४क नोबेल शान्ति पुरस्कार सेहो शामिल अछि जे हुनका पाकिस्तानक नारी शिक्षा कार्यकर्ता मलाला युसुफजईक साथ सम्मिलित रूपसँ प्रदान केएल गेल अछि । (पूरा लेख...)

जुन, २०१६ क मुख्य लेख

विश्व सम्पदा क्षेत्र, ताजमहल

संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय अङ्ग युनेस्कोद्वारा बहुमूल्य सम्पदाक रूपमे सूचीकृत विश्वक स्मारक आ स्थानसभके युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र कहल जाएत अछि । युनेस्को कोनो भी राष्ट्रक विशेष सांस्कृतिक महत्व राखैवाला (जेना वन, पहाड, ताल, द्वीप, मरुभूमि, स्मारक, भवन, वा शहर) धरोहरसभके अपन सूचीमे सूचीबद्ध करैत अछि । जे विश्व सम्पदा समितिद्वारा चयन करल जाएत अछि आ अहि समिति ई सम्पदा क्षेत्रके रेखदेख युनेस्कोक तत्वाधानमे करैत अछि ।

ई कार्यक्रमक उद्देश्य विश्वक एहन स्थलसभके सूचीबद्ध करनाए आ संरक्षित करनाए होएत अछि जे विश्व संस्कृतिक दृष्टिसँ मानवताक लेल महत्वपूर्ण होएत अछि । कोनो खास परिस्थितिमे एहन सम्पदासभके ई समितिद्वारा आर्थिक सहयोग सेहो प्रदान कएल जाएत अछि । सन् २०५ जुलाई ३१ धरिमे १६३ राष्ट्रक १०३१ क्षेत्रके विश्व सम्पदाक रूपमे सूचीकृत कएल गेल अछि जहिमे ८०२ सांस्कृतिक, १९७ प्राकृतिक आ ३१ मिश्रत रहल अछि। (पूरा लेख...)

जुलाई, २०१६ क मुख्य लेख

लियोनेल मेस्सी

लियोनेल एन्ड्रेस मेस्सी ( जन्म २४ जुन, १९८७) अर्जेन्टिनाक फुटबल खेलाडी छी, जे हाल ला लिगा टिम बार्सिलोनाअर्जेन्टिनाक लेल खेलैत अछि । मेस्सी अपन पुस्ताक सर्वश्रेष्ठ फुटबल खेलाडीसभ मे सँ एक मानल जाएत अछि । मेस्सी २१ वर्षक उमरमे बेलोन डी' ओरफिफा सर्वश्रेष्ठ वर्ष खेलाडीक उपाधि प्राप्त करलक । हुनकर खेल शैली आ क्षमताक कारण सँ हुनका फुटबलक बादशाह कहि चिनहै वाला म्याराडोना सँ तुलना होमए लागल, जेकरा ओ स्वयं अपन "उत्तराधिकारी" घोषित केलक ।

मेस्सीक प्रथम आगमनमे ओ बार्सिलोनाके ला लिगा जिताबैमे सफल भेल आ सन् २००६ मे पुन: ओहि लिग आ युइयफए युरोपेली च्याम्पियनसिप जिताए जल्दीए प्रमुख सम्मान प्राप्त केलक । सन् २००६-०७ हुनकर सफलताक सिजन छल: एल क्लासिकोमे एक ह्याट्रिक आ २६ लिग म्याचमे १४ गोल करैत, ओ नियमित रूप सँ खेल जितैवाला पहिल समूहमे ठाम बनेलक । सम्भवतः २००८-०९ क सिजन हुनकार सब सँ सफल सिजन छल, जहिमे मेस्सी ३८ गोल करैत लगातार तेसर विजय अभियानक अभिन्न अङ्ग बनल । (पूरा लेख...)

अगस्त, २०१६ क मुख्य लेख

बाबाधाम

वैद्यनाथ मन्दिर, देवघर (अङ्ग्रेजी:Baidyanath Temple) द्वादश ज्योतिर्लिङ्गमे एक ज्योतिर्लिङ्गक पुराणकालीन मन्दिर छी जे भारतवर्षक राज्य झारखण्डमे अतिप्रसिद्ध देवघर नामक स्‍थान पर अवस्थित अछि । पवित्र तीर्थ स्थल भेला कारण लोगसभ ई ठामके वैद्यनाथ धाम सहो कहैत अछि । जहि ठाम पर ई मन्दिर स्थित अछि ओ स्थानके "देवघर" अर्थात देवतासभक घर कहैत अछि । बैद्यनाथ ज्योतिर्लिङ्ग स्थित होमएके कारण ई स्‍थानक देवघर नाम मिलल अछि । ई ज्योतिर्लिङ्ग एक सिद्धपीठ अछि । कहल जाएत अछि कि ई ठाम पर आबै वालाक सम्पूर्ण मनोकामना पूर्ण होएत अछि । आहि कारणस ई लिङ्गक "कामना लिङ्ग" सहो कहल जाएत अछि । ई लिङ्गक स्थापना कालके इतिहास ई अछि कि एक बार राक्षसराज रावण हिमालय पर जा शिवजी के प्रसन्नताक लेल घोर तपस्या कएलक आ अपन सिर काटि-काटि शिवलिङ्ग पर चढाबैलेल शुरू करि देलक । एक-एक करि नौ सिर चढाबैक बाद दसम् सिर सेहो काट लेल छल कि शिवजी प्रसन्न भ प्रकट भ गेल । ओ हुनकर दसु सिर ज्यों-के-त्यों करि देलक आ रावण सँ वरदान माँगै लेल कहलक । (पूरा लेख...)

सितम्बर, २०१६ क मुख्य लेख

दरवार साहिब

श्री हरिमन्दिर साहिब (पञ्जाबी भाषा: ਹਰਿਮੰਦਰ ਸਾਹਿਬ; हरिमन्दर साहिब, हरमन्दिर साहिब), जेकरा दरबार साहिब या स्वर्ण मन्दिर सेहो कहल जाएत अछि सिख धर्मावलम्बिसभक पावनतम धार्मिक स्थल या सबसँ प्रमुख गुरुद्वारा छी । ई भारतक राज्य पञ्जाबक अमृतसर सहरमे स्थित अछि आर एतय के सबसँ बडका आकर्षण छी ।

पुरा अमृतसर सहर स्वर्ण मन्दिरक चारो दिस बसल अछि । स्वर्ण मन्दिरमे प्रतिदिन हजारो श्रद्धालु आर पर्यटक आबैत अछि । अमृतसरक नाम वास्तवमे ओ सरोवरक नाम पर रखाल गेल अछि जेकर निर्माण गुरु राम दास स्वयम अपन हाथ सँ केने छल । ई गुरुद्वारा एहि सरोवरक बिचोबिच स्थित अछि । एहि गुरुद्वारेक बाहरी हिस्सा सोनाक बनल अछि, एहि लेल एकरा स्वर्ण मन्दिर आ गोल्डन टेम्पलक नाम सँ सेहो जानल जाएत अछि । श्री हरिमन्दिर साहिबक दरबार साहिब क नाम सँ सेहो ख्याति हासिल अछि । ओना त ई सिखक गुरुद्वारा छी, मुदा एकर नाममे मन्दिर शब्दक जोडनाए ई स्पष्ट करैत अछि की भारतमे सब धर्मक एक समान मानल जाएत अछि । (पूरा लेख...)

अक्टुबर, २०१६ क मुख्य लेख

विजयादशमी

विजयादशमी वा बडा दशैं (अन्य नाम: दशहरा, विजया दशमी, नवरात्र, आयुध-पूजाप्रणय) नेपाल, भारत आ अन्य देशसभमे रहल हिन्दूसभक प्रमुख पावनि अछि । ई नेपालक राष्ट्रिय पावनि समेत रहल अछि । विजयादशमी (नवरात्र) हिन्दू धर्मवलम्बीसभ आश्विन शुक्ल प्रतिपदासँ नवमीधरि (नवरात्रभर) शक्तिक आराधना करि दशम दिन भोर दशमीक दिन टीका-प्रसाद ग्रहण आ विशेष रुपमे पुर्णिमा धरि (प्रसाद ग्रहणक लेल) मनाओल जाइत अछि ।

प्रतिपदासँ क्रमशः शैलपुत्री, ब्रह्मचारिणी, चन्द्रघण्टा, कुष्माण्डा, स्कन्दमाता, कात्यायिनी, कालरात्री, महागौरीसिद्धिदात्री करि अन्तिममे नवदुर्गाक पूजा करैत सप्तशती (चण्डी) पाठ करि नवदुर्गा आ त्रीशक्ति महाकाली, महालक्ष्मी आ महासरस्वतीक विशेष पूजाआजा आ आराधाना कएल जाइत अछि । (पूरा लेख...)

नवम्बर, २०१६ क मुख्य लेख

छठि

छठि पर्व नेपालभारतक उत्तर क्षेत्रमे हिन्दूसभद्वारा मनाओल जाइवला एक महत्वपूर्ण पावनि छी। ई पर्वमे षष्ठी भगवती, भगवान सूर्य देवछठि मैयाँ (पौराणिक वेदक देवी; उषा - सूर्य देवक पत्नी)क पूजा अर्चना करि पुत्र, पति आ परिवारक कल्याणक कामना कएल जाइत अछि। नेपालक विशेष रुपसँ तराई (मधेश) क्षेत्रमे श्रद्धा एवं भक्तिपूर्वक ई पर्व मनाएल जाइत अछि । ई पर्वक अवसरमे पञ्चमीक दिनसँ व्रत बैसनिहार महिला तथा पुरुष निष्ठापूर्वक पवित्र जलाशयमे स्नान करि साँझमे दूध, चामल आ सख्खरक खीर पकाए प्रसादक रूपमे अपनो खाइत अछि आ व्रत नैबैसनिहार परिवारक सदस्यसभके सेहो खुवाबैक चलन अछि।

परम्परानुसार छठिक दिन साँझ अस्ताबैत सूर्यके जलाशयमे ठार भऽ पूजासहित अर्घ दऽ देलाबाद रातभरि नदी तथा तलाउ किनारमे बसि भजनकीर्तन करैत काल्हि सप्तमीक दिन भोर उगैत सूर्यके पुनः अर्घ दऽ पूजा विसर्जन कएल जाइत अछि । ई पर्वमे मुस्लिम समुदायक लोकसभ सेहो सहभागी होइत अछि आ ई पर्व विधिवत्त रूपमे मनाबैत अछि । पवित्र मनसँ छठि पर्व मनेलासँ पारिवारिक कल्याण, सन्तानसुख तथा मनोकामना पूरा होमएक विश्वास कएल जाइत अछि । (पूरा लेख...)

दिसम्बर, २०१६ क मुख्य लेख

दड़िभङ्गाक धरोहरसभ

दड़िभङ्गा बिहार राज्यक एक शहर आ नगर निगम छी । ई दड़िभङ्गा जिला आ दड़िभङ्गा क्षेत्रक मुख्यालय छी । दड़िभङ्गा बिहारक पाँचम पैग शहर आ सभसँ तेजीसँ बढि रहल नगर छी । दड़िभङ्गा बिहारक दोसर सभसँ पैग चिकित्सा क्षेत्र छी । ऐतिहासिक रूपसँ ई शहर दड़िभङ्गा राजक दरबारस्थल छल ।

दड़िभङ्गा शब्द संस्कृत भाषाक शब्द द्वार-बङ्ग अथवा फारसी भाषाक दर-ए-बङ्ग मतलब बङ्गालक दरवाजाके मैथिली भाषामे कतेको वर्ष सँ चलवाक स्थानीयकरण प्रमाण अछि । एहनो कहल जाइत अछि कि मुगल कालमे दरभङ्गी खान शहरक स्थापना केने छल । मुदा किछु लोक अहिं बातक खण्डन करैत अछि आओर मानैत अछि की दरभङ्गी खान मुगल कालमे विकसित दड़िभङ्गा शहरके कोनो व्यपारी रहल होइत । (पूरा लेख...)