कैलाश सत्यार्थी
कैलाश सत्यार्थी (जन्म: ११ जनवरी १९५४) एक भारतीय बाल अधिकार कार्यकर्ता आ बाल-श्रमक विरुद्ध पक्षधर छी। ओ सन् १९८० मे बचपन बचाओ आन्दोलनक स्थापना केनए छल जकर बादसँ ओ विश्व भरिक १४४ देशक ८३,००० सँ अधिक बच्चासभक अधिकार रक्षाक लेल कार्य कऽ चुकल अछि। सत्यार्थीक मानवीय काजक कारणसँ सन् १९९९ मे अन्तर्राष्ट्रिय श्रम सङ्घद्वारा बाल श्रमक निकृष्टतम श्रेणीसभ पर सन्धीसँ १८२क अङ्गीकृत कएल गेल, जे आब दुनियाभरिक सरकारक लेल एहि क्षेत्रमे एक प्रमुख मार्गनिर्देशक छी।
कैलाश सत्यार्थी Kailash Satyarthi | |
---|---|
![]() कैलाश सत्यार्थी | |
जन्म | विदिशा, मध्य प्रदेश, भारत | जनवरी ११, १९५४
राष्ट्रियता | भारतीय |
शिक्षा | सम्राट अशोक प्रौद्योगिकी संस्थान, विदिशा[१] |
रोजगार | बाल अधिकार कार्यकर्ता, प्रारम्भिक बाल शिक्षा कार्यकर्ता[१] |
प्रसिद्धी कारण | सक्रियतावादक लेल |
धर्म | हिन्दू |
पुरस्कार | द अचेनर अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति पुरस्कार, जर्मनी (१९९४) रोबर्ट यफ कैनेडी मानवाधिकार पुरस्कार (१९९५) इतालवी सीनेटक पदक (२००७) अल्फोन्सो कोमिन अन्तर्राष्ट्रिय पुरस्कार (२००८) लोकतन्त्रक रक्षक पुरस्कार (२००९) नोबेल शान्ति पुरस्कार (२०१४)[२] |
वेबसाइट |
कैलाश सत्यार्थीक कार्यक लेल हुनका विभिन्न राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय सम्मान आओर पुरस्कारद्वारा सम्मानित कएल गेल अछि। सन् २०१४ मे हुनका आ पाकिस्तानक नारी शिक्षा कार्यकर्ता मलाला युसुफजईक सम्मिलित रूपसँ नोबेल शान्ति पुरस्कार प्रदान कएल गेल छल।[३]
परिचयसम्पादन
भारतक मध्य प्रदेशक विदिशामे जन्म भेल कैलाश सत्यार्थी 'बचपन बचाओ आन्दोलन' चलबैत अछि। ओ पेशासँ विद्युत इन्जिनियर छी मुदा ओ २६ वर्षक उमरसँ करियर छोड़ि बच्चासभक लेल काम करऽ लेल शुरू कऽ देनए छल। एहि समय ओ 'ग्लोबल मार्च अगेन्स्ट चाइल्ड लेबर' (बाल श्रमक विरुद्ध वैश्विक अभियान)क अध्यक्ष सेहो छी।[४]
वर्तमान समयमे सत्यार्थी नयाँ दिल्लीमे रहैत अछि। कैलाश सत्यार्थीक परिवारमे हुनकर पत्नी सुमेधा, पुत्र, पुत्रवधू तथा पुत्री अछि। सामाजिक कार्य अतिरिक्त ओ एक बढिया पाकशास्त्री सेहो छी।
पुरस्कार एवम सम्मानसम्पादन
- २०१५ :हार्वर्ड विश्वविद्यालयक प्रतिष्ठित पुरस्कार 'ह्युमेनीटेरियन पुरस्कार'सँ सम्मानित। ई पुरस्कार प्राप्त केनिहार पहिल भारतीय।[५]
- २०१४ : नोबेल शान्ति पुरस्कार
- २००९ : डिफेन्डर्स आफ डेमोक्रेसी पुरस्कार (अमेरिका)
- २००८ : अल्फांसो कोमिन अन्तर्राष्ट्रिय पुरस्कार (स्पेन)
- २००७ : इटलीक सिनेटक स्वर्ण पदक
- २००७ : अमेरिकाक स्टेट विभागद्वारा 'आधुनिक दासताक समाप्त करबाक लेल कार्यरत नायक' क सम्मान
- २००६ : फ्रीडम पुरस्कार (US)
- २००२ : वालेनबर्ग मेडल (मिशिगन विश्वविद्यालयद्वारा प्रदत्त)
- १९९८ : गोल्डेन फ्लैग पुरस्कार (नीदरलैण्ड्स)
- १९९५ : रबर्ट एफ केनेडी मानव अधिकार पुरस्कार (अमेरिका)
- १९९५ : ट्रम्पेटर पुरस्कार (अमेरिका)
- १९९३ : अशोक फेलो चुनल गेल । (अमेरिका)
सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन
- ↑ १.० १.१ TNN (२०१४-१०-१०), "'Who is Kailash Satyarthi?'", द टाइम्स अफ इन्डिया, अभिगमन तिथि २०१४-१०-१०।
- ↑ kailashsatyarthi.net (२०१४-१०-१०), "'Brief Profile - Kailash Satyarthi'", अभिगमन तिथि २०१४-१०-१०।
- ↑ जानु शान्तिक नोबेल जीतल कैलाश सत्यार्थीक
- ↑ जानु शान्तिक नोबेल जीतल कैलाश सत्यार्थीक
- ↑ http://www.jagran.com/news/world-nobel-laureate-kailash-satyarthi-gets-prestigious-harvard-prize-13043103.html
बाहरी जडीसभसम्पादन
विकिक्वोट पर कैलाश सत्यार्थी सँ सम्बन्धित उद्धरण अछि। |