भारत

(भारतवर्षसँ पुनर्निर्देशित)

भारत, दक्षिण एशियामे अवस्थित भारतीय उपमहाद्वीपक सभसँ पैग देश छी । पूर्ण रूपसँ उत्तरी गोलार्धमे स्थित भारत, भौगोलिक दृष्टिसँ विश्वमे सातम सभसँ पैग आ जनसङ्ख्याक दृष्टिकोणसँ दोसर सभसँ पैग देश छी । भारतक पश्चिममे पाकिस्तान, उत्तर-पूर्वमे चीन, नेपालभुटान, पूर्वमे बंगलादेशम्यानमार स्थित अछि । हिन्द महासागरमे एकर दक्षिण पश्चिममे माल्दिभ्स, छुबैत अछि । पूर्वमे बङ्गालक खाड़ी अछि तथा पश्चिममे अरब सागर अछि ।

गणतन्त्र भारत
भारत गणराज्य
Horizontal tricolour flag bearing, from top to bottom, deep saffron, white, and green horizontal bands. In the centre of the white band is a navy-blue wheel with 24 spokes. Three lions facing left, right, and toward viewer, atop a frieze containing a galloping horse, a 24-spoke wheel, and an elephant. Underneath is a motto: "सत्यमेव जयते".
झन्डा Emblem
राष्ट्रिय वाक्य
"सत्यमेव जयते" (संस्कृत)
   "सत्यके सदैव जीत होएत अछि"[१]
राष्ट्रगान

जन गण मन

Image of a globe centred on India, with India highlighted.
भारतके अधिकारमे रहल क्षेत्र, गाढ़ा हरियर
दावा कएल गेल मुदा अधिकारमे नै रहल क्षेत्र, हलका हरियर ।
राजधानीनयाँ दिल्ली
२८°३६.८′उ॰ ७७°१२.५′पू॰ / २८.६१३३°N ७७.२०८३°E / 28.6133; 77.2083
पैग सहर मुम्बई
सरकारी भाषा हिन्दी तथा अंग्रेजी
क्षेत्रीय भाषासभ
संघक राजभाषासभ हिन्दी तथा अंग्रेजी(सह-राजभाषा)
सरकारक प्रकार संसदीय संघीय संवैधानिक गणराज्य
 -  राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू
 -  उपराष्ट्रपति जगदीप धनखड़
 -  प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी (भाजपा)
 -  सभाक वाचक ओम बिड़ला (भाजपा)
 -  भारतक मुख्य न्यायाधीश धनञ्जय यशवंत चन्द्रचूड़[२]
व्यवस्थापिका भारतीय संसद
 -  उपरका सदन राज्य सभा
 -  निचल्का सदन लोक सभा
स्वतन्त्रता संयुक्त अधिराज्यसँ 
 -  भेटल तिथि सन् १९४७ १५ अगस्त 
 -  गणतन्त्र सन् १९५० २६ जनवरी 
क्षेत्रफल
 -  पुरा ३२,८७,२६३ किमी (सातम)
१२,६९,२१९ वर्गमाइल
 -  पानी (%) ९.५६
जनसंख्या
 -  जनगणना सन् २०११ १२१०१९३४२२ (दोसर)
 -  जनघनत्व ३२८७२६३/किमी (३१म)
१२,६९,२१९/वर्ग माइल
मुद्रा भारतीय रुपए (आइएनआर)
समय क्षेत्र भारतीय मानक समय (युटिसी+०५:३०)
सडक प्रयोग बामा
टेलिफोन कोड नं. ९१

प्राचीन सिन्धु घाटी सभ्यता, व्यापार मार्गसभ आ वृहत साम्राज्यसभक विकास-स्थान रहल भारतीय उपमहाद्वीप एकर सांस्कृतिक आ आर्थिक सफलताक लम्बा इतिहासक लेल जानल जाइत रहल अछि । चारि प्रमुख सम्प्रदायसभ: हिन्दू, बौद्ध, जैनसिख धर्मसभक एहि ठाम उदय भेल, पारसी, यहुदी, इसाई आ मुस्लिम धर्म प्रथम सहस्राब्दीमे एतय पहुचल आ एतय विविध संस्कृतिकें नव रूप देलक । क्रमिक विजयसभक परिणामस्वरूप ब्रिटिश इस्ट इन्डिया कम्पनी १८हम आ १९अम शताब्दीमे भारतक अधिकतर हिस्सासभकें अपन राज्यमे मिलाए लेलक । सन् १८५७ कऽ विफल विद्रोहक बाद भारतक प्रशासनिक भार ब्रिटिश सरकार अपन उपर लऽ लेलक । ब्रिटिश भारतक रूपमे ब्रिटिश साम्राज्यक प्रमुख अङ्ग भारत, महात्मा गान्धीक नेतृत्वमे एक लम्बा आ मुख्य रूपसँ अहिंसक स्वतन्त्रता सङ्ग्रामक बाद १५ अगस्त १९४७कें आजादी पाबलक । सन् १९५० मे लागू भेल नव संविधानमे एकरा सार्वजनिक वयस्क मताधिकारक आधार पर स्थापित संवैधानिक लोकतान्त्रिक गणतन्त्र घोषित करि देल गेल आ युनाइटेड किङ्गडमक तर्ज पर वेस्टमिनिस्टर शैलीक संसदीय सरकार स्थापित कएल गेल । एक सङ्घीय राष्ट्र, भारतकें २९ राज्य आ ७ सङ्घ शासित प्रदेशसभमे गठित कएल गेल अछि ।

नामोत्पतिसंपादित करें

इतिहाससंपादित करें

अर्थतन्त्रसंपादित करें

सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें

  1. National Informatics Centre 2005.
  2. "https://main.sci.gov.in/chief-justice-judges" (अंग्रेजीमे)। 

बाह्य जडीसभसंपादित करें


एहो सभ देखीसंपादित करें