भारत
भारत, दक्षिण एशियामे अवस्थित भारतीय उपमहाद्वीपक सभसँ पैग देश छी । पूर्ण रूपसँ उत्तरी गोलार्धमे स्थित भारत, भौगोलिक दृष्टिसँ विश्वमे सातम सभसँ पैग आ जनसङ्ख्याक दृष्टिकोणसँ दोसर सभसँ पैग देश छी । भारतक पश्चिममे पाकिस्तान, उत्तर-पूर्वमे चीन, नेपाल आ भुटान, पूर्वमे बंगलादेश आ म्यानमार स्थित अछि । हिन्द महासागरमे एकर दक्षिण पश्चिममे माल्दिभ्स, छुबैत अछि । पूर्वमे बङ्गालक खाड़ी अछि तथा पश्चिममे अरब सागर अछि ।
गणतन्त्र भारत भारत गणराज्य |
||||||
---|---|---|---|---|---|---|
|
||||||
राष्ट्रिय वाक्य: "सत्यमेव जयते" (संस्कृत) "सत्यके सदैव जीत होएत अछि"[१] |
||||||
राष्ट्रगान: जन गण मन |
||||||
भारतके अधिकारमे रहल क्षेत्र, गाढ़ा हरियर
दावा कएल गेल मुदा अधिकारमे नै रहल क्षेत्र, हलका हरियर । |
||||||
राजधानी | नयाँ दिल्ली २८°३६.८′उ॰ ७७°१२.५′पू॰ / २८.६१३३°N ७७.२०८३°E | |||||
पैग सहर | मुम्बई | |||||
सरकारी भाषा | हिन्दी तथा अंग्रेजी | |||||
क्षेत्रीय भाषासभ | ||||||
संघक राजभाषासभ | हिन्दी तथा अंग्रेजी(सह-राजभाषा) | |||||
सरकारक प्रकार | संसदीय संघीय संवैधानिक गणराज्य | |||||
- | राष्ट्रपति | द्रौपदी मुर्मू | ||||
- | उपराष्ट्रपति | जगदीप धनखड़ | ||||
- | प्रधानमन्त्री | नरेन्द्र मोदी (भाजपा) | ||||
- | सभाक वाचक | ओम बिड़ला (भाजपा) | ||||
- | भारतक मुख्य न्यायाधीश | धनञ्जय यशवंत चन्द्रचूड़[२] | ||||
व्यवस्थापिका | भारतीय संसद | |||||
- | उपरका सदन | राज्य सभा | ||||
- | निचल्का सदन | लोक सभा | ||||
स्वतन्त्रता | संयुक्त अधिराज्यसँ | |||||
- | भेटल तिथि | सन् १९४७ १५ अगस्त | ||||
- | गणतन्त्र | सन् १९५० २६ जनवरी | ||||
क्षेत्रफल | ||||||
- | पुरा | ३२,८७,२६३ किमी२ (सातम) १२,६९,२१९ वर्गमाइल |
||||
- | पानी (%) | ९.५६ | ||||
जनसंख्या | ||||||
- | जनगणना सन् २०११ | १२१०१९३४२२ (दोसर) | ||||
- | जनघनत्व | ३२८७२६३/किमी२ (३१म) १२,६९,२१९/वर्ग माइल |
||||
मुद्रा | भारतीय रुपए (आइएनआर ) |
|||||
समय क्षेत्र | भारतीय मानक समय (युटिसी+०५:३०) | |||||
सडक प्रयोग | बामा | |||||
टेलिफोन कोड नं. | ९१ |
प्राचीन सिन्धु घाटी सभ्यता, व्यापार मार्गसभ आ वृहत साम्राज्यसभक विकास-स्थान रहल भारतीय उपमहाद्वीप एकर सांस्कृतिक आ आर्थिक सफलताक लम्बा इतिहासक लेल जानल जाइत रहल अछि । चारि प्रमुख सम्प्रदायसभ: हिन्दू, बौद्ध, जैन आ सिख धर्मसभक एहि ठाम उदय भेल, पारसी, यहुदी, इसाई आ मुस्लिम धर्म प्रथम सहस्राब्दीमे एतय पहुचल आ एतय विविध संस्कृतिकें नव रूप देलक । क्रमिक विजयसभक परिणामस्वरूप ब्रिटिश इस्ट इन्डिया कम्पनी १८हम आ १९अम शताब्दीमे भारतक अधिकतर हिस्सासभकें अपन राज्यमे मिलाए लेलक । सन् १८५७ कऽ विफल विद्रोहक बाद भारतक प्रशासनिक भार ब्रिटिश सरकार अपन उपर लऽ लेलक । ब्रिटिश भारतक रूपमे ब्रिटिश साम्राज्यक प्रमुख अङ्ग भारत, महात्मा गान्धीक नेतृत्वमे एक लम्बा आ मुख्य रूपसँ अहिंसक स्वतन्त्रता सङ्ग्रामक बाद १५ अगस्त १९४७कें आजादी पाबलक । सन् १९५० मे लागू भेल नव संविधानमे एकरा सार्वजनिक वयस्क मताधिकारक आधार पर स्थापित संवैधानिक लोकतान्त्रिक गणतन्त्र घोषित करि देल गेल आ युनाइटेड किङ्गडमक तर्ज पर वेस्टमिनिस्टर शैलीक संसदीय सरकार स्थापित कएल गेल । एक सङ्घीय राष्ट्र, भारतकें २९ राज्य आ ७ सङ्घ शासित प्रदेशसभमे गठित कएल गेल अछि ।
नामोत्पतिसंपादित करें
इतिहाससंपादित करें
अर्थतन्त्रसंपादित करें
सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें
- ↑ National Informatics Centre 2005.
- ↑ "https://main.sci.gov.in/chief-justice-judges" (अंग्रेजीमे)।
बाह्य जडीसभसंपादित करें
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास भारतसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |