यूनेस्को (UNESCO)

संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक आ सांस्कृतिक सङ्गठन
(युनेस्कोसँ पुनर्निर्देशित)

संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक आ सांस्कृतिक सङ्गठन (अंग्रेजी: United Nations Educational, Scientific and Cultural Organization (UNESCO)) संयुक्त राष्ट्रक विशेष संस्था छी।[] एकर स्थापना १६ नवम्बर १९४५ मे भेल छल। एकर निश्चित उद्देश्य अछि शान्ति आ सुरक्षाक लेल योगदान, जे कि शिक्षा, विज्ञान एवं संस्कृतिक अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग द्वारा होइत अछि। एकर मुख्यालय पेरिस, फ्रान्समे स्थित अछि। एखन धरि युनेस्कोमे कूल १९५ सदस्य राष्ट्र आ [] ९ टा सहयोगी राष्ट्र रहल अछि।[][]

यूनाईटेड नेशन्स एडुकेशनल, साइन्टिफिक एण्ड कल्चरल अर्गेनाइजेशन - यूनेस्को (UNESCO)
यूनेस्को क ध्वज
छोट नामUNESCO
स्थापना१६ नवम्बर १९४५; ७८ वर्ष आगा (१९४५-११-16)
प्रकारसंयुक्त राष्ट्रक विशेष संस्था
मुख्यालय फ्रान्स, पेरिस
प्रधान
आन्द्रे अजौले
(महानिदेशक)
Parent organization
संयुक्त राष्ट्र आर्थिक एवं सामाजिक परिषद
वेबसाइटunesco.org

एकर १९४ टा सदस्य राज्य आ १२ टा सहयोगी सदस्य छैक, आ संगहि गैर-सरकारी, अंतरसरकारी आ निजी क्षेत्रमे सेहो भागीदार छैक। फ्रान्स केर पेरिसमे मुख्यालय रखै वाला यूनेस्को केर ५३ टा क्षेत्रीय कार्यालय आर १९९ टा राष्ट्रिय आयोग छैक जे एकर वैश्विक जनादेश कें सुविधाजनक बनाबैत अछि।

यूनेस्को मुख्य रूपसँ शिक्षा, प्राकृतिक विज्ञान, सामाजिक आ मानव विज्ञान, संस्कृति आ सूचना, संचारक माध्यम सँ अपन गतिविधिकें संचालन करैत अछि। इ साक्षरता दर बढ़ाबक लेल कार्यक्रमक प्रायोजक छैक आ विश्व धरोहर भवन आ पार्कक संरक्षणमे सेहो सहयोग करैत अछि। भारत देश केर बहुत रास ऐतिहासिक भवन आ पार्कसभ यूनेस्को केर धरोहर सूचीमे शामिल अछि। जकर नम्बर ४० अछि। ४० अम धरोहर स्थल ढोलवीरा छी। यूनेस्को केर दुनिया भरिमे ३३२ टा अन्तराष्ट्रिय स्वैच्छिक संगठनसभ सँ सम्बन्ध छैक। यूनेस्को कें वर्तमान महानिर्देशक आन्द्रे अजौले छी। भारत सन् १९४६ सँ यूनेस्कोक सदस्य देश छी।

एहो सभ देखी

सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. "UNESCO"UNESCO। अन्तिम पहुँच 2015-09-25
  2. UNESCO's General Conference voted on 31 October 2011 "to admit Palestine as a member State". However, it notes that, for "its membership to take effect, Palestine must sign and ratify UNESCO's Constitution". "UNESCO » Media Services » General Conference admits Palestine as UNESCO Member State"। UNESCO।
  3. "Member States | United Nations Educational, Scientific and Cultural Organization"। UNESCO।
  4. "Representations"mfa.fo। 23 August 2011। मूलसँ 23 August 2011 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 26 October 2023

बाह्य जडीसभ

सम्पादन करी