सिराहा जिला
सिराहा जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे पूर्वीभागक दक्षिणी सिमानामे रहल जिला छी । ई जिलाक पूर्वमे सप्तरी जिला (बलान नदी), पश्चिममे धनुषा जिला (कमला नदी), उत्तरमे उदयपुर जिला (चुरे पहाड) तथा दक्षिणमे भारतक बिहार प्रदेश अवस्थित अछि । सिराहा जिला सगरमाथा अञ्चलक सब सँ कम क्षेत्रफल आ बेसी जनघनत्व भेल जिला छी । एतय प्राकृतिक रूपमे उत्तरी भेगमे उच्च, निर्मल जमीन बेसी अछि तहिने दक्षिणी भेगमे होंच आ समथर जमीन बेसी अछि । ई जिलाके १० गाउँपालिका, आ ६ नगरपालिका आ प्रतिनिधि सभाक लेल ४ निर्वाचन क्षेत्रमे विभाजन कएल गेल अछि ।
सिराहा जिला Siraha District | |
---|---|
![]() | |
देश | ![]() |
प्रदेश | पूर्वाञ्चल |
अञ्चल | सगरमाथा |
भौगोलिक अवस्थिति | तराई |
गाउँपालिका सङ्ख्या | १० |
नगरपालिका सङ्ख्या | ६ |
सदरमुकाम | सिराहा नगरपालिका |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ११८८ किमी२ (४५९ वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• कुल | ६,३७,३२८ |
• घनत्व | 540/किमी2 (1400/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०३३ |
मुख्य भाषासभ | मैथिली, नेपाली |
वेबसाइट | http://ddcsiraha.gov.np |
इतिहास संपादित करें
ई लेख एखन अपूर्ण अछि। अहाँ एकरा पैग बना विकिपिडियाक सहायता कऽ सकैत छी। |
भौगालिक अवस्था संपादित करें
- जिलाक क्षेत्रफल: १,२२८ वर्ग किलोमिटर
- अक्षांश: २६ डिग्री ३३" सँ २६ डिग्री ५५" उत्तर
- देशान्तरः ८६ डिग्री ६" सँ ८६ डिग्री २६" पूर्व
- उचाई: समुन्द्री सतह सँ ७६ मिटर सँ ८८५ मिटरधरि।
- औषत लम्बाई: ४२.४ किलोमिटर
- जिला सदरमुकाम: सिराहा नगरपालिका
जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सिराहा जिला कऽ नक्सा संपादित करें
निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सिराहा जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [१]
सन्दर्भ सामग्रीसभ संपादित करें
- ↑ निर्वाचन आयोग नेपाल, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.