सर्लाही जिला नेपालक मधेश प्रदेशमे अवस्थित अत्यधिक जनघनत्व भएल जिला छी । ई जिलाक पूर्वमे बाँके तथा हर्दी नदी पश्चिममे बागमती नदी सिमाना नदीक रूपमे बहल अछि ।

सर्लाही
सर्लाही जिलाक अवस्थिति
सर्लाही जिला
देश नेपाल
प्रदेश{{{region}}}
भौगोलिक अवस्थितितराई
नगरपालिका सङ्ख्या९ (मलंगवा, बलरा, गोडैता, बरहथवा, लालवंदी, इश्वरपुर, हरिवन, बागमती, हरिपुर)
सदरमुकाममलङ्वा
क्षेत्रफल
 • कुल१२५९ किमी (४८६ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०११[१])
 • कुल७,६९,७२९ [१]
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
क्षेत्रीय सङ्केत०४६
मुख्य भाषासभमैथिली, नेपाली, भोजपुरी
वेबसाइटddcsarlahi.gov.np

जिलाक नामाकरण संपादित करें

ई जिलाक नामाकरणक सत्यतथ्य प्रमाण नैरहला बादो प्राचीन इतिहासके खोजी करैत ई जिलाक हेमपुर गाँउ विकास समितिमे सरला देवी मन्दिरक नामसँ जिलाक नाम रहल अनुमान कएल गएल अछि । रातिक समयमे यदि कोनो लोग दीप राखि ओ देवीक मन्दिरमे गेलापर ओ व्यक्तिक मृत्यु होमत कहावत जनविश्वासमे रहला कारण आईओ कोई व्यक्ति दीप लऽ राति ओतय नै जाएत अछि। याह देवीक नामसँ पहिने ई ईलाकाक नाम आ पाछा ई जिलाक नाम भऽ सकैत स्थानीय बासिन्दासभक धारणा रहल अछि । सर्लाही देवीक मन्दिर अगलबगल अखैनो बस्ती नै बैसल अछि।

भौगोलिक अवस्था संपादित करें

  • अक्षांस: २६.४५" उत्तर देखि २७.१०" उत्तर अक्षांश
  • देशान्तर: ८५.२०" पूर्व देखि ८५.५०" पूर्व देशान्तर
  • सिमाना: पूर्व-महोत्तरी, पश्चिम-रौतहट, उत्तर-सिन्धुली तथा दक्षिण-भारतक बिहार राज्यक सितामढी जिला
  • क्षेत्रफल: १,२५९ वर्ग किलेामिटर
  • औसत लम्बाई: ३२ किलेामिटर (उत्तर-दक्षिण)
  • औसत चौडाई: ४० किलेामिट र(पूर्व-पश्चिम)
  • सबभन्दा होचोस्थान: समुद्री सतहसँ ६० मिटर
  • सबभन्दा अग्लोस्थान:समुद्री सतहसँ ६५९ मिटर

भैागेालिक हिसाबसँ ई जिलाके उत्तरदिस रहल चुरे पर्वत बीचमे रहल भावर दक्षिणमे रहल तराइक समथर मैदान ओकटि एकरा ३ भागमे बाँटने अछि ।

जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सर्लाही जिला कऽ नक्सा संपादित करें

निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सर्लाही जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]


सन्दर्भ सामग्रीसभ संपादित करें

  1. १.० १.१ Household and population by districts, Central Bureau of Statistics (CBS) Nepal
  2. निर्वाचन आयोग नेपाल, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.

बाह्य जडीसभ संपादित करें

एहो सभ देखी संपादित करें