तराई (अङ्ग्रेजी: Terai) नेपालक दक्षिण आ भारतक उत्तरदक्षिणी दिशामे रहल समथल क्षेत्र छी जे हिमालयक दक्षिण, शिवालिक पहाडभारतीय-गङ्गा क्षेत्रक समथल भूभागमे अवस्थित अछि । ई क्षेत्र पश्चिममे यमुना नदीसँ पूर्वमे ब्रह्मपुत्र नदीधरि फैलल अछि । ई क्षेत्रक भूमि भिजल अछि तथा ई क्षेत्रमे घासक मैदान आ वन अछि । तराई क्षेत्रक भूमिके भितर माटि आ बालूक एक के बाद एक परत अछि । एतय जल-स्तर बहुत उपर अछि । ई क्षेत्रमे रहल नदीसभमे मनसुनक समय प्राय: बाढ़ि आबि जाइत अछि । तराई क्षेत्रक नीचा (दक्षिणमे) गङ्गा-यमुना-ब्रह्मपुत्रक मैदानी क्षेत्र स्थित अछि । उत्तरी भारतमे यमुना नदीक पूर्वी भागमे अवस्थित हिमाचल प्रदेश, हरियाणा, उत्तराखण्ड, उत्तर प्रदेशबिहारधरि तराई क्षेत्र फैलल अछि ।[१]नेपालक सम्पूर्ण भूभागमे सँ २३.१% भाग लगभग ३३,९९८.८ किमी (१३,१२७.० वर्ग माइल) तराई क्षेत्र ओकटने अछि । तराई क्षेत्र समुदी सतहसँ ६७ आ ३०० मी (२२० आ ९८४ फिट) उचाई पर अवस्थित अछि । ई क्षेत्रमे लगभग ५० सिमसार क्षेत्र अछि । तराई क्षेत्रक उत्तरी भाग भाभर क्षेत्र कहलावैत अछि, ई सकेत होइत अछि मुदा ई क्षेत्रमे रहल वनजङ्गल लगभग ८–१२ किमी (५.०–७.५ माइल) चौडा अछि ।[२]

बिराटनगर, नेपालक तराई क्षेत्रक दृश्य

उत्पति संपादित करें

तराईक अर्थ समतल भूमि होइत अछि ।[३] संस्कृतमे सेहो एकरा तराई आ नेपालीमे सेहो तराई कहल जाइत अछि । हिमालयसँ नीचा अवस्थित क्षेत्र मुख्य रुपसँ तराई छी ।[४] [५]

सन्दर्भ सामग्रीसभ संपादित करें

  1. Johnsingh, A.J.T., Ramesh, K., Qureshi, Q., David, A., Goyal, S.P., Rawat, G.S., Rajapandian, K., Prasad, S. (2004). Conservation status of tiger and associated species in the Terai Arc Landscape, India. RR-04/001, Wildlife Institute of India, Dehradun
  2. Bhuju, U.R., Shakya, P.R., Basnet, T.B., Shrestha, S. (2007). Nepal Biodiversity Resource Book. Protected Areas, Ramsar Sites, and World Heritage Sites. Kathmandu: International Centre for Integrated Mountain Development; Government of Nepal, Ministry of Environment, Science and Technology; United Nations Environment Programme, Regional Office for Asia and the Pacific. https://web.archive.org/web/20110726170342/http://books.icimod.org/demo/uploads/ftp/Nepal%20Biodiversity%20Resource%20Book.pdf. 
  3. Bahri, H. (१९८९), "Learners' Sanskrit-English dictionary — Siksarthi Nepal-Angrejhi sabdakosa.", Rajapala, Delhi। 
  4. Turner, R.L. (१९३१), "A Comparative and Etymological Dictionary of the Nepali Language", K. Paul, Trench, Trubner, London। 
  5. Platts, J. T. (1884). "ترائي तराई tarāʼī". A dictionary of Urdu, classical Hindi, and English. W. H. Allen & Co., London. http://dsalsrv02.uchicago.edu/cgi-bin/philologic/getobject.pl?c.2:1:3349.platts. 

बाह्य जडीसभ संपादित करें

एहो सभ देखी संपादित करें