निर्वाचन आयोग (नेपाल)
निर्वाचन आयोग नेपालम बालिग मताधिकारक आधारम संसद, गाउँ, नगर तथा जिलाक स्थानीय निकायसभक स्वतन्त्र निर्वाचन सम्पन्न कराव उद्देश्यसँ स्थापना भेल संबैधानिक अंग छी।
230px | |
स्थापना | 1951 |
---|---|
प्रमुख निर्वाचन आयुक्त,नेपाल | नील कण्ठ उप्रेती |
वेबसाइट | http://www.election.gov.np |
पृष्ठभुमिसम्पादन
नेपाल सरकार वैधानिक कानून, २००४ र्सवप्रथम गाउँ पञ्चायत, आर जिला पञ्चायतसभम निर्वाचित जनप्रतिनिधिसभ रहेके व्यवस्था केनेए छल। अन्तरिम शासन विधान,२००७ निर्वाचन आयोगक व्यवस्था भेल आर आयोगक पहिलो प्रमुख निर्वाचन आयुक्त पदमा श्री सुवर्ण सम्शेर ज.ब.रा नियुक्त भेल। नेपाल अधिराज्यक संविधान, २०१५ अर्न्तर्गत नेपालम प्रतिनिधि सभाक लेल फाल्गुण ७, २०१५ म पहिल संसदीय आम निर्वाचन सम्पन्न भेल। नेपालक संविधान, २०१९ अर्न्तर्गत गाउँ तथा नगर तहक प्रतिनिधिक लेल प्रत्यक्ष निर्वाचन सम्पन्न भेल। ईसभ निकायक प्रतिनिधिसभ मध्येसं उपर तह जिला, अञ्चल आर राष्ट्रिय पञ्चायत (राष्ट्रिय विधायिका)क निर्वाचन सम्पन्न भेल छल।
नेपाल अधिराज्यक संविधान,२०४७ एकर प्रस्तावनाम आधारभूत मानव अधिकार सुरक्षितक बालिग मताधिकार, संसदीय शासन प्रणाली, संवैधानिक राजतन्त्र आर बहुदलीय प्रजातन्त्रक सुदृढीकरण उल्लेख कएल गेल अछि । वाहि संविधानक भाग १५ म धारा १०३ सँ १०८ धरि निर्वाचन आयोगक गठन प्रक्रिया, काम, कर्तव्य आर अधिकार, निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण आयोग,निर्वाचन विशेष अदालतक व्यवस्था उल्लेख कएल गेल अछि।
उद्देश्यसम्पादन
नेपाल अधिराज्यक संविधान, २०४७ क प्रस्तावनाम उल्लेख भेल अनुसार बालिग मताधिकारक आधारम संसद तथा गाउँ, नगर र जिलाक स्थानीय निकायसभक निर्वाचन स्वच्छ आर स्वतन्त्र रूपमा सम्पन्न कार्य ।
कार्यक्षेत्र र जिम्मेवारीसम्पादन
- संसद तथा गाउँ, नगर आर जिलाक स्थानीय निकायसभक निर्वाचन सञ्चालन, रेखदेख, निदर्शेन आर नियन्त्रण कार्य, सोहि प्रयोजनक लेल मतदाता नामावली तयार करवाक कार्य,
- मतदाता परिचयपत्र तयारी आ व्यवस्था कार्य,
- मतदान केन्द्रक निर्माण तथा पुनरावलोकन कार्य,
- राजनैतिक दल दर्ता कार्य,
- मतदाता सचेतना कार्यक्रम सञ्चालन कार्य,
- निर्वाचनसँ सम्बन्धित विषयम तालीम तथा अभिमुखीकरण कार्यक्रम सञ्चालन कार्य,
- स्वतन्त्र आर स्वच्छ रूपमा निवार्चन सम्पन्न कार्य निर्वाचन प्रकृयासभम सुधार कार्य,
- अन्य मुलुकसभसँग निर्वाचन सम्बन्धी अनुभवसभ आदान प्रदान कार्य,
- निवार्चन सम्बन्धी ऐन्सभ मस्यौदा तयार कार्य आर नियमसभ बनेवाक कार्य,
- निर्वाचन सम्बन्धी निर्देशिकासभ तयार कऽ लागूके कार्य।
सम्बन्धित निकायसभसम्पादन
- नेपालका सम्पूर्ण ७५ जिला रहल जिला निर्वाचन कार्यालयसभ।
सम्पर्क ठेगानासम्पादन
निर्वाचन आयोग
कान्तिपथ, काठमाडौंं, नेपाल
फोन: (९७७ १) ४२२८६६३
फ्याक्स: (९७७ १) ४२२९२२७
ईमेल: info@election.gov.np