विजयलक्ष्मी पण्डित

विजय लक्ष्मी पण्डित (१८ अगस्त १९००- १ दिसम्बर १९९०) एक भारतीय कुटनीतिज्ञ तथा राजनीतिज्ञ छल। ओ भारतक पहिल प्रधानमन्त्री पण्डित जवाहरलाल नेहरूकें बहीन, इन्दिरा गान्धीकें फुपू आ राजीव गान्धीकें ददीया फुपू छल। भारतक स्वतन्त्रता आन्दोलनमे विजय लक्ष्मी पण्डित अपन अमूल्य योगदान देनए छल।

विजयलक्ष्मी पण्डित
Vijaya Lakshmi Pandit
Vijaya Lakshmi Pandit.jpg
संयुक्त राष्ट्र महासभा अध्यक्ष
कार्यकाल
१५ सितम्बर १९५३ – २१ सितम्बर १९५४[१]
पूर्वाधिकारीलेस्टर बि पियर्सन
उतराधिकारीएल्को एन भान क्लेफेन्स
सभासद
कार्यकाल
१९६७-१९७१
पूर्वाधिकारीजवाहरलाल नेहरू
उतराधिकारीभिपी सिंह
निर्वाचन क्षेत्रफूलपुर
व्यक्तिगत विवरण
जन्म(१९००-०८-१८)अगस्त १८, १९००
इलाहाबाद
मृत्युदिसम्बर १, १९९०(१९९०-१२-०१) (९० वर्ष)
राजनीतिक दलभारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस
जीवन साथी(सभ)रणजीत सिताराम पण्डित
बालबच्चा(सभ)नयनतारा सहगल

जीवनीसंपादित करें

हिनकर जन्म १८ अगस्त १९०० कें गान्धी-नेहरू परिवारमे भेल छल। हिनकर शिक्षा-दीक्षा मुख्य रूप सँ घरेमे भेल छल। सन् १९२१ मे ई काठियावाड़क सुप्रसिद्ध वकील रणजीत सीताराम पण्डित सँ विवाह केनए छल।[२] महात्मा गान्धी सँ प्रभावित भऽ ई स्वतन्त्रताक लेल आन्दोलनसभमे भाग लेनाए आरम्भ करि देनए छल।[३] ओ सभ आन्दोलनमे आगामे रहि नेतृत्व करैत, कयन बेर जेल सेहो गेलखिन आ रिहा होएत पुन: आन्दोलनमे जुटि जाएत छलखिन। हिनकर पतिकें भारतक स्वतन्त्रताक लेल कएल जाए रहल आन्दोलनसभकें समर्थन करवाक आरोपमे गिरफ्तार करि लखनऊ जेलमे राखल गेल जतय हिनकर निधन भऽ गेल। ओ भारतकें पूर्व प्रधानमन्त्री जवाहर लाल नेहरूक बहीन छल जकर पुत्री इन्दिरा गान्धी लगभग १३ वर्ष धरि भारतक प्रधानमन्त्री रहल छल।[४][३]

राजनैतिक जीवनसंपादित करें

ओ क्याबिनेट मन्त्री बननिहार पहिल भारतीय महिला छल। सन् १९३७ मे ओ संयुक्त प्रान्तक प्रान्तीय विधानसभाक लेल निर्वाचित भेलखिन आ स्थानीय स्वशासन आ सार्वजनिक स्वास्थ्य मन्त्रीक पद पर नियुक्त कएल गेलखिन। सन् १९५३ मे संयुक्त राष्ट्र महासभाक अध्यक्ष बननिहार ओ विश्वक पहिल महिला छल।[५][६] ओ राज्यपाल आ राजदूत जका कयन महत्त्वपूर्ण पदसभ पर काज केनए छल।

ओ इन्दिरा गान्धीद्वारा लागू कएल गेल आपतकालक विरोध केनए छल आ जनता दलमे शामिल भऽ गेल छल।[७]

निधनसंपादित करें

१ दिसम्बर १९९० कें देहरादूनक उत्तरी प्रान्तमे हिनकर निधन भऽ गेल। हिनकर निधनक समय उपन्यासकार नयनतारा सहित ३ पुत्री अछि।[३]

हिनकर ३ पुत्रीमे सँ चन्द्रलेखा, अशोक मेहता सँ विवाह केनए अछि जहिमे हुनका ३ बच्चा भेल अछि। हिनकर दोसर पुत्री नयनतारा सहगल, जे बादमे अपन माताकें घर देहरादुनमे जाए बसि गेल एक नामचीन भारतीय लेखिका छी। नयनतारा, गौतम सहगल सँ विवाह केनए अछि आ ई दुनूकें एक टा बेटी अछि। गौतम सहगलक मृत्यु भेलाक बाद नयनतारा, मङ्गत राय सँ विवाह केनए अछि। हिनकर तेसर पुत्री रिताक विवाह अवतार कृष्ण धार सँ भेल अछि जहि सँ हुनका २ पुत्र अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें

  1. "Archived copy", मूलसँ ११ अक्टुबर २०१२-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१२-०३-२२  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  2. भया कबीर उदास. राजकमल प्रकाशन. प॰ 416. आइएसबिएन 9788126713691. 
  3. ३.० ३.१ ३.२ संजय हजारिका (२ दिसम्बर १९९०), "Vijay Lakshmi Pandit, Politician and Nehru's Sister, Is Dead at 90" [विजय लक्ष्मी पंडित, राजनीतिज्ञा एवं नेहरू की बहन का ९० की आयु में निधन] (अंग्रेज़ीमे), न्यूयॉर्क टाइम्स, अन्तिम पहुँच १४ अक्टूबर २०१३ 
  4. रेहान फ़ज़ल (२७ मई २०१३), "जब नेहरू ने बहन का बिल किस्तों में चुकाया!", बीबीसी हिन्दी, अन्तिम पहुँच १४ अक्टूबर २०१३ 
  5. "1953:Pandit Elected Head of UN" [१९५३: पण्डित यूएन की अध्यक्ष चुनी गईं] (अंग्रेज़ीमे), न्यूयॉर्क टाइम्स, १६ सितम्बर २००३, अन्तिम पहुँच १४ अक्टूबर २०१३ 
  6. "1950 - 1959" (अंग्रेज़ीमे), बीबीसी, अन्तिम पहुँच १४ अक्टूबर २०१३ 
  7. दीपा गणेश (२३ मई २०११), "In the face of truth" [सत्य के चेहरे में] (अंग्रेज़ीमे), द हिन्दू, अन्तिम पहुँच १४ अक्टूबर २०१३ 

बाह्य जडीसभसंपादित करें