राजीव गान्धी (२० अगस्त १९४४ – २१ मई १९९१) इन्दिरा गान्धीक पुत्र आ' जवाहरलाल नेहरूक दौहित्र (नाती) आ' भारतक सातम प्रधानमन्त्री छलाह ।

राजीव गान्धी
Rajiv Gandhi
Rajiv Gandhi at 7 Race course road 1988 (cropped).jpg
भारतक छठम प्रधानमन्त्री
कार्यकाल
३१ अक्टुबर १९८४ – २ दिसम्बर १९८९
पूर्वाधिकारीइन्दिरा गान्धी
उतराधिकारीविश्वनाथ प्रताप सिंह
व्यक्तिगत विवरण
जन्म२० अगस्त १९४४
मुम्बई, महाराष्ट्र
मृत्यु२१ मई १९९१
राजनीतिक दलभारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस
जीवन साथी(सभ)सोनिया गान्धी

सन् १९८४मे इन्दिरा गान्धीक हत्याक बाद हुनकर पुत्र राजीव गान्धी भारी बहुमतक सँ भारतक प्रधानमन्त्री बनल छलाह । तकर बाद सन् १९८९ केरि आमचुनाव मे काङ्ग्रेसक पराजय भेल आ' पार्टी दुई साल धरि विपक्ष मे रहल छल । सन् १९९१ केरि आम चुनावप्रचार करैत काल तमिलनाडुक श्रीपेरम्बदुरमे एक भयङ्कर बम विस्फोट मे राजीव गान्धीक एकटा आत्मघाती स्त्री द्वारा बम-विस्फोट क' हत्या गेल ।[१]

राजीवक विवाह एन्टोनिया माईनो सँ भेल जे ओ समय इटलीक नागरिक छलीह । विवाहोपरान्त हुनकर पत्नी अपन नाम बदलि सोनिया गान्धी क' लेलक । कहल जाइत अछि जे राजीव गान्धी सँ हुनकर परिचय तखन भेल जखन राजीव केम्ब्रिज मे पढ़' लेल गेल छलाह ।[२] हुनकर विवाह सन् १९६८ मे भेल जकरा बाद ओ भारत मे रहऽ लगलाह । राजीव ओ सोनियाक दुई गोट संतान अछि, पुत्र राहुलक जन्म सन् १९७० आ' पुत्री प्रियङ्काक जन्म सन् १९७१मे भेल छल ।

जीवनीसंपादित करें

सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें

  1. Kirusna Anant. India Since Independence: Making Sense of Indian Politics. Pearson Education India. प॰ 257. आइएसबिएन 9788131725672. 
  2. "Rahul first in three generations with a world university degree", Tribune India, अन्तिम पहुँच १८ मई २०१५ 

बाह्य संयोजन सभसंपादित करें