लखनऊ
लखनऊ (i/ˈlʌknaʊ/ Lakhna'ū) भारतक उत्तर प्रदेशक राजधानी छी। ई शहर, लखनऊ जिला तथा लखनऊ प्रमण्डलक प्रशासनिक मुख्यालय सेहो छी। लखनऊ शहर अपन खास नजाकत तहजीबवला बहुसांस्कृतिक खूबीक लेल प्रसिद्ध अछि। सन् २००६ मे ई शहरक जनसङ्ख्या २,५४१,१०१ तथा साक्षरता दर ६८.६३% छल।[७] कानपुर शहरक बाद ई शहर उत्तर-प्रदेशक सबसँ पैग शहर छी। शहरक बीचसँ गोमती नदी बहैत अछि, जे लखनऊक सांस्कृतिक हिस्सा छी
लखनऊ Lucknow · لکھنؤ | |
---|---|
![]() | |
नाम: नवाबसभक शहर, भारतक स्वर्ण शहर, शिराज-ए-हिन्द | |
उत्तर प्रदेशमे लखनऊ | |
निर्देशाङ्क: २६°४८′N ८०°५४′E / २६.८°N ८०.९°Eनिर्देशाङ्क: २६°४८′N ८०°५४′E / २६.८°N ८०.९°E | |
देश | ![]() |
राज्य | उत्तर प्रदेश |
जिला | लखनऊ |
सरकार | |
• प्रकार | मेयर परिषद |
• अङ्ग | लखनऊ नगर निगम |
• मेयर | दिनेश शर्मा[१] |
• नगर कमिसनर | आरके सिंह |
• सांसद | राजनाथ सिंह (भाजपा) |
क्षेत्रफल[२] | |
• महानगरीय | २५२८ किमी२ (९७६ वर्गमाइल) |
उँचाई | १२३ मिटर (४०४ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११)[३][४] | |
• महानगर | २८,१७,१०५ |
• क्रम | ११अम |
• मेट्रो[५] | २९,०२,९२० |
मूलवासी नाम | लखनवी |
समय क्षेत्र | भारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०) |
डाक कोड | २२६०xx / २२७०xx |
टेलिफोन कोड | +९१-५२२ |
गाडी दर्ता | UP ३२ |
जिडिपी | $२२ बिलियन[६] |
लिङ्ग अनुपात | ९१५ ♀/♂ |
वेबसाइट | lucknow.nic.in |
लखनऊ ओ क्षेत्रमे स्थित अछि जे ऐतिहासिक रूपसँ अवध क्षेत्रक नामसँ जानल जाइत अछि । लखनऊ एतिहासिक रुपसँ एक बहुसांस्कृतिक शहर रहल अछि । एतय शिया नवाबद्वारा शिष्टाचार, सुन्दर उद्यान, कविता, सङ्गीत तथा बढिया व्यञ्जनके सबदिने संरक्षण देनए छल । लखनऊके नवाबक शहर कऽ रूपमे सेहो जानल जाइत अछि।[८] एकरा पूर्वक स्वर्ण शहर (गोल्डेन सिटी) तथा शिराज-ए-हिन्द क रूपमे जानल जाइत अछि। आजुक लखनऊ एक जीवन्त शहर छी जे एखन एक आर्थिक विकासक बाटदिस अछि आ ई भारतक तेज गतिशील गैर-महानगरक शीर्ष पन्द्रह शहरसभमेसँ एक छी।[९] ई हिन्दी आ उर्दू साहित्यक केन्द्रमे सँ एक छी ।
इतिहाससम्पादन
लखनऊ प्राचीन कोसल राज्यक हिस्सा छल। ई भगवान रामक विरासत छल जकरा ओ हुनकर भाई लक्ष्मणकेँ समर्पित करि देनए छल।[१०] अत: एकरा लक्ष्मणावती, लक्ष्मणपुर या लखनपुरक नामसँ सेहो जानल गेल, जे बादमे परिवर्तन भऽ लखनऊ भेल। ई शहरसँ अयोध्या मात्र ८० माइलक दूरीमे स्थित अछि।[१०] एक अन्य कथा अनुसार ई शहरक नाम, 'लखन अहीर' जे 'लखन किला'क मुख्य कलाकार छल, कऽ नाममे राखल गेल छल। लखनऊक वर्तमान स्वरूपक स्थापना नवाब आसफुद्दौलाद्वारा सन् १७७५ मे कएल गेल छल। अवधक शासकसभ लखनऊके अपन राजधानी बनाए एकरा समृद्ध बनेने छल। मुदा ओकरबादक नवाब विलासी आ निकम्मा सिद्ध भेल। ई नवाबसभक काहिल स्वभावक परिणामस्वरूप लर्ड डलहौजीक फौजसभ बिना युद्ध अवधक अधिग्रहण करि ब्रिटिश साम्राज्यमे मिलेनाए छल। सन् १८५० मे अवधक अन्तिम नवाब वाजिद अली शाह ब्रिटिश अधीनता स्वीकार केनए छल। लखनऊक नवाबसभक शासन एहि प्रकार समाप्त भेल।[१०]
सन् १९०२ मे नर्थ वेस्ट प्रोभिन्सक नाम बदलि युनाइटेड प्रोभिन्स अफ आगरा एन्ड अवध कएल गेल। साधारण बोलचालक भाषामे एकरा युनाइटेड प्रोभिन्स या युपी कहल जाइत अछि। सन् १९२० मे प्रदेशक राजधानीके इलाहाबादसँ बदलि लखनऊ बनाएल गेल। प्रदेशक उच्च न्यायालय इलाहाबादमे रहल आ लखनऊमे उच्च न्यायालयक एक खण्डपीठ स्थापित कएल गेल। स्वतन्त्रताबाद १२ जनवरी सन् १९५० मे ई क्षेत्रक नाम बदलि उत्तर प्रदेश राखल गेल आ लखनऊ एकर राजधानी भऽ गेल।
चित्र दीर्घासम्पादन
आसफुद्दौला
१७७५-१७९७[११]
सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन
- ↑ "CONTACT DETAILS OF COMMISSIONERS AND MAYORS OF AMRUT CITIES", Atal Mission for Rejuvenation and Urban Transformation।
- ↑ "Lucknow Pin Code list, Population density ,literacy rate and total Area with census 2011 details", अभिगमन तिथि २४ जुलाई २०१४।
- ↑ "Lucknow Municipal Corporation Demographics", Census of India, अभिगमन तिथि ३ जून २०१६।
- ↑ "Cities having population 1 lakh and above, Census 2011" (PDF), The Registrar General & Census Commissioner, India, अभिगमन तिथि २५ जून २०१४।
- ↑ "District Census Handbook - Lucknow" (PDF), Census of India, The Registrar General & Census Commissioner, पृ: २८, अभिगमन तिथि ७ जून २०१६।
- ↑ "The top 15 Indian cities by GDP | India's top 15 cities with the highest GDP", Yahoo! Finance, २८ सितम्बर २०१२, अभिगमन तिथि ४ अगस्त २०१४।
- ↑ आइडेन्टिफिकेशन अफ माइनौरिटी कन्सन्ट्रेशन डिस्ट्रिक्ट्स पब्लिक इन्फोर्मेशन ब्यूरो
- ↑ Mathini (२०१७-०८-०९), "Lucknow, the city of Nawabs and Tehzeeb", म्याजिक इन्डिया (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०२०-०४-१८।
- ↑ फास्टेस्ट ग्रोइंग सिटीज़ (१ टू १००) | सिटी मेयर्स स्टैटिस्टिक्स |
- ↑ १०.० १०.१ १०.२ "History" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०२०-०४-१८।
- ↑ पब्लिक इन्फोर्मेशन ब्यूरो
- ↑ लखनऊक इतिहास
बाह्य लिङ्कसभसम्पादन
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास लखनऊसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |