साक्षरता कऽ अर्थ अछि साक्षर होनाए अर्थात पढए आ लिखैक क्षमतासँ सम्पन्न होनाए ।[] अलग अलग देशसभमे साक्षरता निकालैक लेल भिन्न भिन्न मानक अछि । नेपाल सरकार शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालयद्वारा जारी कएल गेल एक प्रतिवेदन अनुसार यदि कोनो व्यक्ति अपन नाम लिखैमे आ पढमे सक्षम अछि तँ ओकरा साक्षर मानल जाइत ।[] सन् २०११ मे भेल नेपालक जनगणना अनुसार नेपालक साक्षरता दर ६५.९ प्रतिशत अछि ।[][]

सन् २०१५ धरि विश्वक नक्सापर विश्व साक्षरता दर

साक्षरता दर

सम्पादन करी

कोनो देश अथवा राज्यक साक्षरता दर ओतय रहल कुल लोकक जनसङ्ख्या या पढ़ल लिखल लोकक अनुपातके कहल जाइत अछि । अधिकांश ई प्रतिशतमे दर्शायल जाइत अछि । मुदा कखनो कखनो ई प्रति-कोटि (प्रति हजार पर) सेहो दर्शायल जाइत अछि ।

एकर गणितीय सुत्र अछि:

साक्षरता दर प्रतिशत = शिक्षित जनसङ्ख्या/कुल जनसङ्ख्या×१००

अर्थात प्रति सौ लोकसभमे कतेक लोक साक्षर अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. "Literate." Merriam-Webster.com. Merriam-Webster, n.d. Web. 19 Aug. 2014. <http://www.merriam-webster.com/dictionary/literate>.
  2. UNESCO, "Education for All: A Global Monitoring Report", UNESCO, UNESCO, पृ: १५०। 
  3. "Human Development Report 2010 – Nepal", Hdrstats.undp.org, अन्तिम पहुँच २५ जनवरी २०११ 
  4. "News & Broadcast – World Bank Supports School Sector Reforms in Nepal", World Bank, २२ सितम्बर २००९, मूलसँ १२ जून २०११ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २० जून २०१०