चतुर्भुज मन्दिर, ओरछा

चतुर्भुज मन्दिर (Chaturbhuj Temple) भारतक मध्य प्रदेश राज्यक ओरछा नगरमे एक भगवान विष्णुक मन्दिर छी। ई मन्दिर जटिल बहुमंजिला संरचनाक अछि आ मन्दिर, दुर्ग आ राजमहलक वास्तुशिल्प विशेषतासभसँ युक्त अछि। [१]

चतुर्भुज मंदिर, ओरछा
ओरछा का चतुर्भुज मंदिर
नाम
वास्तविक नाम:चतुर्भुज मंदिर (जटकारी मंदिर)
अवस्थिति
देश: भारत
राज्य:मध्य प्रदेश
स्थान:ओरछा
निर्देशाङ्क:२५°२१′०″उ॰ ७८°८′२४″पू॰ / २५.३५०००°N ७८.१४०००°E / 25.35000; 78.14000निर्देशाङ्क: २५°२१′०″उ॰ ७८°८′२४″पू॰ / २५.३५०००°N ७८.१४०००°E / 25.35000; 78.14000
ऐतिहासिक पृष्ठभूमि
निर्माणकर्ता:ओरछा राज्य के बुन्देल राजा

इतिहास सम्पादन करी

ई मन्दिरक निर्माण मुगल सम्राट अकबरक शासनकालमे ओरछा साम्राज्यक बुन्देला राजपूतसभद्वारा कएल गेल छल। एकर निर्माण मधुकर शाह द्वारा प्रारम्भ कएल गेल छल आ १६ अम शताब्दीमे हुनकर पुत्र वीर सिंह देव द्वारा पूर्ण कएल गेल। मधुकर शाह अपन पत्नी रानी गणेशकुमारीक लेल ई मन्दिर बनौलनि।

एक स्थानीय कथाक अनुसार, मंदिरक निर्माण रानीक "स्वप्न दर्शन"क बाद कएल गेल छल, जाहिमे भगवान राम हुनका अपन लेल एक मन्दिर बनएबाक निर्देश देने छल; मधुकर शाह जतए कृष्णक भक्त छल, तहिना हुनकर पत्नीक समर्पण भगवान रामक प्रति छल। चतुर्भुज मन्दिरक निर्माणक स्वीकृति भेलाक बाद, रानी भगवान रामक एक मूर्ति प्राप्त करबाक लेल अयोध्या गेलीह, जे हुनका नव मन्दिरमे स्थापित कएल जाएत छल। जखन ओ अयोध्या सँ श्री रामक मूर्ति लऽ कऽ वापस अयलथि, त शुरुमे ओ मूर्ति अपन महलमे रखलनि, जकरा रानी महल कहल जाइत छल, कारण चतुर्भुज मन्दिर एखनहुँ निर्माणाधीन छल। मुदा ओ एहि आदेश सँ अनभिज्ञ छल जे मंदिर मे प्रतिष्ठित मूर्ति केँ महल मे नहि राखल जा सकैत अछि। एक बेर जखन मंदिरक निर्माण पूर्ण भऽ गेल आ भगवानक मूर्तिकेँ चतुर्भुज मंदिरमे स्थापनाक लेल लऽ जाय पड़त, तँ ओ महलसँ नहि हटाओल जा सकैत छल। एहि लेल, चतुर्भुज मंदिरक स्थान पर, भगवान रामक मूर्ति महलमे रहि गेल जखन कि चतुर्भुज मंदिर अपन गर्भगृहमे बिना मूर्तिक रहि गेल। एहि महलमे रामक पूजा होइत छल, एहि लेल एकरा राम राजा मंदिरमे बदलल गेल; ई देशक एकमात्र मंदिर अछि जतय रामके राजाक रूपमे पूजा कएल जाइत अछि।

राम राजा ट्रस्ट द्वारा दैनिक आधार पर मन्दिरक प्रबंधन कएल जाइत अछि। तथापि, मंदिरक संरचनाक संरक्षण राज्य पुरातत्व विभागक नियन्त्रणमे अछि।

स्थानसभ सम्पादन करी

ई मन्दिर ओरछा शहरमे राम राजा मन्दिरक दक्षिणमे, ओरछा किला परिसरक सीमासँ बाहर स्थित अछि। ई बेतवा नदी द्वारा निर्मित एकटा लघुद्वीपमे अछि। ओरछा तक ग्वालियर हवाई अड्डासँ हवाई मार्गसँ पहुँचल जा सकैत अछि जे ११९ किलोमीटर (७४ मील) दूर अछि; दिल्ली आ भोपालसँ ग्वालियरक लेल नियमित उडान संचालित होइत अछि। सड़क मार्गसँ एतय झाँसी - खजुराहो राजमार्गसँ (एक मोड़ लऽ कऽ) पहुँचल जा सकैत अछि। निकटतम रेलवे मुख्यालय झाँसी अछि जे १६ किलोमीटर (९.९ मील) दूर अछि। [२]

विशेषतासभ सम्पादन करी

ओर्छाक चतुर्भुज मन्दिर ३४४ फीटक उचाइक संग हिन्दू मन्दिर वास्तुकलाक अनुसार बनाएल गेल सबसँ ऊँच विमानसभमे सँ एक छी। [३] चतुर्भुज मन्दिरमे देवदारक शंकु आकारक उच्च शिखर अछि जे ४.५ मीटर (१५ फीट) उच्च मंचकार संरचनाक उपर बनल अछि। ई मन्दिरक कुल उचाई १०५ मीटर (३४४ फीट) अछि आ एकर लेआउटक तुलना 'बेसिलिका' (अंग्रेजी विकिपिडिया पर बेसिलिका लेख पढू) सँ कएल जाइत अछि आ ई भगवान विष्णुक चारो भुजाक समान देखाबएके योजनाक अनुसार बनाएल गेल छल। मंदिरक दृश्य भव्य बहुमंजिला महल सन अछि जाहिमे मेहराबदार द्वार, एकटा बहुत पैघ प्रवेश द्वार, केन्द्रमे एकटा पैघ टावर आ चारू दिस सँ किलाबंदी सन अछि। मंदिरक आगू दिस चढ़बाक लेल ६७ ठाम आ संकीर्ण सीढ़ी अछि, प्रत्येक लगभग १ मीटर (३ फीट ३ इन्च) ऊँच अछि, जे एक घुमाउरो सीढ़ी बनबैत अछि। आन्तरिक भागमे अनेक हॉल अछि आ मन्दिरक मुख्य हॉल या मंडप एक क्रूस या 'क्रूसिफॉर्म' (अंग्रेजी विकिपीडिया पर विस्तारसँ पढू) क आकारमे बनाएल गेल अछि आ एकरा मारु - गुर्जर वास्तुकलाक मिश्रण कहल जाइत अछि, आ ई समान लेआउटक वेस्टिबुल (प्रवेश क्षेत्र/लॉबी) क दुनूक समकोण पर अछि।

आवागमन सम्पादन करी

ओरछा झांसी सँ लगभग १८ किलोमीटर दूर अछि आ दिल्ली सँ भोपाल शताब्दी एक्सप्रेस द्वारा आसानी सँ पहुँचल जा सकैत अछि।

वायुमार्ग सम्पादन करी

ओरछाक निकटतम हवाई अड्डा खजुराहो अछि जे १६३ किलोमीटर दूर अछि। ई हवाई अड्डा दिल्ली, वाराणसी आ आगरा सं नियमित उड़ान सं जुड़ल अछि।

रेल मार्ग सम्पादन करी

झांसी ओरछाक नजदीक रेलवे मुख्यालय अछि। दिल्ली, ललितपुर, आगरा, भोपाल, मुम्बई, ग्वालियर आदि प्रमुख शहरसँ झांसीक लेल अनेक रेलगाड़ी अछि। ओर्चा तक रेल लाइन अछि जतय पैसेंजर ट्रेन सँ पहुँचल जा सकैत अछि।

सड़क मार्ग सम्पादन करी

ओरछा झांसी-खजुराहो मार्ग पर स्थित अछि। नियमित बस सेवा ओरछा आ झांसी केँ जोड़ैत अछि। दिल्ली, ललितपुर, आगरा, भोपाल, ग्वालियरवाराणसी सँ एहिठाम नियमित बस चलैत अछि।

एहो सभ देखी सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Tourism in the Economy of Madhya Pradesh," Rajiv Dube, Daya Publishing House, 1987, ISBN 9788170350293
  2. "Orchha"। Official website of Madhya Pradesh Tourism। मूलसँ 4 March 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 30 July 2015
  3. "Chaturbhuj Temple"Times of India Travel। 26 March 2015। अन्तिम पहुँच 11 November 2023

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी