गान्धीनगर भारतक गुजरात राज्यक राजधानी छी । ई भारतक दोसर एहन शहर छी जे पूर्ण तरिकासँ आयोजणा करि बसाएल गेल अछि । एकरा 'हरित नगर' (ग्रीन सीटी) सेहो कहल जाइत अछि । सचिवालय आ राज्यक मन्त्रीसभक निवास सेहो एतय अछि । आजुक समयमे ई शहरके भारतक आर्थिक राजधानी सेहो कहल जाइत अछि ।[३]

गान्धीनगर
Gandhinagar
देश भारत
राज्यगुजरात
जिलागान्धीनगर
क्षेत्रफल
 • कुल१७७ किमी (६८ वर्गमाइल)
उन्नतांश
81 मिटर (266 फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)[१]
 • कुल२,०६,१६७
 • घनत्व1200/किमी2 (3000/वर्ग माइल)
भाषा
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
पिन कोड
३८२०१०[२]
टेलिफोन कोड०७९
सवारी दर्ताGJ-18
वेबसाइटgujaratindia.com

महात्मा गान्धीक यादमे ई शहरक नाम 'गान्धीनगर' राखल गेल अछि । एतयक अधिकांश लोक सरकारी आ निजी काम करि अपन जिवन चलाबैत अछि । गान्धीनगर अहमदाबाद शहरसँ ३५ किलोमिटर पूर्वोत्तरमा साबरमती नदीक दहिना तटमे स्थित अछि । चण्डीगढके डिजाइन कएनिहार फ्रेञ्च वास्तुकार ली कोरबुसियनद्वारा ई शहरके डिजाइन भेल अछि ।[४]

परिवहन संपादित करें

राजमार्ग संपादित करें

अहमदाबादसँ ई मुम्बई-दिल्ली राष्ट्रिय राजमार्ग सङ्ख्या-८ द्वारा जुडल अछि । सन् १९६६ मे गुजरातक भूतपूर्व राजधानी अहमदाबादसँ गान्धीनगर स्थानान्तरित भेल छल । ई एक नियोजित शहर छी, जुन १९७० मे अहमदाबादसँ शासकीय कार्यालयसभ एतय आबि गेला बाद ई स्थान सक्रिय भेल । शहरमे सडकक ग्रीड प्रणाली अछि तथा ई क्षेत्रमे विभाजित अछि, जे बुनियादी सुविधासभसँ युक्त अछि ।

हवाई मार्ग संपादित करें

अहमदाबादक सरदार बल्लभ भाई पटेल अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल गान्धीनगरक नजदिकी विमानस्थल छी जे जिला मुख्यालयसँ लगभग ३२ किलोमिटर दूर अछि ।

रेल मार्ग संपादित करें

अहमदाबाद जङ्क्सन गान्धीनगरक नजदिकी रेलवे स्टेशन छी । ई रेलवे स्टेशन देशक अनेक भागसँ अनेक रेलगाडीसभक माध्यमसँ जुडल अछि ।

सडक मार्ग संपादित करें

अहमदाबाद आ गुजरातक प्रमुख शहरसभसँ नियमित बससभ गान्धीनगरक लेल परिचालन अछि । संग-संगे नजदिकी राज्यसभद्वारा सेहो गान्धीनगर सडक मार्गद्वारा जुडल अछि ।

भूगोल संपादित करें

गान्धीनगर अहमदाबाद शहरसँ ३५ किलोमिटर पूर्वोत्तरमे साबरमती नदीक दहिना तटमे स्थित अछि । साबरमती नदीक पश्चिमी तटमे स्थित गुजरातक राजधानी गान्धीनगरक नाम राष्ट्रपिता महात्मा गान्धीक नाममे राखल गेल अछि । कूल ६४९ वर्ग किलोमिटरमे फैलल गान्धीनगरके चण्डीगढ बादक भारतक दोसर नियोजित शहर मानल जाइत अछि ।

जनसंख्या संपादित करें

भारतक जनगणना सन् २०११ अनुसार गान्धीनगरक जनसङ्ख्या २,०६,१६७ अछि ।[५]

इतिहास संपादित करें

आदर्श स्थल संपादित करें

अदलज, राधेजा, दभोदा आदि एतयक प्रमुख दर्शनीय स्थल छी । ३० क्षेत्रसभमे बटल ई शहरक सम्पूर्ण क्षेत्रमे खरीददारी आ सामुदायिक केन्द्र, प्राथमिक विद्यालय आ स्वास्थ्य केन्द्रक व्यवस्था अछि । स्वामीनारायण सम्प्रदायद्वारा सञ्चालित अक्षरधाम मन्दिर एतयक मुख्य आकर्षण छी । जिलाक रूपल गाँउमे मनाओल जाइवला पल्ली पर्व बहुतेक सङ्ख्यामे पर्यटकसभके आकर्षित करैत अछि ।

शिक्षा संपादित करें

सन्दर्भ सामग्रीसभ संपादित करें

एहो सभ देखी संपादित करें