अहमदाबाद
अहमदाबाद वा अमदाभाद (/ˈ[invalid input: 'ah']m[invalid input: 'i-']dəb[invalid input: 'ah']d/ ( सुनी); गुजराती उच्चारण: [ˈəmdɑːvɑːd]) भारतक गुजरात प्रदेशक सबसँ पैग शहर आ पुरान राजधानी छी । ई अहमदाबाद जिलाक मुख्यालय आ गुजरात उच्च न्यायालयक सदन छी । समस्त भारतक पैग नगरसभमे छठम आ सातम सभसँ पैग महानगरीय क्षेत्र छी । ६३ लाखको जनसङ्ख्या भेल ई शहर, साबरमती नदीक किनारमे अवस्थित अछि । पहिने गुजरातक राजधानी याह रहल छल बादमे राजधानी गान्धीनगरमे स्थानान्तरण कएल गेल । अहमदाबादके कर्णावती क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । ई शहरक आधारशिला सन् १४११ मे बैसाएल गेल छल । ई शहरक नाम सुलतान अहमद शाहक नाममे राखल गेल अछि ।
अहमदाबाद
અમદાવાદ Ahmedabad अमदाभाद | |
---|---|
![]() अहमदाबादक प्रसिद्द स्थलसभ | |
देश | ![]() |
राज्य | गुजरात |
जिला | अहमदाबाद |
संस्थापक | सुल्तान अहमद साह प्रथम |
नामकरण | अहमदसाह |
सरकार | |
• प्रकार | मेयर परिषद |
• अङ्ग | अहमदाबाद नगरपालिका सङ्गठन |
• मेयर | मिनाक्षी पटेल (बिजेपी) |
• कार्यकारी मेयर | बिपिन सिक्का |
• नगर प्रमुख | डि. थारा |
क्षेत्रफल | |
• महानगरीय क्षेत्र | ४६४.१६ किमी२ (१७९.२१ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ५३ मिटर (१७४ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११)[३] | |
• महानगरीय क्षेत्र | ५५,७०,५८५ |
• क्रम | ५अम |
• घनत्व | १२०००/वर्ग किमी (३१०००/वर्ग माइल) |
• महानगर | ६३,५२,२५४ |
वासिन्दा | अहमदाबादी/अमदाभादी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
पोस्टल कोड | ३८० 0XX |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०७९ |
सवारी दर्ता | GJ-1,GJ-18,GJ-27,GJ-28 |
लैङ्गिक अनुपात | १.११[५] ♂/♀ |
साक्षरता दर | ८९.६२ |
भाषासभ | गुजराती, हिन्दी आ अङ्ग्रेजी |
स्रोत: भारतक जनगणना[६] |
इतिहास
सम्पादन करीअहमदाबादक नाम सुल्तान अहमद शाहक नाममे राखल गेल अछि । सुल्तान अहमद शाहद्वारा ई शहरक स्थापना सन् १४११ मे केनए छल । ई शहरके भारतक म्यानचेस्टर सेहो कहल जाइत अछि । वर्तमान समयमे, अहमदाबाके भारतक गुजरात प्रान्तक आर्थिक राजधानी होमएक संगे एकटा प्रमुख उद्योगिक शहरक रूपमे चिनहल जाइत अछि ।
ऐतिहासिक रूपमे, भारतीय स्वतन्त्रता सङ्घर्षक समयमे अहमदाबाद प्रमुख आधार शिविर रहल छल । याह शहरमे महात्मा गान्धी साबरमती आश्रमक स्थापना केनए छल आ भारतीय स्वतन्त्रता सङ्घर्षमे जुड़ल बहुतेक आन्दोलनक शुरुवात सेहो याह ठामसँ भेल छल । अहमदाबाद बुनाईक लेल सेहो बहुतेक प्रसिद्ध अछि । एकर साथ ई शहर व्यापार आ वाणिज्य केन्द्रक रूपमे विकसित भ रहल अछि । अङ्ग्रेजी शासनक अवधिमे, ई ठामके फौजी मुख्यालयक रूपमे प्रयोग कएल जाइत छल ।
भूगोल
सम्पादन करीपश्चिम भारतमे अवस्थित ई शहर, समुद्र सतहसँ १७४ फिटक उचाईमे अवस्थित अछि । शहरमे दुईटा ताल अछि- कङ्करिया आ वस्त्रापुर ताल । साबरमती नदी गर्मीक मौसममे सुखैक कारण, नदीक ठाममे साफ माटि रहैत अछि । वर्षाक महिना वाहेक पुरे साल गर्मीक माहौल रहैत अछि । गर्मी मौसममे सबसँ उच्च तापमान ४७ डिग्री आ जाड़क समयमे कममे ५ डिग्री तापमान पहुँचैत अछि ।
प्रशासन
सम्पादन करीअहमदाबाद नगरपालिका निगम ई शहरके देख रेखक काम करैत अछि आ किछ भाग औडाद्वारा प्रशासित अछि ।
यातायात
सम्पादन करी- हवाई मार्ग-
एतय सरदार वल्लभभाई पटेल विमानस्थल अछि । ई प्रमुख भारतीय शहरसभक साथ साथे विदेशसभक शहरसभके जोडैत अछि जेना कोलम्बो, मसकट, लण्डन आ न्यू योर्क शहर ।
- रेल मार्ग-
अहमदाबाद स्टेशन देशके लगभग सब प्रमुख स्टेशसभसँ सीधा जुडल अछि ।
- सडक मार्ग-
अहमदाबादक दूरी मुम्बईसँ लगभग ५४५ किलोमिटर तथा राष्ट्रिय राजधानी दिल्लीसँ ८७३ किलोमिटर अछि । एतय मुम्बईसँ बसद्वारा सेहो जाएल जा सकैत अछि ।
पर्यटन स्थल
सम्पादन करीअहमदाबादमे भ्रमण कर लायक बहुतेक स्थलसभ अछि । एहिमे किछ आधुनिक अछि आ किछ पौराणिक सेहो अछि ।
- गान्धी आश्रम, साबरमती
- सिद्दी सैयद जाली, खानपुर
- सरखेज रोजा, सरखेज
- काङ्करिया ताल
- वस्त्रापुर ताल
- गुजरात साइन्स सीटी
- अक्षरधाम मन्दिर, गान्धीनगर
- आई मेक्स थिएटर (चलचित्र घर)
- ल गार्डन
- वैष्णोदेवी मन्दिर
- श्रीभागवत विद्यापीठ (सोला)
- अडालज वाव
ई तालक निर्माण कुतुब-उद्-दीनद्वारा सन् १४५१ मे कराएल गेल छल । वर्तमान समयमे अहमदाबादक निवासीसभक बीच ई ठाम सबसँ बेसी प्रसिद्ध अछि । ई तालक चारोदिस बगैचा लगाएल गेल अछि । तालक मध्य भागमे बहुतेक सुन्दर सुन्दर द्वीप महल अछि । जतय मुगल कालक समय नूरजहां आ जहांगीर प्रायजसो घुमफिर करै लेल आबैत छल ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Amdavad City Profile", egovamc.com, Ahmedabad Municipal Corporation, मूलसँ १५ मार्च २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ४ जून २०१५।
- ↑ mhupa.gov.in/ray/csmc_ppt/6th-csmc-Ahmedabad-AHP.pdf
- ↑ "Cities having population 1 lakh and above", The Registrar General & Census Commissioner, India, अन्तिम पहुँच २६ जुलाई २०१४।
- ↑ "Urban Agglomerations/Cities having population 1 lakh and above", The Registrar General & Census Commissioner, India, अन्तिम पहुँच २६ जुलाई २०१४।
- ↑ "Distribution of Population, Decadal Growth Rate, Sex-Ratio and Population Density", 2011 census of India, Government of India, अन्तिम पहुँच २१ मार्च २०१२।
- ↑ "Ahmadabad (Ahmedabad) District : Census 2011 data", census2011, अन्तिम पहुँच २८ मई २०१४।
बाह्य लिङ्कसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे अहमदाबादसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |