अन्तर्राष्ट्रिय नागरिक उड्डयन प्राधिकरण विमानस्थल कोड
अन्तर्राष्ट्रिय नागरिक उड्डयन सङ्गठन विमानस्थल कोड (/ˌaɪˌkeɪˈoʊ/, "I-K-O") विमानस्थल कोड या स्थान पहिचानकर्ता जकरा सङ्क्षेपमे आइसिएओ कऽ नाम सँ जानल जाएत अछि । ई चारि अक्षरक अल्फान्युमेरिक कोड होएत अछि जे विश्व भरिक विमानस्थलक लेल प्रयोग कएल जाएत अछि । ई कोडसभ अन्तर्राष्ट्रिय नागरिक उड्डयन सङ्गठनद्वारा परिभाषित होएत अछि । एकरा आइसिएओ प्रलेख ७९१०: लोकेसन इन्डिकेटर्स अर्थात स्थान पहिचानकर्ताक नाम सँ प्रकासित कएल जाएत अछि जे हवाई यातायात नियन्त्रण आ हवाई यातायात योजनाक लेल प्रयोग कएल जाएत अछि । ई आइएटिए कोड सँ भिन्न होएत अछि । आइएटिए कोडक प्रयोग सामान्य रूपमे उडान समयतालिका, आरक्षण आ ब्यागेज ट्यागमे प्रयोग होएत अछि । उदाहरणक लेल लन्डन अवस्थित लन्डन हिथ्रो विमानस्थलक आइएटिए कोड LHR अछि तँ एकर आइसिएओ कोड EGLL अछि । एकरा यात्री तथा जनसाधारण उडान-ट्रयाकिङ सेवा प्रयोग करैत काल देख सकैत अछि । आइएटिए कोड विमानस्थलक नाम वा सेवा दऽ रहल शहरक नाम सँ जारी कएल जाएत अछि तँ आइसिएओ कोड क्षेत्र आ राष्ट्रक आधारमे रखल जाएत अछि ।[१]