गणेशमान सिंह
गणेशमान सिंह (वि.सं. १९७२-२०५४) नेपालक बरिष्ठ राजनीतिज्ञ, प्रजातन्त्रक योद्धा तथा २०४६ सालक जनआन्दोलनक सर्वोच्च कमान्डर छल । काठमाडौंक खानदानी परिवारम जन्मल गणेशमान सिंह १९९७ सालम स्थापना भेल नेपालक पहिल राजनीतिक पार्टी प्रजा परिषद्क सदस्य भऽ राणा शासन हटाबैक राजनीतिक लेल स्वयंक योगदान देनेए छल । भद्रगोल जेल फोइर भागल जोशिला युवा गणेशमान प्रबास जाएसँ पहिने तत्कालीन राणा हटाऊ आन्दोलनक एक नायक भऽ गेल छल । भारतम दोसर नेता बीपी कोइरालासँ राजनीतिक सम्बन्ध विकसित होए साथे अन्य किछ सहयोगीसाथ २००३ सालम स्थापित नेपाली कांग्रेसक आजीवन जुझारू नेतृत्व देवाक लेल गणेशमानक उल्लेखनीय भूमिका रहल अछि । २००७ सालक क्रान्तिक एक अगुवाक रूपमे ओ बीरगञ्ज मोर्चाम सशस्त्र संघर्ष केनेए छल । संर्घषक हिसाबसँ बीपी कोइरालासँ बेसी समय धरि देशम प्रजातन्त्र बहाली आ पुर्नबहाली लेल समर्पित गणेशमान सिंह सैद्धान्तिक हिसाबसँ बीपीक अनुयायी आ सबैसँ बरका र्समर्थकक रूपमे नेपाली कांग्रेसक लोकप्रिय बनाबैक लेल सदा क्रियाशिल छल । पहिल जननिर्वाचित सरकारम वरिष्ठ मन्त्री रहल गणेशमान २०१७ सालम प्रजातन्त्र अपहरण भेला पश्चात आठ वर्षनिरन्तर काराबास भोगने छल । ततपश्चात पुनः प्रबासम राजनीतिक सङ्गठन विस्तार करि २०३३ सालम बीपीसाथे राष्ट्रिय मेलमिलापक नारा लऽ स्वदेश आइब तत्कालीन पञ्चायती व्यवस्था विरुद्ध सक्रिय रहल छल ।
गणेशमान सिंह Ganesh Man Singh | |
---|---|
जन्म | १९७२ कातिक २४ काठमाडौँ, यट्खा टोल |
मृत्यु | २०५४ आश्विन २ |
अन्य नामसभ | हिराकाजी |
नागरिकता | नेपाली |
व्यवसाय | राजनीतिज्ञ |
उल्लेखनीय कार्यसभ | जनाअन्दोलन २०४६क नेतृत्व |
शीर्षक | फादर अफ डेमोक्रेसी सर्वमान्य नेता लौह पुरुष |
राजनीतिक दल | नेपाली काँग्रेस |
जीवनसाथी(सभ) | मंगलादेवी सिंह |
बालबच्चा | प्रदीपमान सिंह प्रकाशमान सिंह डा. मीना सिंह कान्ता मानन्धर रीता बैद्य |
अभिभावक(सभ) | ज्ञानमान सिंह सुभद्रा कुमारी |
पुरस्कार | पिसरन पुरस्कार-१९९० मानवाधिकार पुरस्कार-१९९३ उ थान्त शान्ति पुरस्कार |
बाल्यकाल आ शिक्षा
सम्पादन करीराजनिति
सम्पादन करीसन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करीबाह्य जडीसभ
सम्पादन करी- गणेशमान सिंह एकेडेमी सङ्ग्रहित २०१३-०८-१९ वेब्याक मेसिन
- Nepal homepage सङ्ग्रहित २००७-०४-२३ वेब्याक मेसिन
- Ganesh Man Singh Organization सङ्ग्रहित २००७-०८-०९ वेब्याक मेसिन