कुम्भलगढ किला राजस्थान मात्र नै भारतक सभ किलामे विशिष्ठ स्थान राखैत अछि । उदयपुर सँ ७० किमी दूर समुद्र सतह सँ १,०८७ मीटर उँच आ ३० किमी व्यासमे फैलल ई किला मेवाडक यशश्वी महाराणा कुम्भाक सूझबूझ व प्रतिभाक अनुपम स्मारक छी । ई किलाक निर्माण सम्राट अशोकक द्वितीय पुत्र सम्प्रतिक बनाएल किलाक अवशेषसभ पर सन् १४४३ सँ शुरू भ १५ वर्षके बाद सन् १४५८ मे पूरा भेल छल । किलाक निर्माण कार्य पूर्ण भेला पर महाराणा कुम्भा सिक्का डलबेनाए छल जहि पर किला आ ओकर नाम अङ्कित छल । वास्तुशास्त्रक नियमानुसार बनल ई किलामे प्रवेश द्वार, प्राचीर, जलाशय, बाहर जाएक लेल सङ्कटकालीन द्वार, महल, मन्दिर, आवासीय इमारतसभ, यज्ञ वेदी, स्तम्भ, शीर्षसभ आदि बनल अछि ।[][]

कुम्भलगढ किला
Kumbhalgarh Fort
कुम्भलमेर, कुम्बलगढ
कुम्भलगढक दीवार
कुम्भलगढक दीवार
देश भारत
राज्यराजस्थान
जिलाराजसमन्द
उन्नतांश
११०० मिटर (३६०० फिट)
भाषासभ
 • आधिकारिकहिन्दी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
सवारी दर्ताRJ 30
वेबसाइटkumbhalgarh.com
युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र
राजस्थानक पहाडी किलासभ
विश्व सम्पदा सूचीमे उल्लेख कएल अनुसारक नाम
प्रकारसांस्कृतिक
मापदण्डii, iii
सन्दर्भ२४७
युनेस्को क्षेत्रदक्षिण एसिया
सूचीकृत इतिहास
सूचीकृत२०१३ (३६अम शत्र)
बादल महल

ई किला राजस्थानक राजसमन्द जिलामे स्थित अछि । ई दुर्गक निर्माण महाराणा कुम्भा करेनाए छल । ई किलाके 'अजेयगढ' कहल जाएत अछि कियाकी ई किलापर विजय प्राप्त करनाए दुष्कर कार्य छल । एकर चारो दिस एक बड्का दीवार बनल अछि जे चीनक दीवारक बाद दोसर सब सँ बड्का दीवार छी ।[][]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. Asawa 2004, pp. 2-3
  2. "The Fantastic 5 Forts: Rajasthan Is Home to Some Beautiful Forts, Here Are Some Must-See Heritage Structures"। DNA : Daily News & Analysis। 28 January 2014। मूलसँ 24 September 2015 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 5 July 2015High Beam माध्यमसँ। {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help); Unknown parameter |subscription= ignored (|url-access= suggested) (help)
  3. Verma, Amrit. Forts of India. New Delhi: The Director, Publication Division, Ministry of Information and Broadcasting, Government of India. pp. 30–31. आइएसबिएन 81-230-1002-8. 
  4. "View from the clouds"The Hindu। 7 May 2006। अन्तिम पहुँच 4 June 2015

बाह्य जडीसभ

सम्पादन करी

एहो सभ देखी

सम्पादन करी