आकृति:मुख्य लेख/राजविराज विमानस्थल

राजविराज विमानस्थल

राजविराज विमानस्थल (आइएटिए: RJBआइसिएओ: VNRB) नेपालक मधेश प्रदेश अवस्थित सप्तरी जिलाक सदरमोकाम राजविराज सँ ५ किलोमिटर दक्षिणमे अवस्थित विष्णुपुर गाउँपालिकामे रहल एक अन्तरदेशीय विमानस्थल छी। ई विमानस्थल राजविराज नगरवाशीसहित ई स्थान सँ नजदिकक क्षेत्रक वासिन्दासभकेँ सेवा पहुँचा रहल अछि। ई विमानस्थलमे १ टा अन्तरदेशीय टर्मिनल अछि। वर्तमान समयमे ई विमानस्थल नेपालक राजधानी शहर काठमाडौं सँ जुड़ल अछि। प्रदेश नं. २ मे रहल ३ टा अन्तरदेशीय विमानस्थलमे सँ एहो एक छी।

११ वर्षधरि पूर्ण रूप सँ बन्द रहलाक बाद विमानस्थल जाँच बुझ काजक लेल नव निर्माणाधीन धावनमार्ग पर श्री एयरलाइन्सक विमान सन् २०१८ मई २३ कऽ दिन सफल अवतरण केनए छल। (पूरा लेख...)