अल ऐन (अरबी: العين‎, al-ʿayn, शाब्दिक अर्थ वसन्त), एकर हरपनाक कारण गार्डन शहर सेहो कहै , संयुक्त अरब इमिरेट्सक सबसँ पैग भित्री शहर, जे (दुबई, अबु धाबीशारजाह पछ) चौथा सबसँ पैग, आ अबु धाबी इमरातक दोसर सबसँ पैग शहर छी । सन् २०१३ क जनगणना अनुसार अल ऐनक जनसंख्या ६५०,००० रहल छल ।[१] ई, राजधानी, अबु धाबीक लगभग १६० किलोमिटर (९९ माइल) आ दुबईक लगभग १२० किलोमिटर (७५ माइल) दक्षिणमे स्थित अछि ।[२] अल ऐन संयुक्त अरब इमिरेट्सक संस्थापक शेख जायद बिन सुल्तान अल नहयनक जन्मस्थान छी आ इमराती नागरिकसभक उच्चतम अनुपात (३०.८)% अछि ।[३]

अल ऐन
العين
हरियो मुबारजाहक दृश्य
हरियो मुबारजाहक दृश्य
देशसंयुक्त अरब इमिरेट्स
इमरातअबु धाबी
सरकार
 • प्रकारनगरपालिका
 • शेखखलीफा बिन जाएद
 • प्रतिनिधितहनुन मुहम्मद बिन अल नहयन
क्षेत्रफल
 • कुल१५१०० किमी (५८०० वर्गमाइल)
उन्नतांश
२९२ मिटर (९५८ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०१५)
 • कुल६,५०,०००
 • घनत्व४३/वर्ग किमी (११०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+४ (संयुक्त अरब इमिरेट्स)

इतिहास सम्पादन करी

ऐतिहासिक रूपमे अल ऐनके तावाम या अल बुरेमी ओएसिस (मरुभूमिक एक उर्वरा ठाउँ जत् पानी पावैत अछि) कऽ एक भाग मानैत अछि । अल-ऐन मे ४,००० वर्षसँ पहिल सँ मानव बसोबास भेल पावैत अछि, जत् पुरातत्व स्थलसभ अल-हिलीजाबेल हफीत मे मानव वस्तीसभ देखिएल पावैत अछि । ओएसिससँ आधुनिक समय तक प्रारम्भिक खेतीक लेल पानी प्रदान केलक ।

भूगोल सम्पादन करी

अल ऐन अबु धाबी इमरातक पूर्व आ दुबईक दक्षिणमे आ अबु धाबी क पूर्वी क्षेत्रमे स्थित अछि । अबु धाबी इमरातक पूर्वी क्षेत्रमे लगभग १३,१०० वर्ग किलोमिटर (५,१०० वर्ग माइल) क्षेत्रफल परैत अछि ।

ओएसिस सम्पादन करी

अल ऐनक ओएसिससभके ओसभक फालाज (भूमिगत सिंचाई) प्रणालीक लेल चिनैत अछि जे बोरहोलसँ पानी खेतीपाति आ खजूरक लेल प्रयोग करैत अछि । फालाज सिंचाई एक हजारौं पुरान प्रणाली छी जुन हजारौं वर्ष पहिल सेहो ओमान संयुक्त अरब इमिरेट्स, चीन, ईरान आ अन्य देशसभमे आरो व्यापक रूपमे प्रयोग करैत अछि ।

विश्व सम्पदा क्षेत्र सम्पादन करी

अल ऐन संयुक्त अरब इमिरेट्सक विश्व सम्पदा क्षेत्र छी । ई क्षेत्रके युनेस्को सन २०११ मे विश्व सम्पदा क्षेत्र घोषणा कएल गेल छल । अल ऐनक साथ हफित, हिली, विदा बिन साउदओएसिस सांस्कृतिक क्षेत्रसभ सेहो विश्व सम्पदा क्षेत्रमे परैत अछि ।[४]

जलवायु सम्पादन करी

अल ऐनमे गर्मी जलवायु अछि । घमाएल -नील आकाश वर्षभर आशा कैर सकैत अछि । जुन सँ सितम्बर महिना तक सामान्यतया अत्यन्त गर्मी आ आर्द्र होएत अछि । एहि समयमे अधिकतम ३८ डिग्री सेल्सियस (१०० डिग्री फारेनहाइट) तापमान होएत अछि । नवम्बरसँ मार्च तक मध्यम तापमानमे हल्का ठण्डा माैसम होएत अछि । ई अवधिक कुछ दिनमे घना कुहिरो सेहो देखैत अछि । औसतमे , जनवरी, वर्षक सबसँ जाड महिना छी आ अगस्तमे सबसँ बढी गर्मी होएत । सबसँ जाड महिना बाहक एकर औसत मौसम १८.८ डिग्री सेल्सियस (६५.८ डिग्री फरेनहाइट) रहल अछि ।

अल ऐन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल (१९९६-२०१५)-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) औषत २४٫३
(७६)
२७٫५
(८२)
३१٫७
(८९)
३६٫५
(९८)
४१٫६
(१०७)
४३٫९
(१११)
४४٫२
(११२)
४४٫०
(१११)
४१٫५
(१०७)
३७٫३
(९९)
३०٫८
(८७)
२६٫४
(८०)
३५٫८१
(९६٫६)
दैनिक औषत °से (°फे) १८٫७
(६६)
२१٫३
(७०)
२४٫९
(७७)
२९٫५
(८५)
३४٫१
(९३)
३६٫२
(९७)
३७٫५
(१००)
३७٫५
(१००)
३४٫७
(९४)
३०٫७
(८७)
२५٫०
(७७)
२०٫७
(६९)
२९٫२३
(८४٫६)
न्यूनतम °से (°फे) औषत १३٫१
(५६)
१५٫१
(५९)
१८٫०
(६४)
२२٫५
(७३)
२६٫५
(८०)
२८٫४
(८३)
३०٫७
(८७)
३०٫९
(८८)
२७٫९
(८२)
२४٫१
(७५)
१९٫३
(६७)
१५٫१
(५९)
२२٫६३
(७२٫८)
स्रोत: मौसमअनलाइन [५]

चित्रावली सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. अहमद, अनवाद (४ नोभेम्बर २०१४)। "अबु धाबीक जनसंख्या आठ वर्षमे दोब्बर"। अन्तिम पहुँच २ नवम्बर २०१७ {{cite web}}: Check date values in: |date= (help)
  2. "Statistical Report 2014 - 4th Issue.pdf" (PDF)मूल (PDF)सँ 2017-11-18 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच ११ नोभेम्बर २०१७ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. "Population of Al Ain"। अन्तिम पहुँच ११ नोभेम्बर २०१७ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  4. "Cultural Sites of Al Ain (Hafit, Hili, Bidaa Bint Saud and Oases Areas)"। अन्तिम पहुँच ११ नोभेम्बर २०१७ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  5. "Climate Robot: Al Ain Intl. Airport (262m)"। अन्तिम पहुँच १८ फेब्रुअरी २०१६ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

आकृति:Abu Dhabi

एहो सभ देखी सम्पादन करी