ओमान (अरबी: عمان‎) अरबी प्रायद्वीपक पूर्व-दक्षिणमे अवस्थित एक देश छी जकरा आधिकारिक रूपमे सल्तनत उमान नाम सँ जानल जाएत अछि । ई साउदी अरबक पूर्व आया दक्षिणक दिशामे अरब सागरक सीमा सँ सटल अछि । संयुक्त अरब इमिरेट्स एकर उत्तरमे स्थित अछि ।

سلطنة عُمان
ओमान कऽ सल्तनत
ओमानको झन्डा
झन्डा
ओमानको राष्ट्र प्रतीक
राष्ट्र प्रतीक
आदर्श वाक्य: कोनो नई
राष्ट्रिय गान: सुल्तानी
ओमानक स्थान
ओमानक स्थान
ओमान
राजधानी
र सभसँ पैघ सहर
मस्कट
२३°३६′उ॰ ५८°३३′पू॰ / २३.६००°N ५८.५५०°E / 23.600; 58.550
आधिकारिक भाषासभअरबी
मूलवासी(सभ)ओमानी
सरकारपूर्ण राजशाही
• सुल्तान
काबुस बिन अल सैद
• उप-प्रधानमन्त्री
फहद इब्न महमूद अल सैद[]
स्वतन्त्रता
• पुर्तगाली साम्राज्य सँ स्वतन्त्रता
सन् १६५१
क्षेत्रफल
• कुल
३,०९,५०० किमी (१,१९,५०० वर्ग माइल) (७०हम)
• पानी (%)
नगण्य
जनसङ्ख्या
• २०१६ अनुमानित
४४२६७६२ (१२५अम)
• २०१० जनगणना
२७७३४७९[]
कुल ग्राहस्थ उत्पादन (क्रय शक्ति समता)२०१८ लगत
• कुल
$१८९.५८२ बिलियन[]
• प्रति व्यक्ति
$४७,८४६[]
कुल ग्राहस्थ उत्पादन (साङ्केतिक)२०१८ लगत
• कुल
$७५.५२१ बिलियन[]
• प्रति व्यक्ति
$१७,९७८[]
मानव विकास सूचकाङ्क (२०१७)वृद्धि ०.८२१[]
धेरै उच्च · ४८अम
मुद्रारियाल (OMR)
समय क्षेत्रअन्तर्राष्ट्रिय प्रमाणिक समय+४
• ग्रीष्मकालीन (दिवाप्रकाश समय बचत)
अन्तर्राष्ट्रिय प्रमाणिक समय+४
टेलिफोन कोड९६८
इन्टरनेट डोमेन.om

ओमानक कूल जनसङ्ख्या २८ लाख अछि आ एतय बाहर देशसभ सँ आबि रहनिहार आप्रवासीसभक सङ्ख्या बहुत बेसी अछि । लगभग समुचा जनसङ्ख्या मुस्लिम अछि जहिमे इबादीसभक सङ्ख्या सभ सँग बेसी अछि । एकर अमेरिकाब्रिटेनक सङ्ग बहुत निकटतम सम्बन्ध अछि ।


सुमेरी सभ्यताक एक लेखक अनुसार एकरा मगन नाम सँ जानल जाएत छल । ओमान नाम एर अरबी जाति पर पड़ल जे यमनक उमान क्षेत्र सँ आएल छल । इशा पूर्व छठम् शताब्दी सँ सातम् शताब्दीक मध्य धरि एतय इरान (फारस) कऽ तीन वंशसभक शासन रहल - हखामनी, पार्थियनसासानी । सातम् शताब्दीमे मुहम्मद साहबक जीवनकालमे ओमानमे इस्लामक आगमन भेल छल । सन् २५०८-१६४८ धरि एतय पुर्तगालीसभक उपनिवेश छल जे भास्को दा गामाद्वारा भारतक खोज करि लेलाक बाद समुद्री बाट पर नियन्त्रणक लेल बनाएल गेल छल । पुर्तगाल पर स्पेनक अधिकार भऽ गेलाक बाद पुर्तगालीसभके एहि ठाम सँ बापस जाए पड़ल । एकर बाद ओमानीसभ पूर्वी अफ्रिकी तटीय प्रदेशसभ सँ सेहो पुर्तगालीसभकें भगेने छल ।

 
ओमानक प्रशासकीय विभाग

ओमानमे ५ प्रदेश (मिन्तका) आ ४ शासकीय प्रखण्ड (मुहाफजाह) अछि -

विभाग अरबीमे नाम अङ्ग्रेजीमे नाम केन्द्र जनसङ्ख्या (वर्ष) क्षेत्रफल (किमी²) नक्सामे
मिन्तकाह (क्षेत्र)
अद दाखिलिया ur Ad Dakhiliyah निजवा २,६७,१४० (२००३) ३१,९०० 1
अज जाहिराह ur Ad Dhahirah इब्री १,३०,१७७ (२००३) ३७,००० 2
अल बातिनाह ur Al Batinah सोहार ६,५३,५०५ (२००३) १२,५०० 3
अल वुस्ता ur Al Wusta हाइमा २२,९८३ (२००३) ७९,७०० 5
अश शरकिया ur Ash Sharqiyah सुर ३,१३,७६१ (२००३) ३६,८०० 6
मुहाफजाह
अल बुरैमी ur Al Buraymi अल बुरैमी ७६,८३८ (२००३) ७,००० 4
जोफार ur Dhofar सलालाह २,१५,९६० (२००३) ९९,३०० 7
मुसन्दम ur Musandam खसब २८,३७८ (२००३) १,८०० 8
मस्कट ur Muscat मस्कट ६,३२,०७३ (२००३) ३,५०० 9

जनसङ्ख्या

सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. "Cabinet Ministers"। Government of Oman। मूलसँ 22 December 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 13 October 2010 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "Final Results of Census 2010" (PDF)। National Center for Statistics & Information। मूल (PDF)सँ 18 May 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 7 January 2012 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. ३.० ३.१ ३.२ ३.३ "Oman"। International Monetary Fund।
  4. "2018 Human Development Report" (PDF)। United Nations Development Programme। 2018। अन्तिम पहुँच 14 September 2018

बाह्य जडीसभ

सम्पादन करी

एहो सभ देखी

सम्पादन करी