सुल्तानगञ्ज
सुल्तानगञ्ज (अङ्ग्रेजी: Sultanganj ) भारतक बिहार राज्यक भागलपुर जिलामे अवस्थित एक ऐतिहासिक स्थल छी ।[१] ई गङ्गा नदीक तट पर बसल अछि । एतय बाबा अजगबीनाथक विश्वप्रसिद्ध प्राचीन हिन्दू मन्दिर अछि । उत्तरवाहिनी गङ्गा होमएके कारण साओन[२] मासमे बहुतेक सङ्खयामे काँवरियासभ देश आ विदेशक विभिन्न स्थान सँ गङ्गाजल भरि बाबाधामक यात्रा आरम्भ करैत अछि ।[३][४]
सुल्तानगञ्ज Sultanganj | |
---|---|
शहर | |
देश | भारत |
राज्य | बिहार |
जिला | भागलपुर |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• कुल | ५२८९२ |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | अंगिका आ हिन्दी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
डाक कोड | ८१३२१३ |
सवारी दर्ता | BR-10 |
धार्मिक महत्व
सम्पादन करीसुल्तानगञ्ज एक प्राचीन बौद्ध धर्मक केन्द्र छी जतय बहुतेक बौद्ध विहारसभ वाहेक एक स्तूपक अवशेष सेहो प्राप्त भेल अछि । सुल्तानगञ्जमे बाबा अजगबीनाथक विश्वप्रसिद्ध आ प्राचीन मन्दिर अछि । सुल्तानगञ्ज सँ एक विशाल गुप्तकालीन कलाक बौद्ध प्रतिमा भेटल अछि, जे वर्तमानमे बर्मिङ्घम (इङ्ल्यान्ड) कऽ सङ्ग्रहालयमे सुरक्षित अछि । ई बुद्ध प्रतिमा दुई टन सँ बेसी भारी तथा दुई मीटर उँच अछि । ई प्रतिमामे महात्मा बुद्धक शीश पर कुञ्चित केश तँ अछि मुदा ओकर चारो दिस प्रभामण्डल नै अछि ।
ई ताम्र प्रतिमा नालन्दा शैलीक प्रतीत होएत अछि मुदा सुप्रसिद्ध इतिहासकार राखाल दास बनर्जी एकरा पाटलिपुत्र शैलीमे निर्मित मानने अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "History Of Sultanganj"। blessingsonthenet.com। अन्तिम पहुँच 2018-09-10।
- ↑ "Shrawani Mela inaugurated - Times of India"। The Times of India। अन्तिम पहुँच 2018-09-10।
- ↑ "सुल्तानगंज के लिए रवाना हुआ कावरियाें का दल"। Dainik Bhaskar (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 2018-09-10।
- ↑ "छह घंटे तक जाम में फंसे रहे गोरगामा के कांवरिया"। Dainik Jagran (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 2018-09-10।