कृष्ण जन्माष्टमी
कृष्ण जन्माष्टमीके सातम आठम, गोकुलष्टमी, अष्टमी रोहिनी, श्रीकृष्ण जयन्ती, श्री जयन्ती वा साधारण भाषामे जन्माष्टमी सेहो कहल जाइत अछि । भगवान विष्णुक आठम् अवतारक रूपमे श्री कृष्णक जन्मदिनक अवसरमे हिन्दूसभद्वारा मनाएल जाइवाला ई एक वार्षिक पर्व छी ।[१] कृष्ण जन्माष्टमीमे हिन्दूसभ भगवान श्री कृष्णक पूजा-आराधना करैत श्रद्धा-भक्तिपूर्वक मनावैत अछि । ज्ञानयोग, कर्मयोग आ भक्तियोगक प्रणेता भगवान श्रीकृष्णक जन्म द्वापरयुगमे हिन्दू पञ्चाङ्ग अनुसार भाद्रकृष्ण अष्टमीक मध्यरातमे होएसँ आईके दिनमे श्रीकृष्ण जन्माष्टमी आ रातिके मोहरात्री कहल जाइत अछि। जन्माष्टमीक दिन हिन्दु बसोवास रहल क्षेत्रक कृष्ण मन्दिरसभमे भगवान् श्रीकृष्णक पूजा-आराधना, प्रवचन, भजन-कीर्तन करिके साथे विशेषकरि महिलासभ व्रत बसि रातिभर जाग्राम रहैवाला चलन अछि ।[२] अन्याय, अत्याचार आ राक्षसी प्रवृत्तिसँ मानवमात्रक संरक्षण करैक लेल भगवान् विष्णुक आठम् अवतारक रूपमे जन्मल श्रीकृष्ण आजीवन सत्यक पक्षमे रहैत सत्कर्मक लेल मानव समुदायक प्रेरित केनए छल । कुरुक्षेत्रमे कौरवसभसँ लडाईमे संलग्न पाण्डवसभमेसँ अर्जुनक उपदेश दै के क्रममे स्वयं उनकर मुखारविन्दसँ व्यक्त श्रीमद्भागवत गीता हिन्दूसभक पवित्र ग्रन्थ मानल जाइत् अछि । बाल्यकालसँ ही अपन विचित्र लीला देखेने श्रीकृष्ण पुतना, कंस, जरासन्ध, शिशुपाल जेहन दानवी प्रवृत्तिक संहार केनए छल । जन्माष्टमीमे पाटनक मंगलबजारस्थित प्रसिद्ध कृष्ण मन्दिरमे बड्का मेला लगैत अछि। एही उपलक्ष्यमे काठमाडौंलगायत मुलुकक विभिन्न नगरक विभिन्न धार्मिक संघ/संस्थासभद्वारा श्रीकृष्णक झाँकीसहित शोभायात्रा निकालेके चलन अछि । भारतमे समेत विभिन्न समुदायक हिन्दू धर्मावलम्बीसभ कृष्णाष्टमी हर्षोल्लासक साथ मनावैत अछि ।[३]
कृष्ण जन्माष्टमी | |
---|---|
अन्य नाम | जन्माष्टमी / दही हाडी / |
समुदाय | हिन्दू |
चिन्हसभक स्रोत | धार्मिक |
अनुष्ठान | २-८ दिन धरि |
पावनिसभ | व्रत, आरधना |
तिथि | भाद्र कृष्ण अष्टमी |
२०२५मे | |
सम्बन्ध | कृष्ण |
अनुष्ठान
सम्पादन करीसन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Sri Krishna Janamashtami celebrated in the city"। The Hindu। 24 August 2008। मूलसँ 21 September 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 12 August 2009।
{{cite news}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "In Pictures: People Celebrating Janmashtami in India"। अन्तिम पहुँच 10 August 2012।
- ↑ Packert, Cynthia. The Art of Loving Krishna: Ornamentation and Devotion. Indiana University Press, 2010. Print.