वड़ोदरा
वड़ोदरा (IPA: /ʋə'ɽod̪əɾa/), (पूर्व नाम : बडौदा ) गुजरात राज्यक तेसर सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई एक शहर छी जतेक महाराजा सयाजीराव विश्वविद्यालय अपन सुन्दर वास्तुकलाक लेल जानल जाइत अछि । वड़ोदरा गुजरातक एक महत्त्वपूर्ण नगर छी । वड़ोदरा शहर, वड़ोदरा जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय, पूर्वी-मध्य गुजरात राज्य, पश्चिम भारत, अहमदाबादक दक्षिण-पूर्वमे विश्वामित्र नदीक तटमे अवस्थित अछि । वड़ोदराके बडौदा सेहो कहल जाइत अछि । एकर सबसँ पुरानो उल्लेख सन् ८१२ क अधिकारदान या राजपत्रमे अछि, जाहिमे एकरा वादपद्रक बताएल गेल अछि । ई क्षेत्रके जैनिसभक कब्जासँ मुक्त करेनिहार दोर राजपूत राजा चन्दनक नाममे शायद एकरा चन्दनवटीक नामसँ सेहो जानल जाइत छल । समय-समयमे ई शहरक नव नामकरण होइत गेल, जेना वारावती, वातपत्रक, बडैदा आ सन् १९७१ मे वड़ोदरा नाम राखल गेल ।
वड़ोदरा
વડોદરા Vadodara | |
---|---|
शहर | |
देश | भारत |
राज्य | गुजरात |
जिला | वड़ोदरा जिला |
क्षेत्रफल | |
• कुल | २२५ किमी२ (८७ वर्गमाइल) |
• क्रम | १८ |
उन्नतांश | १२९ मिटर (४२३ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११)[२] | |
• कुल | २०६५७७१[१] |
• क्रम | २०अम |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
डाक कोड | ३९० ०XX |
टेलिफोन कोड | (९१)२६५ |
आइएसओ ३१६६ सङ्केत | ISO 3166-2:IN |
वेबसाइट | vmc.gov.in |
इतिहास
सम्पादन करीइतिहासमे ई शहरक पहिल उल्लेख सन् ८१२ मे ई क्षेत्रमे आबि बैसल व्यापारीसभक समयसँ भेटल अछि । सन् १२९७ मे ई प्रान्त हिन्दू शासनक अधिन हिन्दूसभक वर्चस्वमे छल । ईसाई यूगक प्रारम्भमे ई क्षेत्र गुप्तवंशक साम्राज्यक अधीन छल । भयङ्कर युद्धबाद, ई क्षेत्रमे चालुक्य वंशक सत्ता कायम भेल आ एकर आधिन भऽ गेल । अन्तमे, ई राज्यमे सोलङ्की राजपूतसभ कब्जा केलक । ई समयधरि मुस्लिम शासन भारत वर्षमे फैलल छल आ देखते देखते वड़ोदराक सत्ताक बागडोर दिल्लीक सुल्तानसभक हात चलि गेल । वड़ोदरामे दिल्लीक सुल्तानसभ एक लम्बा समयधरि शासन केलक, जाबे धरि ओ सभ मुगल सम्राटसभद्वारा परास्त नहि भऽ गेल । मुगलसभक सबसँ पैग समस्या मराठा शाषक छल जे कनिक कनिक करि मुदा अन्ततः ई क्षेत्रमे अपन राज्य स्थापित केलक आ ई मराठा वंश गाइकवाडक राजधानी बनल । सर सयाजी राव गाइकवाड (१८७५-१९३९) III, एहि वंशक सबसँ सक्षम आ लोकप्रिय शासक छल आ ओ ई क्षेत्रमे बहुतेक सरकारी आ नौकरशाही सुधार करैमे सफल भेल । ब्रिटिश राजक समयमे भारतक बहुतेक क्षेत्रमे ब्रिटिशसभक प्रभाव छल मुदा बडोदरा भारतक स्वतन्त्रताधरि एक शाही राज्य बनल रहल । बहुतेक अन्य रियासतसभ जका, बडोदरा राज्य सेहो सन् १९४७ मे गणतन्त्र भारतमे शामिल भऽ गेल ।
उद्योग
सम्पादन करीई शहरमे उत्पादित होमएवला विभिन्न प्रकारक वस्तुसभमे सूती वस्त्र तथा हथकरघा वस्त्र, रसायन, दियासलाई, मसिनसभ आ फर्नीचर शामिल अछि ।
यातायात
सम्पादन करीवड़ोदरा एक रेल आ मेर्ग जङ्क्सन छी तथा एतय एक विमेनस्थल सेहो अछि ।
जनसङ्ख्या
सम्पादन करीसन् २००१ क भारतक जनगणना अनुसार वड़ोदरा शहरक जनसङ्ख्या १३,०६,०३५ अछि आ बडोदरा जिलाक कुल जनसङ्या ३६,३९,७७५ अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ Census 2011, Indian। "Indian Census 2011"।
{{cite web}}
: CS1 maint: numeric names: authors list (link) - ↑ Cities having population 1 lakh and above, Census 2011. censusindia.gov.in