रुचिरा कम्बोज भारतीय विदेश सेवा सन् १९७८ ब्याचक भारतीय राजनयिक आ दक्षिण अफ्रिकाक लेल भारतक वर्तमान उच्चायुक्त आ भुटान साम्राज्यमे राजदूत छी।[२] रुचिरा सन् १९८७ भारतीय प्रशासनिक सेवा ब्याचक अखिल भारतीय महिला टपर आ सन् १९८७ विदेश सेवा ब्याचक टपर छल। [३]

रुचिरा कम्बोज
Ruchira Kamboj
भुटानमे भारतीय राजदूत
पूर्वाधिकारीजयदीप सरकार
दक्षिण अफ्रीकामे भारतक उच्चायुक्त
पूर्वाधिकारीरूचि घनश्याम
राजदूत / पिआर युनेस्को
पूर्वाधिकारीविनय मोहन क्वात्रा
उतराधिकारीविनय शील ओबराय
प्रोटोकलक प्रमुख
पूर्वाधिकारीसुनील कुमार लाल
उतराधिकारीजयदीप मजूमदार
व्यैक्तिक विवरण
जन्म१९६४ (उमर ५९–६-१)
लखनऊ, उत्तर प्रदेश, भारत
राष्ट्रियताभारतीय
जीवनसाथीदिवाकर कम्बोज
वेबसाइटhcipretoria.gov.in

पेरिस, फ्रान्समे अपन राजनयिक यात्रा शुरू केनए छल, जतय हुनका सन् १९८९-१९९१ धरि फ्रान्समे भारतीय राजदूतावासमे तेसर सचिवक रूपमे नियुक्त कएल गेल छल। एहि अवधिक अन्तरालमे, ओ इन्स्टिच्युट क्याथोलिक, पेरिस आ एलायन्स फ्रान्सेइस पेरिसमे फ्रेञ्च भाषाक अध्ययन केलक। अपन भाषा पुरा भेलाक बाद, ओ राजनीतिक मुद्दासभ सँ निपटैक लेल भारतीय दूतावासमे फ्रान्समे द्वितीय सचिवक रूपमे कार्य केलक। एकर बाद ओ दिल्ली आबि गेल, जतय ओ सन् १९९१ सँ सन् १९९६ धरि भारतक विदेश मामलासभक मन्त्रालयक युरोप वेस्ट डिभिजनमे अन्डर सेक्रेटरीक रूपमे काम केलक। ओ फ्रान्स, ब्रिटेन, बेनेलक्स देशसभ, इटली, स्पेनपोर्चुगलक राजनायिकसभ सङ्गे काज केनए छल। एहि क्षमताक आधारमे ओ अक्टुबर सन् १९९५ मे न्युजिल्यान्डक अकल्यान्डमे १४म् राष्ट्रमण्डल शासनाध्यक्षसभक बैठकमे देशक प्रतिनिधित्व करैत राष्ट्रमण्डल देशक सङ्ग भारतक सम्बन्धकें सेहो सम्भाललक।

सन् १९९६ सँ सन् १९९९ धरि, ओ पोर्ट लुइसमे भारतीय उच्चायोगमे प्रथम सचिव (आर्थिक आ वाणिज्यिक) आ चान्सरीक प्रमुखक रूपमे मरिससमे काज केलक। ओ सन् १९९८ मे भारतक प्रधानमन्त्री देवेगौडाक मरिसस यात्राक समय आ सन् १९९७ मे प्रधानमन्त्री इन्द्र कुमार गुजरालक दक्षिण अफ्रिका दौरा सँ ओ बहुत तह सँ जुडल छल, जतय हुनका दक्षिण अफ्रिकामे विशेष काज पर भेजल गेल छल।

दिल्ली आबि, रुचिरा सन् १९९९ जुन सँ सन् २००२ मार्च धरि भारतक विदेश मन्त्रालयमे विदेश सेवा कार्मिक आ क्याडर कऽ प्रभारी उप सचिव आ बादमे निर्देशक कऽ रूपमे काज केनए छल, जे मन्त्रालयमे ई प्रमुख प्रशासन पद पर सभ सँ बेसी समय धरि सेवा देनिहार कार्यकालसभमे सँ एक छल।

व्यक्तिगत जीवन सम्पादन करी

रुचिरा कम्बोजक विवाह व्यवसायी दिवाकर काम्बोज सँ भेल अछि आ हुनकर एक बेटी अछि। हुनकर दिवन्गत पिता भारतीय सेनामे एक अधिकारी छल आ हुनकर माता दिल्ली विश्वविद्यालय सँ संस्कृतक एक लेखक-प्राध्यापक (रीट) छी। ओ तीन भाषासभ बोलैत अछी, जहिमे हिन्दी, अङ्ग्रेजीफ्रेन्चआबैत अछि।

अलग-अलग अखबारसभ आ पत्रिकासभमे, विविध विषयसभ पर, हुनका लग बहुत रास क्रेडिट्स अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "H. E. Ambassador Ruchira Kamboj"। High Commission of India, Pretoria। अन्तिम पहुँच 25 January 2019
  2. https://timesofindia.indiatimes.com/india/centre-appoints-ambassadors-to-key-countries/articleshow/67592340.cms
  3. http://www.hcisouthafrica.in/hc.php?id=High%20Commissioner सङ्ग्रहित २०१८-११-१२ वेब्याक मेसिन ]