भुटानी ङ्गुल्ट्रुम
ङ्गुल्ट्रुम (जोङ्खा भाषा:དངུལ་ཀྲམ, [ŋýˈʈúm], अङ्ग्रेजी: Ngultrum प्रतीक : Nu., कोड : BTN) भुटान साम्राज्यक मुद्रा छी। एकरा १०० छेरटुम (ཕྱེད་ཏམ, [pt͡ɕʰɛ́ˈtám])मे विभाजित कएल अछि, जे सन् १९७९ धरि सिक्का पर 'छेरटुम' कऽ रूपमे लिखल जाएत छल। भुटानक शाही मौद्रिक प्राधिकरण, ङ्गुल्ट्रुम बैंक नोट आ सिक्कासभक खनन प्राधिकरण छी। ङ्गुल्ट्रुम केर वर्तमान समयमे समताक रूपमे भारतीय रुपयाक बराबर आँकल गेल अछि।
དངུལ་ཀྲམ (जोङ्खा) | |
---|---|
आइएसओ ४२१७ | |
कोड | BTN (numeric: 064) |
उप एकाई | 0.०१ |
एकाई | |
मुद्रा | नु. |
मूल्यवर्ग | |
उपएकाई | |
१⁄१०० | छेरटुम |
चिन्ह | |
छेरटुम | छ. |
बैंक नोट | नु.१, नु.५, नु.१०, नु.२०, नु.५०, नु.१००, नु.५००, नु.१०००[१][२] |
सिक्का | |
अतिकम प्रयुक्त | छ.५, छ.१०, छ.२५, छ.५०, नु.१ नु.३ |
जनसाङ्ख्यिकी | |
प्रयोक्ता(सभ) | भुटान (भारतीय रुपयाक सङ्ग) |
जारीकर्ता | |
मौद्रिक प्राधिकरण | भुटानक शाही मौद्रिक प्राधिकरण |
वेबसाइट | rma.org.bt |
मूल्याङ्कन | |
मुद्रास्फीति | ५.२% |
स्रोत | 'भुटानक शाही मौद्रिक प्राधिकरण', सन् २०१५ अनु. |
नियन्त्रित मुद्रा | भारतीय रुपया (बराबर) |
शब्दोपत्ति
सम्पादन करीङ्गुल्ट्रुम शब्दक व्युत्पत्ति जोङ्खा भाषा के 'ङ्गुल,' (अर्थ- चाँदी) आ मैथिलीक 'ट्रुम' (अर्थ- पैसा)सँ मिल बनल अछि।[३]
इतिहास
सम्पादन करीसन् १७८९ धरि, कुच बिहार टकसालक सिक्का भुटानमे फैल गेल छल। एकर बाद, भुटान अप्पन सिक्कासभ स्वयं जारी केनाए सुरु कएल छल जकरा 'छेरटुम' कऽ नामसँ जानल जाएत छल। एहिमे बेसी सँ बेसी चाँदी केर अठन्नी छल। सन् १९२९ धरि मात्र एक प्रकारक अङ्कित कएल चाँदी आ ताम्बा केर सिक्का जारी कएल गेल छल, जब आधुनिक शैली केर चाँदीक रुपयाक सिक्का पेश कएल गेल। एकर बाद सन् १९३१ मे काँसक १ पैसा (सन् १९२८ दिनाङ्क) आएल।[४]
ओकर बाद निकलक अठन्नी (१⁄२ रुपया केर सिक्का) सन् १९५० मे पेश कएल गेल छल। जतय कुचबिहार टकसालक सिक्कासभ भुटानक अप्पन सिक्कासभक सङ्ग परिचालित रहल आ सन् १९५७ मे दाशमिक मुद्रावली क प्रयोग आरम्भ भेल छल। एकर अनुसार सिक्कासभक भुटानक प्रथम अङ्कमे नबका पैसाक रूपमे पेश कएल गेल छल। सन् १९६६ मे २५ नबका पैसा, ५० नबका पैसा आ १ रुपयाक सिक्के जारी कएल गेल छल, जे कि ताम्र निकलक छल।[५]
जतय भुटानी सरकार सन् १९६० केर दशकमे अप्पन अर्थव्यवस्था विकसित केलक आ सन् १९६८ मे मौद्रीकरणक बाद बैंक अफ भुटानक स्थापना भेल छल। सन् १९७४ मे मौद्रिक सुधार भेलाक बाद भुटान सरकारद्वारा आधिकारिक तौर पर ङ्गुल्ट्रुम केर १०० छेरटुमक बराबर १ ङ्गुल्ट्रुमक रूपमे स्थापित केनए छल। ङ्गुल्ट्रुम अप्पन मूल्य केर पहिने जका भारतीय रुपयाक बराबर राखलक आ भुटानी सिक्का सेहो ई तथ्य केर बनाए राखलक।[६]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "BanknoteNews – Breaking news about world paper money. Powered by the Banknote Book"। banknotenews.com। मूलसँ 2016-01-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2008-11-13।
- ↑ Bhutan issues new 50- and 1,000-ngultrum notes सङ्ग्रहित २०१६-०३-०५ वेब्याक मेसिन BanknoteNews.com. Retrieved 2011-10-15.
- ↑ Berlin, Howard M. (24 October 2008)। "World Monetary Units: An Historical Dictionary, Country by Country"। McFarland। मूलसँ 1 मई 2018 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 24 नवंबर 2019 – Google Books माध्यमसँ।
{{cite web}}
: Check date values in:|access-date=
(help) - ↑ "Currency Information: Bhutanese Rupee"। ExchangeRate.com। मूलसँ 2 अक्तूबर 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 29 September 2016।
{{cite web}}
: Check date values in:|archive-date=
(help) - ↑ "Currency Information: Bhutanese Rupee"। ExchangeRate.com। मूलसँ 2 अक्तूबर 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 29 September 2016।
{{cite web}}
: Check date values in:|archive-date=
(help) - ↑ "Royal Monetary Authority of Bhutan - History"। rma.org.bt। 5 अक्तूबर 2017 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 12 April 2018।
{{cite web}}
: Check date values in:|archive-date=
(help)