बारिसाल (बङ्गाली: বরিশাল) बङ्गलादेशक एक मुख्य शहर छी जे कीर्तनखोला नदिक किनारमे अवस्थित अछि । ई शहर बङ्गलादेशक दक्षिण-मध्य क्षेत्रमे अवस्थित अछि । ई बरिसाल जिला आ बरिसाल विभागक प्रशासनिक मुख्यालय आ सभ सँ पैग शहर छी । ई बङ्गलादेशक सभ सँ पुरान नगरपालिका आ नदी बन्दरगाहक रुपमे रहल अछि । बरिसाल नगरपालिका सन् १९७६ मे ब्रिटिश राजक समयमा स्थापना भेल छल आ २५ जुलाई २००२ मे नगरपालिका निगममे स्थानोन्न्ति कएल गेल छल । सन् २०११ कऽ राष्ट्रिय जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ३२८,२७८ रहल अछि आ ई शहरमे ३० टा वार्डसभ आ ५० टा महलसभ अछि । ई शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि ।

बरिसाल
বরিশাল
—  शहर  —
Barisal Cityscape, 2015.jpg
Guthia mosque,Barisal.jpg
দুর্গাসাগর.JPG
Hotel Grand Park, Barisal.JPG
Kirtonkhola River Barisal 14.jpg
BM College, Barisal.jpg
बरिसालक सम्पदासभ
उपनाम: पुरबक भेनिस
बरिसाल बंगलादेशपर अवस्थित
बरिसाल
बरिसाल
निर्देशांक : २२°४८′०″उ॰ ९०°३०′०″पू॰ / २२.८००००°N ९०.५००००°E / 22.80000; 90.50000
विभाग बरिसाल विभाग
जिला बरिसाल
नगरपालिकाक स्थापना १८७६; १४७ वर्ष पहिने (१८७६)
शहर निगम २००२; २१ वर्ष पहिने (२००२)
शहर १९ अप्रैल २००१[१]
शासन
 • प्रणाली मेयर परिसद
 • सभा बरिसाल परिसर निगम
 • मेयर
क्षेत्र[२]
 • नगरीय 58 किमी2 (22 वर्गमाइल)
ऊँचाई 1 मिटर (4 फिट)
जनसंख्या (२०११)[३]
 • शहर ३,२८,२७८
 • महानगर ३,८५,०९३
समय मण्डल बङ्गलादेशी समय (यूटीसी +६)
डाक कोड ८२००
टोलिफोन कोड ०४३१
जालस्थल अाधिकारिक वेबसाइट

जनसाङ्ख्यिकीसंपादित करें

सन् २०११ कें राष्ट्रिय जनगणनाक अनन्त परिणामक अनुसार बरिसालक जनसङ्ख्या (बरिसाल नगर निगमक अधिकार क्षेत्र अन्तर्गत) ३२८,२७८ रहल अछि जहिमे सँ परुषक जनसङ्ख्या ५१.६३ आ महिलाक जनसङ्ख्या ४८.३७% रहल अछि ।

बरिसालको शहरीया लोकसभक साक्षरता दर ७५.३% अछि जे राष्ट्रिय औसत ५६.५% सँ अधिक छी । बरिसालमे लगभग सम्पूर्ण लोक बङ्गाली छी ।

भूगोलसंपादित करें

बरिसाल शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । बरिसाल जिल्लाकें केन्द्रक रुपमे रहल ई शहरकें मदारीपुर, लक्ष्मीपुर, चाँदपुर, शरियतपुर जिलाद्वारा उत्तर तर्फ सँ घेरल अछि तँ पटुवाखाली, बर्जुना आ झालोकोटी जिला एकरा दक्षिण दिशा दिस सँ घेरने अछि । खोरदबाद, एरियल खान, कमलीजरा आ कीर्तनखोला ई शहरक मुख्य नदीसभ छी ।

अर्थतन्त्रसंपादित करें

बरिसाल बङ्गलादेशक सभ सँ बेसी धान उत्पादन केनिहार शहर छी । ई शहरमे बलाम (एक प्रकारक बासमती धान) एक लोकप्रिय धान छी । ई शहर पानक लेल सेहो प्रख्यात अछि । शहरकें नदीसभद्वारा घेरल भेलाक कारण एतय माछ सेहो पर्याप्त मात्रमे भेटैत अछि । नारियल ई शहरक एक मुख्य फलफुल छी । ई शहर सँ अखन हल्सा माछ, सिमेन्ट, धान, औषधिसभ अायात होएत आएल अछि ।

खेलकुदसंपादित करें

ई शहरमे क्रिकेटफुटबल अत्याधिक रुचाएल खेल छी तहिना कबड्डीटेनिस सेहो लोकप्रिय रहल अछि । बरिसाल विभागीय रङ्गशाला ई शहरक अन्तर्राष्ट्रिय रङ्गशाला छी जहिमे विविध प्रकारक खेलसभ खेलल जाएत अछि । ई रङ्गशालाक कुल दर्शक क्षमता १५,००० रहल अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसंपादित करें

  1. "बरिसाल शहरको अग्रिम योजना -", बङ्गलादेश सरकार, मूलसँ १४ अप्रैल २०१५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ अप्रैल २०१५  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  2. "बरिसाल शहर परिसद, बङ्गलादेश", अन्तिम पहुँच १२ अप्रैल २०१५ 
  3. "२०११ राष्ट्रिय जनगणना , बङ्गलादेश", बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग, पृ: ३८, मूलसँ ८ दिसम्बर २०१५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ डिसेम्बर २०१५  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)

बाह्य जडीसभसंपादित करें