एसोसिएशन फुटबल जकरा प्राय: फुटबल (अङ्ग्रेजी: फुट: लात वा पद, बल) वा सकर कहल जाइत अछि, ई संसारक लोकप्रिय खेलसभमे सँ एक छी । ई एकटा सामूहिक खेल छी आ एकरा ११/११ खेलाडीसभक दुई सममूह बीच खेलल जाइत अछि । फुटबलकें सामान्यत: एकटा आयताकार घाँस वा कृत्रिम घाँस भेल मैदानमे खेलल जाइत अछि जकरा अन्तिममे एकटा गोलपोस्ट होइत अछि । खेलाडीसभद्वारा विरोधी समूहको गोलपोस्टमे अपन चालाकीद्वारा फुटबलके गोल करनाए ई खेलक उद्देश्य छी । खेलमे गोलरक्षक मात्र एकटा एहन खेलाडी होइत अछि जे फुटबल रोकैक लेल अथवा बचाबैक लेल अपन हात प्रयोग करैक अनुमति होइत अछि । समूहक बाँकी खेलाडी प्रायजका फुटबलकें प्रहार (किक)क लेल अपन टाङ्गक प्रयोग करैत अछि । तथा कहियो काल हावामे बल रोकैक लेल अपन छाती या कपारक प्रयोग करैत अछि । जुन समूह खेलक अन्त वा समय समाप्तिधरि बेसी गोल करैमे सफल होइत अछि अन्त्यमे ओ टिम विजय घोषित होइत अछि । खेलक अन्त अर्थात समय समाप्तिधरि यदि स्कोर बराबर भेलापर ओ खेलकें बराबर वा ड्र घोषित कएल जा सकैत अछि वा खेलकें अतिरिक्त समयमे ल जाए पेनाल्टी शुट आउट द्वारा जितहारक निर्णय करनाए प्रतियोगिताक स्वरुप उपर निर्भर होइत अछि ।

फुटबल
एक(१० नं.)क आक्रमक खेलाडी विपक्षी टिमक गोलपोस्टमे बल प्रहार करैत ।
उच्चतम अन्तराष्ट्रिय  संस्थाफिफा
Nicknamesसकर, फुटी, द ब्युटिफुल गेम, द वर्ल्ड गेम
पहिलो खेलब्रिटेन (१९अम शताब्दीक मध्यमे) (इङ्गल्याण्डमे १५अम शताब्दीसँ खेलल जाइत)
अभिलक्षण
सम्पर्कहोइत अछि
टिम सदस्य११/११ जना
लैङ्गिक विभाजनमहिला/पूरुष
श्रेणीकरणसमूह खेल
खेल सामाग्रीबल वा सकर बल
आयोजना स्थानफुटबल खेल मैदान
उपस्थिति
ओलम्पिक१९००

खेलाडी सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी