डोमकछ

(डमकचसँ पुनर्निर्देशित)

डोमकछ या डमकछ भारतक बिहार राज्य केर, झारखण्ड आ [नेपाल]]क मधेश प्रदेश केर लोक नृत्य छी। बिहारनेपाल मे मिथिला आ भोजपुरी क्षेत्रमे डोमकछ नृत्य कएल जाइत अछि।[१] भारतक उत्तर प्रदेशमे ई एक प्रकारक पावनि छी।[२]


झारखण्डमे ई नागपुरी लोक नृत्य छी। दूल्हा आ दुल्हीनक परिवार केर महिलासभ आ पुरुषसभ मुख्य रुपसँग विवाह समारोहसभ केर समयमे ई नृत्य करैत अछि।[३] ओ एक दोसर केर डाँढ पकडि ई विशेष नृत्य करबा लेल अर्धवृत्त बनावैत अछि आ गीत के बोल व्यङ्ग्यपूर्ण आ आनन्दसँ भरल होइत अछि। नागपुरी डोमकछ केर आगा एखरिया डोमकछ, दोहरी डोमकछ आ झुमटामे विभाजित कएल गेल अछि। ई नृत्यक नाम डम्ब्रू नामक संगीत वाद्ययन्त्र केर नाम पर रखल गेल अछि। ई नृत्य कार्तिक महिना (अक्टूबर-नवम्बर) मे देवउठौनक बाद विवाहक मौसममे शुरू होइत अछि आ बरसाति केर मौसमक शुरुवातमे आषाढ महिना (जून-जुलाई) मे रथ यात्रा धरि जारी रहैत अछि।[४][५][६]


सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Domkach"Folklibrary.comमूलसँ 21 February 2019 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 18 December 2018
  2. Rajesh Kumar; Om Prakash (30 November 2018). Language, Identity and Contemporary Society. Cambridge Scholars Publishing. प॰ 97. आइएसबिएन 978-1-5275-2267-1. https://books.google.com/books?id=Ddl9DwAAQBAJ&pg=PA97. अन्तिम पहुँच तिथि: 18 December 2018. 
  3. "Out of the Dark"democratic world.in
  4. "Easrern Zonal Cultural Centre"Ezccindia.orgमूलसँ 5 April 2018 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 18 December 2018 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  5. Manish Ranjan (2022). Jharkhand General Knowledge 2022. Prabhat Prakashan. प॰ 4.9. आइएसबिएन 978-9354883002. https://books.google.com/books?id=9S1pEAAAQBAJ&pg=SA4-PA9. 
  6. Sanjay Krishna (2013). JHARKHAND KE PARVA-TYOHAR, MELE AUR PARYATAN STHAL. Prabhat Prakashan. प॰ 55. आइएसबिएन 978-9350485286. https://books.google.com/books?id=wdFHDwAAQBAJ&pg=PT55. 


बाह्य जडीसभ सम्पादन करी



एहो सभ देखी सम्पादन करी