चित्रकूट
चित्रकूट धाम मन्दाकिनी नदीक किनारमे बसल भारतक सभ सँ प्राचीन तीर्थस्थलमे सँ एक छी। उत्तरप्रदेश राज्य अन्तर्गत रहल चित्रकूट ३८.२ वर्ग किलोमीटरक क्षेत्रमे फैलल शान्त आ सुन्दर अछि। चारो दिश सँ विन्ध्य पर्वत श्रृङ्खला आ वन सँ घिरल चित्रकूट क्षेत्रमे अनेक आश्चर्यसभक पहाड अवस्थित अछि । मन्दाकिनी नदीक किनार बनल अनेक घाट आ मन्दिरमे पूरे साल श्रद्धालुसभक आवत-जावत लगल रहैत अछि।
चित्रकूट Chitrakoot | |
---|---|
शहर | |
![]() चित्रकूटमे अवस्थित घाट | |
निर्देशाङ्क: २५°००′N ८०°५०′E / २५.००°N ८०.८३°Eनिर्देशाङ्क: २५°००′N ८०°५०′E / २५.००°N ८०.८३°E | |
राष्ट्र | देश |
राज्य | मध्य प्रदेश |
जिला | सतना |
जनसङ्ख्या (२००१) | |
• सम्पूर्ण | २२,२९४ |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | हिन्दी |
समय क्षेत्र | भारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०) |
आइएसओ ३१६६ कोड | IN-MP |
गाडी दर्ता | MP |
मानल जाएत अछि कि भगवान राम, सीता आ लक्ष्मण अपन वनवासक चौदह वर्षमे सँ एगारह वर्ष चित्रकूट मे बितौने छल। ई स्थान पर ऋषि अत्रि आ सती अनसुइया ध्यान केनए छल। ब्रह्मा, विष्णु आ महेश सेहो चित्रकूटमे सती अनसुइयाक घर जन्म लेनए छल ।
प्रमुख आकर्षणसम्पादन
कामदगिरिसम्पादन
रामघाटसम्पादन
राम घाट ओ घाट छी जतय प्रभु राम नित्य स्नान करैत छल। एहि घाट पर राम भारत मिलाप मन्दिर अछि आ एहि घाटमे गोस्वामी तुलसीदास जी कऽ प्रतिमा सेहो अछि। मन्दाकिनी नदीक तट पर बनल रामघाटमे अनेक धार्मिक क्रियाकलाप चलैत रहैत अछि। घाटमे गेरूआ वस्त्र धारण कएल साधु-सन्तक भजन आ कीर्तन करैत देख मोन बहुत प्रसन्न भऽ जाएत अछि। साँझक समय होमएवाला आरती मोनकें बहुत आनन्दित बनबैत अछि।
हनुमान धारासम्पादन
पहाड़ीकें शिखरमे अवस्थित हनुमान धारामे हनुमानक एक विशाल मूर्ति अछि। मूर्तिके ठीक आगा एक पोखरिमे झरना सँ पानि झहरैत रहैत अछि। कहल जाएत अछि कि ई धारा श्रीराम लङ्का दहन सँ आएल हनुमानक आरामक लेल बनेने छल। पहाड़ीकें शिखरमे 'सीता रसोई' सेहो अछि। हिमर सँ चित्रकूटक सुन्दर दृष्य देखल जा सकैत अछि।