चारमीनार
चारमीनार, सन् १९५१ मे निर्मित एक मस्जिद आ धरोहर छी जे भारतक नव राज्य तेलङ्गानाक हैदराबाद शहरमे अवस्थित अछि । ई स्थान हैदराबादक विश्वव्यापी मुख्य कलाकृति छी जे समुचा भारतक अमूल्य धरोहरक सूचीमे सूचीकृत अछि । [१] चारमीनार मुसी नदीक किनारमे अवस्थित अछि ।[२] एकर पश्चिममे लाड बजार आ दक्षिणपश्चिममे पूर्ण ग्रेनाइटसँ निर्मित मक्का मस्जिद अवस्थित अछि ।[३] भारतक पुरातात्विक विभागद्वारा जारी कएल गेल भारतक पुरातात्विक आ अमूल्य धरोहरसभक सूचीमे चार मीनार सूचीवद्ध अछि ।[४] चारमीनार शब्द उर्दू भाषाक दुई संयुक्त शब्द चार आ मीनार सँ आएल अछि जकर अङ्ग्रेजी रूप चार टावर्स होइत अछि ।[३]इतिहासकार मसुद हुसैन खानक अनुसार चारमीनारक निर्माण समाप्ति सन् १५९२ मे भेल जतय अखुनका हैदराबाद शहर अछि जकर स्थापना सन् १५९१ मे भेल छल ।[५]
चारमीनार | |
---|---|
Charminar చార్మినార్ چار مینار | |
धर्म | |
आवद्धता | इस्लाम |
स्थान | |
स्थान | हैदराबाद, तेलङ्गाना, भारत १७°२१′४२″N ७८°२८′२९″E / १७.३६१६३°N ७८.४७४६७°Eनिर्देशाङ्क: १७°२१′४२″N ७८°२८′२९″E / १७.३६१६३°N ७८.४७४६७°E |
प्रदेश | तेलङ्गाना (తెలంగాణా రాష్త్రం) |
Administration | कुली कुतुब शाह |
वास्तुकला | |
शैली | इस्लामिक वास्तुकला |
कार्य सम्पन्न | सन् १५९४ |
Specifications | |
Minaret(s) | ४ |
Minaret height | ४८.७ मिटर (१६० फिट) |
इतिहास
सम्पादन करीकुतुब शाही राजवंशक पाँचम् शासक सुल्तान मुहम्मद कुली कुतुब शाह चारमीनारक निर्माण सन् १५९१ मे करौने छल । गोलकुण्डासँ हैदराबाद राजधानी स्थानान्तरित करि ओ शीघ्र चारमीनारक विशाल संरचना बनौलक । चारमीनारक कारण आई ई हैदराबाद शहर विश्वव्यापी केन्द्रक रूपमे स्थापित अछि ।
एतिहासिक व्यापारिक मार्गक बिचोबीच चारमीनारक निर्माण कएल गेल छल जे गोलकोण्डा बजार आ बन्दरगाह शहर मछलीपट्टनमक जोडैत अछि ।[६]:१९५ भारतक पौराणिक शहर हैदराबादक मध्यमे चारमीनारक निर्माण भेल अछि ।[७][८][६] [९] [१०]:१७० शहरक योजनावद्ध तरिकासँ बसाबैक लेल अतिरिक्त वास्तुविद्सभ सेहो पर्सियासँ बजाएल गेल छल । चारमीनारक संरचना स्वयम् मस्जिद आ मदरसाक रूपमे काज करैत छल । ई इस्लामिक वास्तुशैलीमे निर्माण कएल गेल अछि । अपन सोनगर दिनमे, चारमीनार बाजारमे १४,००० क आसपास दोकान छ्हल । चारमीनारक नजदिक रहल प्रसिद्ध लाड बजार आ पाथेर गट्टी बाजार, आभूषण, स्थानीय समान विशेष रूपसँ निक चूडी आ मोतीक लेल पर्यटक आ स्थानीयसभक लेल जानल जाइत अछि ।
सन् २००७ मे, पाकिस्तानक हैदराबाद प्रान्तमे रहनिहार मुसलमानसभ कराचीमे बहादुराबाद पड़ोसक मुख्य चौकपर चारमीनारक अर्ध प्रतिकृति निर्माण केनए अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Richard Goslan travels to India - Herald Scotland"। मूलसँ 2010-12-18 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-11-15।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ Charminar (building, Hyderabad, India), Britannica Online Encyclopedia
- ↑ ३.० ३.१ Charminar: Hyderabad, Britannica Compton's Encyclopedia
- ↑ "Alphabetical List of Monuments - Andhra Pradesh"। Archaeological Survey of India। मूलसँ 25 June 2014 कऽ सङ्ग्रहित।
{{cite web}}
: Unknown parameter|deadurl=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ Mohammad Quli Qutb Shah, volume 216. Sahitya Akademi. 1996. आइएसबिएन 8126002336. https://books.google.com/books?id=v4UKJFLZVcEC&printsec=frontcover&source=gbs_ge_summary_r&cad=0#v=onepage&q&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 21 December 2012.
- ↑ ६.० ६.१ Gayer, Lauren; Lynton, Christophe Jaffrelot (2011). Muslims in Indian cities: trajectories of marginalisation. Columbia University Press. आइएसबिएन 9780231800853. https://books.google.com/books?id=Z7J8ITgtkosC&printsec=frontcover&source=gbs_ge_summary_r&cad=0#v=onepage&q&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 21 December 2012.
- ↑ "Mecca Mosque"। Encyclopedia Britannica। अन्तिम पहुँच 3 November 2011।
- ↑ "The Qutb Shahi monuments of Hyderabad-Golconda Fort, Qutb Shahi Tombs, Charminar"। UNESCO World Heritage Centre। 10 September 2010। अन्तिम पहुँच 21 December 2012।
- ↑ "Qutb Shahi style (mainly in and around Hyderabad city)"। Government of Telangana। 2002। मूलसँ 10 January 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 21 December 2012।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ Sardar, Marika (2007)। Golkonda through time: A mirror of the evolving Deccan (Thesis)। New York University। UMI Number:3269810। अन्तिम पहुँच 21 December 2012।[permanent dead link]
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे चारमीनारसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
विकियात्रामे हैदराबादसँ सम्बन्धित यात्रा वृतान्त उपलब्ध अछि। |
- चारमीनारक चित्र सङ्ग्रहित २०१२-०१-१८ वेब्याक मेसिन