खजिन चिड़ैयाँ या खञ्जन चिड़ै (अङ्ग्रेजी: White Wagtail) मोटेसिलिडे परिवारक एक छोट पासरिन चिड़ै छी। ई प्रवासी चिड़ैसभ अप्पन आँखिक लेल समुचा भारतीय उपमहाद्विपमे लोकप्रिय अछि। ई चिड़ैसभ रुसक साइबेरिया क्षेत्रसँ भारत, नेपालबङ्गलादेशमे वर्षा ऋतुमे आबि शरद ऋतुधरि रहैत अछि मुदा गर्मी मौसम आबिते ई चिड़ैसभ ठण्डा स्थानक खोजीमे एहि ठामसँ चलि जाइत अछि। खजिन चिड़ैयाँक रङ्ग चितकाबर होइत अछि आ आकार बगरा सनि होइत अछि।

खजिन चिड़ैयाँ
White Wagtail
खजिन चिड़ैयाँ
संरक्षण स्थिति
वैज्ञानिक वर्गीकरण edit
जगत: जन्तु जगत
वर्ग: चिड़ै
गण: पासरिफोर्मिज
परिवार: Motacillidae
वंश: खञ्जन
प्रजाति:
M. alba
वैज्ञानिक नाम
Motacilla alba
इबर्ड प्रतिवेदन अनुसार वैश्विक नक्सा      गर्मी सीमा     वार्षिक-गति सीमा     ठण्डी सीमा
Motacilla alba
Cuculus canorus canorus + Motacilla alba

खजिन चिड़ैयाँ जमीन पर दौड़ि कऽ नहि चलैत अछि बल्कि फुदकि फुदकि कऽ चलैत अछि। ई चिड़ैसभ बैसल बैसल अप्पन नाङ्गरिकेँ हरदम उपर नीचा डोलबैत रहैत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. BirdLife International (2019)। "Motacilla alba"IUCN Red List of Threatened Species। 2019.3। 2019: e.T22718348A137417893। अन्तिम पहुँच 14 December 2019

एहो सभ देखी

सम्पादन करी