कोनो प्रजातिक संरक्षण स्थिति ओहि सम्भावनाक द्योतक छी कि ओ प्रजाति वर्तमानमे वा निकट भविष्यमे विलोपनसँ बचल रहै । कोनो प्रजातिक संरक्षण स्थितिक आकलनक लेल बहुतेक कारकसभक ध्यानमे राखल जाएत अछि: नै मात्र की ओ प्रजातिक शेष सदस्यसभक सङ्ख्या, अपितु ओकर जनसङ्ख्यामे एक खास अवधिक दौरान समग्र वृद्धि वा कमी, प्रजनन सफलताक दर, ज्ञात जोखिम आदि।

संरक्षण स्थिति
Bufo periglenes, the Golden Toad, was last recorded on May 15, 1989
विलुप्तप्राय
सङ्कटग्रस्त
कम जोखिम

अन्य श्रेणीसभ

सम्बन्धित चर्चासभ

IUCN Red List category abbreviations (version 3.1, 2001)

विश्वव्यापी प्रणाली सम्पादन करी

सङ्कटग्रस्त प्रजातिसभक आइयुसिएन लाल सूची, एक सबसँ बेहतर विश्वव्यापी संरक्षण स्थिति सम्बन्धी सूची आर क्रमाङ्क प्रणाली छी । ई प्रणालीमे सङ्कटग्रस्त प्रजातियसभके तीन श्रेणीमे बांटल गेल अछि: गम्भीर रूपसँ विलुप्तप्राय (CR), विलुप्तप्राय (EN) आ असुरक्षित (VU)। एकरसंगे सन् १५०० सँ अखनधरि विलुप्त भ गेल आ जङ्गलमे विलुप्त भ गेल जीवसभ सूचीबद्ध अछि । कम जोखिम भेल जीवसभ सेहो श्रेणीमे विभाजित अछि । विलुप्तप्राय जीवसभ आ वनस्पतिक अन्तर्राष्ट्रिय व्यापारक अन्तर्राष्ट्रिय समझौता ई बातक सुनिश्चित करैत अछि कि जङ्गली जानवरसभ आ गाछक नमूनासभक व्यापार ई जीवसभ आ वनस्पतिसभक अस्तित्वक खतरामे नै धकेल दै।

राष्ट्रिय प्रणाली सम्पादन करी