कोच्चि
कोच्चि ([koˈtʃːi ] ( सुनी)), जकरा कोचीन सेहो कहल जाइत छल, लक्षद्वीप सागरक दक्षिण-पश्चिम तटरेखामे स्थित एक बड़का बन्दरगाह शहर छी, जे भारतीय राज्य केरलक एर्नाकुलम जिलाक एक भाग छी । कोच्चिके बहुतेक समयसँ प्रायः एर्नाकुलम सेहो कहल जाइत छल, जकर अर्थ नगरक मुख्यभूमि भाग होइत अछि । कोच्चि नगर निगमक अधीनस्थ (जनसङ्ख्या ६,०१,५७४) ई राज्यक दोसर सर्वाधिक जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई कोच्चि महानगरीय क्षेत्रक विस्तार सहित (जनसङ्ख्या २१ लाख) केरल राज्यक सबसँ पैग शहरी आबादी क्षेत्र छी । कोच्चि नगर ग्रेटर कोच्चि क्षेत्रक एगो भाग छी,[६][७] आ एकरा भारत सरकारद्वारा द्वितीय दर्जाक शहर वर्गीकृत कएल गेल अछि । नगरक रेख-देख तथा अनुरक्षण दायित्त्व सन् १९६७ मे स्थापित भेल कोच्चि नगर निगम करैत अछि । एहि वाहेक पुरा क्षेत्रक पूर्ण विकासक भार ग्रेटर कोचीन विकास प्राधिकरण[८] (GCDA) आ गोश्री आइल्यान्ड विकास प्राधिकरण (GIDA) क अछि ।
कोच्चि Kochhi കൊച്ചി कोचीन | |
---|---|
महानगर | |
![]() मरिन ड्राइभ, कोच्चिक रात्रि दृश्य | |
नाम: अरब सागरक रानी[१][२] | |
निर्देशाङ्क: ९°५८′N ७६°१७′E / ९.९७°N ७६.२८°Eनिर्देशाङ्क: ९°५८′N ७६°१७′E / ९.९७°N ७६.२८°E | |
राष्ट्र | भारत |
राज्य | केरल |
जिला | एर्नाकुलम |
सरकार | |
• अङ्ग | कोच्चि नगर निगम |
• महापौर | टोनी चैमनी (भा.रा.काङ्ग्रेस) |
• पुलिस आयुक्त | एमआर अजीत कुमार, आइपिएस |
क्षेत्रफल[३] | |
• महानगर | ९४.८८ किमी२ (३६.६३ वर्गमाइल) |
• मेट्रो | ७३२ किमी२ (२८२.८४ वर्गमाइल) |
उँचाई | ० मिटर (० फिट) |
जनसङ्ख्या (२०१२)[४] | |
• महानगर | ६,१२,३४३ |
• घनत्व | ६३४०/किमी२ (१६४००/वर्ग माइल) |
• मेट्रो[५] | २१,१७,९९० |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | मलयालम, अङ्ग्रेजी |
समय क्षेत्र | IST (युटिसी+५:३०) |
पिन कोड | ६८२ XXX |
टेलिफोन कोड | ९१-(०)४८४-XXX XXXX |
गाडी दर्ता | KL-7,KL-39,KL-41,KL-42,KL-43,KL-63 |
वेबसाइट | corporationofcochin.net |
कोच्चि १४अम शताब्दीसँ भारतक पश्चिमी तटरेखाक मसालाक व्यापार केन्द्र रहल अछि आ एकरा अरब सागरक रानी क नामसँ जानल जाइत अछि । सन् १५०३ मे एतय पोर्चुगेलीसभक आधिपत्य भेल आ ई उपनिवेश भारतक प्रथम युरोपेली कोलनी बनल आ सन् १५३० मे गोवाक चुनाव भेलाबाद धरि ई पोर्चुगेली एतौका प्रधान शक्ति केन्द्र रहल । कालान्तरमे कोच्चि राज्यक रजवाड़ामे परिवर्तित भेलाक संगे ई डच आ ब्रिटिशक नियन्त्रणमे आएल । आई केरलमे कुल घरेलु तथा अन्तर्राष्ट्रिय पर्यटकसभक आगमन सङ्ख्यामे प्रथम स्थान बनेनाए अछि । [९][१०] नीलसन कम्पनीक आउटलुक ट्रयाभलर पत्रिकद्वारा कएल एक सर्वेक्षण अनुसार कोच्चि वर्तमानमे भारतक सर्वश्रेष्ठ पर्यटक आकर्षणसभमे सँ छठम् स्थानमे रहल अछि ।[११][१२]
मुख्य आकर्षणसंपादित करें
डच महलसंपादित करें
ई महल मूल रूपसँ पोर्चुगेली लोकसभद्वारा बनाएल गेल अछि आ कोचीनक राजा वीर केरला वर्माके उपहार स्वरूप ई प्रदान कएल गेल छल । बादमे डचसभ एहि उपर अपन अधिकार जमेलक । ओसभ सन् १६६३ मे किलाक मरम्मत करौलक आ किलाके नव रूप देलक । ई किलामे कोचीनक बहुतेक रास राजासभक राज्याभिषेक भेल अछि । ई किलामे रामायण आ महाभारत जका महाकाव्यसभसँ सम्बन्धित पेन्टिङ्ग्स बनाएल गेल अछि ।
बोलघाट्टी महलसंपादित करें
ई महलके देखैक लेल बहुतेक सङ्ख्यामे पर्यटक एतय आबैत अछि । डच लोकसभद्वारा बनाएल ई महल बोलघट्टी द्वीपमे स्थित अछि। ई महलके आब एक आलिसान होटलमे रुपान्तरित कएल गेल अछि । बोलघट्टीमे एक गोल्फ कोर्स सेहो अछि । एतय लोकसभ पिकनिक मानबैक लेल आबैत अछि ।
हिल महलसंपादित करें
१९अम शताब्दीमे कोच्चिक राजाद्वारा ई महल बनाएल गेल छल । आब एकरा केरला पुरातत्व विभागक सङ्ग्रहालयमे परिवर्तित कएल गेल अछि । सङ्ग्रहालयमे चित्रकारी, नक्काशी आ राजकीय वंशसँ सम्बन्धित वस्तुसभ राखल गेल अछि ।
बेशन बङ्गलासंपादित करें
मरीन ड्राइवसंपादित करें
चेराई बीचसंपादित करें
सेन्ट फ्रान्सिस चर्च (सन्त फ्रान्सिस गिरिजाघर)संपादित करें
ऐतिहासिक सङ्ग्रहालयसंपादित करें
पल्लिपुरम किलासंपादित करें
परीक्षित थम्पुरान सङ्ग्रहालयसंपादित करें
काञ्जिरामट्टम मस्जिदसंपादित करें
कालाडीसंपादित करें
सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें
- ↑ K. C. Sivaramakrishnan (2006). People's Participation in Urban Governance. Concept Publishing Company. प॰ 156. आइएसबिएन 81-8069-326-0. http://books.google.co.in/books?id=TJ9dMtfjMToC&pg=PA156.
- ↑ Ganesh Kumar. Modern General Knowledge. Upkar Prakashan. प॰ 194. आइएसबिएन 81-7482-180-5. http://books.google.co.in/books?id=DbnFSqKSVb0C&pg=PA194.
- ↑ "GCDA - Greater Cochin Development Authority", Gcdaonline.com, अन्तिम पहुँच १२ नवम्बर २०१२।
- ↑ "Provisional Figures, Kerala", Office of The Registrar General & Census Commissioner, अन्तिम पहुँच ७ अप्रैल २०११।
- ↑ "Provisional Population Totals, Census of India 2011", Census of India, अन्तिम पहुँच ११ मार्च २०११।
- ↑ "PowerPoint Presentation" (PDF), अन्तिम पहुँच १२ नवम्बर २०१२।
- ↑ "Steps to control pollution in Greater Kochi area mooted", The Hindu, २० सितम्बर २०१०।
- ↑ "GCDA - Greater Cochin Development Authority", अन्तिम पहुँच ५ अप्रैल २०१५।
- ↑ http://www.keralatourism.org/destination-wise-foreign-2010.pdf
- ↑ "Tourist statistics – 2008", Government of Kerala, Tourism Department, अन्तिम पहुँच २२ अक्टुबर २०१०।
- ↑ [१] Kerala best Destination
- ↑ "Urban world: Mapping the economic power of cities 2011", McKinsey Global Institute, अन्तिम पहुँच ३ फरबरी २०१३।