निर्देशाङ्क: २५°५४′N ८६°०५′E / २५.९०°N ८६.०८°E / 25.90; 86.08 समस्तीपुर भारत गणराज्यक बिहार प्रान्तमें दरभंगा प्रमंडल स्थित एकटा शहर आ जिला छी। समस्तीपुरक उत्तरमें दरभंगा, दक्षिणमें गङ्गा नदीपटना जिला, पश्चिममें मुजफ्फरपुरवैशाली जिला, तथा पूर्वमें बेगूसराय संगहि खगड़िया जिला अछि। एतय शिक्षाके माध्यम हिन्दी, उर्दूअङ्ग्रेजी अछि मुदा सामान्य बोल-चालमें मैथिली बाजल जाएत अछि। मिथिला क्षेत्र के परिधि स्थित इ जिला उपजाऊ कृषि प्रदेश अछि। समस्तीपुर पूर्व मध्य रेलवे के ६ टा मंडल मध्ये एकटा मंडल सेहो अछि। समस्तीपुरके मिथिलाक प्रवेशद्वार कहल जाएत अछि।

जनसंख्या
घनत्व
 (२००१)
• ११६९
क्षेत्रफल २९०४ sq. kms कि.मी²

समस्तीपुरक परम्परागत नाम सरैसा अछि। एकर वर्तमान नाम मध्य कालमें बङ्गाल एवं मिथिलाक शासक हाजी शम्सुद्दीन इलियास (१३४५-१३५८ ईस्वी)के नाम पर पड़ल अछि। किछ किछु लोकक मानैत छै कि एकर पहिलुका नाम सोमवती छल जे बदलिक' सोम वस्तीपुर फेर समवस्तीपुर आओर समस्तीपुर भऽ गेल।

एहो सभ देखी

सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ

सम्पादन करी