संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सदस्य राष्ट्रसभ
संयुक्त राष्ट्र सङ्घमे वर्तमान समयमे १९३ राष्ट्र अपन सदस्यता ग्रहण करि चुकल अछि । सदस्यता प्राप्त कएल प्रत्येक राष्ट्र संयुक्त राष्ट्रक महासभामे अपन प्रतिनिधित्व जनाए सकैत अछि ।[१]
संयुक्त राष्ट्र संघमे कोनो भी नयाँ राष्ट्र सदस्यता पावैक लेल संयुक्त राष्ट्र वडापत्रक अध्याय २ कऽ अनुच्छेद ४ मे भेल व्यवस्था बमोजिम सदस्यता लऽ सकैत अछि :[२]
- संयुक्त राष्ट्र संघ अपन सदस्यता ग्रहण करैलेल सम्पूर्ण राष्ट्रसभक लेल खुल्ला कएल गेल अछि जे राष्ट्र पूर्णरूपसँ शान्तिप्रेमी रहल अछि आ संयुक्त राष्ट्र वडापत्रके मानैक साथ पूर्णरुपसँ व्यवहारमे अपनाए सकैत अछि । साथ संयुक्त राष्ट्रद्वारा कएल निर्णयके मानैलेल कटिबद्ध होइत अछि ।
- संयुक्त राष्ट्रमे सदस्यताक लेल कोनो भी राष्ट्रक प्रवेशक लेल संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदक सिफारिशमे महासभा निर्णय करि सकैत अछि ।
मूलतः मात्र स्वतन्त्र राष्ट्रसभ मात्र सयुक्त राष्ट्र संघक सदस्य बनि सकैत अछि आ वास्तविक रुपमे सब सदस्य स्वतन्त्र राष्ट्र अछि । मुदा संयुक्त राष्ट्रक ४ टा संस्थापक राष्ट्र - बेलारुस, भारत, फिलिपिन्स आ युक्रेन संयुक्त राष्ट्र प्रवेश करैत काल पूर्णरुपसँ स्वतन्त्र नै छल ।
वास्तविक सदस्य
सम्पादन करीसदस्य राज्यसभके प्रवेश आ ओ सभसँ सम्बन्धित तिथि नीचा देल गेल तालिकामे अछि ।
सदस्य राष्ट्रसभक स्तम्भक उपरक बटनमे क्लिक करि अपन आधिकारिक पदनाम आ संयुक्त राष्ट्रमे प्रवेश तिथिद्वारा क्रमबद्ध करि सकैत छी ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "What are Member States?"। United Nations।
- ↑ "Charter of the United Nations, Chapter II: Membership"। United Nations।
- ↑ "Growth in United Nations membership, 1945–present"। United Nations।