संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद

संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद संयुक्त राष्ट्रकऽ छी: प्रमुख अंगसभमध्यक एकटा अंग छी, जेकर उत्तरदायित्व छी - अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति आ सुरक्षा बनाई राख्नल । परिषदके अनिवार्य निर्णयसभ घोषित कैर अधिकारसभ सेहो अछि । एहन कोनो निर्णयके संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद प्रस्ताव कहैत अछि ।

संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद
'संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद'
संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद कक्ष
स्थापना१९४६
प्रकारमुख्य अंग
कानुनी अवस्थासक्रिय
मुख्य
परिषद अध्यक्ष लक्जेम्बर्ग सिल्भी लुकास
वेबसाइटhttp://un.org/en/sc/

सुरक्षा परिषदमे १५ सदस्य रहैत अछि : पाँच स्थाई आ दस अल्पकालिन । पाँच स्थाई सदस्यसभ छथि चीन, फ्रान्स, रूस, संयुक्त राज्य अमेरिका, संयुक्त अधिराज्य । ई पाँच देशसभके कार्यविधि मामिलामे नै भऽ विधिवत मामिलामे प्रतिनिषेध (Veto) शक्ति प्राप्त अछि । बाँकी रहल दस सदस्य क्षेत्रीय आधारक अनुसार दुइ बर्षक अवधिक लेल महासभा द्वारा छानैत अछि । सुरक्षा परिषदक अध्यक्ष प्रति महिना वर्णमालानुसार बदलैत अछि ।

सदस्य सम्पादन करी

हरेक समय सुरक्षा परिषदक कोनो न कोनो सदस्य संयुक्त राष्ट्रक मुख्यालयमे रहैल आवश्यक होएत अछि । अन्तर्राष्ट्रिय कानूनद्वारा मात्र सुरक्षा परिषदक पाँच स्थाई सदस्यक नाभिकीय योग्यतासभ अनुमोदित अछि । ई सदस्यसभके प्रतिनिषेध शक्ति (Veto) सेहो देने अछि : एकर अर्थ ई अछि की सुरक्षा परिषदक बहुमत द्वारा स्वीकृत कोनो भी प्रस्ताव ई पाँच मध्यक कोनो भी एक सदस्य ई शक्ति प्रयोग कैर प्रस्ताव पारित होए रोक सकैत अछि । सुरक्षा परिषदक अन्य दश सदस्य दुइ बर्षक अवधिक लेल चुनैत अछि । हर बर्ष ई दशमध्ये पाँच चुनैत अछि । एकर चुनाव क्षेत्रीय आधारमे होएत अछि । अफ्रिकासँ तीन सदस्य एसिया, पश्चिम यूरोप, आ ल्याटिन अमेरिका आ क्यारिबियनसँ दुई-दुई सदस्य छानैत अछि । पूर्वी यूरोपसँ एक सदस्य छानैत अछि । एहिमे कोनो एक सदस्य अरबक होके आवश्यक अछि ।

सुरक्षा परिषदक स्थाई सदस्यसभक संख्या बढावैल बारेमे बहुत विवाद अछि । चार राष्ट्र (ब्राजिल, भारत, जर्मनीजापान) जेकरा G४ कहैत अछी । जापान आ जर्मनी संयुक्त राष्ट्के बहुत आर्थिक सहायता करैत, आ ब्राजील तथा भारत जनसंख्यामे पैग भेल कारण संयुक्त राष्ट्रक विश्वशान्तिक लक्ष्यक लेल सैन्य-दलक सबसँ पैग योगदान करैसभमे परैत अछि । २१ सेप्टेम्बर २००४ मे G४ राष्ट्रसभसँ स्थाई सदस्य बनल बारेमे आपसी समर्थन घोषित केलक । संयुक्त अधिराज्य आ फ्रान्ससँ सेहो ई घोषणाके स्वीकार केलक । पारित होएके लेल १२८ मतक आवश्यकता होएत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी