शिला मेहता एक भारतीय महिला शास्त्रीय नृत्य कलाकार, कोरियोग्राफर, शिक्षक आ सङगीतकार छी।[१] शिला मेहताक वास्तविक पृष्ठभूमि कथक नृत्य छी। ओ उत्तर भारतीय नर्तकीक रूपमे जानल जाएत अछि। ओ भारत, उत्तर अमेरिका, अस्ट्रेलियायुरोपक दौरा समेत करि ओ दुनिया भरिक दर्शकसभक लेल मुरीद बनेने अछि।[२] मेहता भारतक मुम्बई शहरमे नुपुर जङ्कर एकेडमी अफ परफरमिङग आर्ट्स एन्ड रिसर्च सेन्टरक संस्थापक छी। ई एकेडमी एखन स्थानीय आ अन्तर्राष्ट्रिय छात्रसभक लेल एक सांस्कृतिक केन्द्रक रुपमे विकसित भऽ गेल अछि।[१] ई संस्थान भारतीय सांस्कृतिक सम्बन्ध परिषद, नयाँ दिल्ली, भारतक सङ्ग पञ्जीकृत अछि।

शिला मेहता
Shila Mehta
कथक करैत शिला मेहता
जन्म
व्यवसायनृत्य कलाकार, कोरियोग्राफर, शिक्षक, सङ्गीतकार
Dancesकथक
वेबसाइटshilamehtakathak.in

प्रारम्भिक जीवन आ तालिम सम्पादन करी

शिलाक जन्म भारतक पश्चिममे रहल राज्य पश्चिम बङ्गालक राजधानी शहर कोलकातामे भेल छल। हुनकर जन्म नव वर्षक दिन यानी १ जनवरीकें भेल अछि। ओ अपन प्रारम्भिक शिक्षा कोलकाताक प्राथमिक विद्यालय आ अपन उच्च शिक्षा कलकत्ता विश्वविद्यालय सँ पुरा केनए अछि। कलकत्ता विश्वविद्यालय सँ स्नातक कऽ उपाधि प्राप्त केनए अछि। ओकर बाद हुनकर रुचि कऽ विषय नृत्यसङ्गीत भेलाक कारण ओ महाराष्ट्र चलि गेल। ओ कवि कुलगुरु कालिदास संस्कृत विश्वविद्यालय, महाराष्ट्र, भारत सँ ललित कलामे स्नातकोत्तर कऽ अध्ययन करि ओतय सँ ओ स्नातोकोत्तर कऽ उपाधि प्राप्त केलक। स्नातोकोत्तर अध्ययन पश्चात ओ भारतीय राज्य उत्तर प्रदेशक इलाहाबाद शहरमे जाए प्रयाग सङ्गीत समिति सँ नृत्य प्रवीण कऽ उपाधि प्राप्त केलक। एकर बाद ओ योर्क विश्वविद्यालय, टोरन्टो, क्यानाडाक माध्यम सँ व्यावसायिक विकासक एक व्यापक श्रेणीक कार्य केनए अछि जहिमे समकालीन नृत्य, नृत्य चिकित्सा आ साइट-विशिष्ट नृत्यक खोज सम्मलित अछि। नृताचार्य श्री प्रह्लाद दासक नेतृत्वमे मेहता अपन पाँच वर्षक आयु सँ नृत्य केनाए शुरू केनए छल। सोलह वर्षक आयु सँ, ओ कुमुदिनी लाखिया जका अन्य प्रख्यात प्रतिपादकसभक सम्पर्कमे आबि गेल छल। ओ नृत्य क्षेत्रक धुरन्धर पण्डित चित्रेश दास, पण्डित विजय शंकरपण्डित बिरजु महाराज कऽ सङ्ग प्रशिक्षणक सिखबाक लेल बहुत समय व्यतित केनए छल।[३] नृत्य विधाक उपयोगी कला ताल सिखवाक लेल ओ तालयोगी पण्डित सुरेश तलवलकर कऽ अधीनमे ओ अपन लय आ ताल प्रशिक्षण पूर्ण केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. १.० १.१ "Shila Mehta Kathak"Kathak Dancer Shila Mehtaमूलसँ 26 July 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 18 July 2014 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. Vereecken, Eva (2010-12-13)। "Belgium discovers Kathak with Shila Mehta"www.narthaki.com। Nathaki। अन्तिम पहुँच 18 July 2014
  3. RAJAN, ANJANA (2013-07-11)। "The Hindu"www.thehindu.com। अन्तिम पहुँच 18 July 2014

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी