देवप्रयाग भारतक उत्तराखण्ड राज्यमे अवस्थित एक नगर आ प्रसिद्ध तीर्थस्थान छी ।[१][२]अलकनन्दा नदी तथा भागीरथी नदीक सङ्गम पर स्थित अछि । याह सङ्गम स्थलक बाद ई नदीके पहिल बेर गङ्गा नदीक नाम सँ जानल जाइत अछि । एतय श्री रघुनाथ जी के मन्दिर अछि, जतय हिन्दू तीर्थयात्री भारतक कोना कोना सँ दर्शन करै लेल आबैत अछि । देवप्रयाग अलकनन्दा आ भागीरथी नदिसभकके सङ्गम पर बैसल अछि । एतय सँ दुनू नदिसभके सम्मिलित धारा गङ्गा कहलाबैत अछि । ई टेहरीसँ १८ माइल दक्षिण-दक्षिण-पूर्व दिशामे स्थित अछि । प्राचीन हिन्दू मन्दिरक कारण ई तीर्थस्थानक विशेष महत्व अछि । सङ्गम पर होमएक कारण तीर्थराज प्रयागक स्वरूप एकर नामकरण भेल अछि ।

देवप्रयाग
Devprayag
रगुनाथ मन्दिर
धर्म
आवद्धताहिन्दु
Districtटिहरी गढ़वाल
स्थान
स्थानउत्तराखण्ड, भारत
प्रदेशउत्तराखण्ड
राष्ट्रभारत

देवप्रयाग समुद्र सतहसँ १५०० फिटक उचाई पर अवस्थित अछि आ निकटवर्ती शहर ऋषिकेशसँ सड़क मार्गद्वारा ७० किमीक दूरी पर अछि । ई स्थान उत्तराखण्ड राज्यक पञ्च प्रयागमे सँ एक मानल जाइत अछि ।[३] एकर अलावा एकर बारेमे कहल जाइत अछि कि जब राजा भागीरथ गङ्गाक पृथ्वी पर आनैक लेल समर्थन बनौलक तहन ३३ करोड़ देवी-देवता सेहो गङ्गाक साथ स्वर्गसँ पृथ्वीलोक आएल छल । तब ओसभ अपन आवास देवप्रयागमे बनेनाए छल जे गङ्गाक जन्म भूमि छी । भागीरथी आ अलकनन्दाक सङ्गमक बाद याह ठामसँ पवित्र नदी गङ्गाक उद्भव होइत अछि । याह ठाम पहिल बेर ई नदी गङ्गाक नामसँ जानल जाइत अछि ।[४]

गढ़वाल क्षेत्रमे मान्यतानुसार भागिरथी नदीक सौस तथा अलकनन्दा नदी को बौह कहल जाइत अछि । ई स्थानक मुख्य आकर्षणमे सङ्गमक अलावा एक शिव मन्दिर तथा रघुनाथ मन्दिर छी जाहिमे रघुनाथ मन्दिर द्रविड शैलीमे निर्मित अछि । देवप्रयाग प्राकृतिक सम्पदासँ परिपूर्ण अछि । ई ठामक सौन्दर्य अद्वितीय अछि । निकटवर्ती डण्डा नागराज मन्दिर आ चन्द्रवदनी मन्दिर सेहो दर्शनीय अछि । देवप्रयागक सुदर्शन क्षेत्र सेहो कहल जाइत अछि । ई ठाम पर कव्वा नै देखल गेल अछि, जे की एक आश्चर्यक बात छी ।[४]

प्रसिद्धि सम्पादन करी

मान्यतानुसार एतय देवशर्मा नामक एक तपस्वी कठोर तपस्या केनए छल, जकार नाम पर ई स्थानक नाम देवप्रयाग पड़ल । प्रयाग कोनो भी सङ्गमक कहल जाइत अछि ।[५] ई स्व.आचार्य श्री पं.चक्रधर जोशी नामक ज्योतिष्विद आ खगोलशास्त्रीक गृहस्थान छल, जे सन् १९४६ मे नक्षत्र प्रयोगशालाक स्थापना केनए छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Fast facts Devprayag Official website.
  2. Map of Pauri Garhwal district Pauri Garhwal District Official website.
  3. Devprayag Tehri Garhwal district, Official website.
  4. ४.० ४.१ देवप्रयाग: ३३ कोटि देवताओं का आवास
  5. देवप्रयाग टिहरी गढ़वाल जिला, आधिकारिक जालस्थल

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी