अलकनन्दा नदी गङ्गाक सहयोगी नदी छी । ई गङ्गाक चार नामसभमे सँ एक छी । चार धामसभमे गङ्गाक बहुतेक रूप आ नाम अछि । गङ्गोत्रीमे गङ्गाक भागीरथीक नामसँ जानल जाइत अछि, केदारनाथमे मन्दाकिनीबद्रीनाथमे अलकनन्दा । ई उत्तराखण्डमे शतपथ आ भगीरथ खड़क नामक हिमनदीसँ निकलैत अछि । ई स्थान गङ्गोत्री कहलावैत अछि । अलकनन्दा नदी घाटीमे लगभग २२९ किमी धरि प्रवाहित होइत अछि । देव प्रयाग या विष्णु प्रयागमे अलकनन्दा आ भागीरथीक सङ्गम होइत अछि आ एकर बाद अलकनन्दा नाम समाप्त भए केवल गङ्गा नाम रहि जाइत अछि ।[१] अलकनन्दा चमोली टहेरीपौड़ी जिला भ जाइत अछि ।.[२] गङ्गाक पानिमे एकर योगदान भागीरथीसँ अधिक अछि ।[३] हिन्दू धर्मावलम्बीसभक प्रसिद्ध तीर्थस्थल बद्रीनाथ अलखनन्दाक तट पर बैसल अछि । राफ्टिंग इत्यादि साहसिक नाव खेलसभक लेल ई नदी बहुत लोकप्रिय अछि । तिब्बतक सीमा लग केशवप्रयाग स्थान पर ई आधुनिक सरस्वती नदीसँ मिलैत अछि । केशवप्रयाग बद्रीनाथसँ कुछ उचाई पर अवस्थित अछि ।

अलकनन्दा नदी
Alakananda River (अलकनन्दा)
River
Alaknanda devprayag.jpg
अलकनन्दा नदी
देश  India
राज्यसभ उत्तराखण्ड
क्षेत्र गढ़वाल प्रखण्ड
जिलासभ चमोली जिला, रुद्रप्रयाग जिला, पौड़ी जिला
सहायक नदीसभ
 - बामा सरस्वती नदी, धौलीगङ्गा, नन्दाकिनी, पिण्डार
 - दाहिना मन्दाकिनी
स्रोत सातोपन्थ हिमनदी
 - उचाई ३,८८० मी (१२,७३० फिट)
Source confluence भागीरथी नदी
मुख गङ्गा
 - स्थान देवप्रयाग, उत्तराखण्ड, भारत
 - उचाई ४७५ मी (१,५५८ फिट)
लम्बाई १९० किमी (११८ माइल)
बेसिन १०,८८२ किमी (४,२०२ वर्ग मिटर)
निर्वहन
 - औषत ४३९.३६ मी/से (१५,५१६ क्यु फिट/से)

गहराईसम्पादन

अलकनन्दा नदी कतौ बहुत गहिर, तँ कतौ उथल अछि, नदीक औसत गहराई ५ फिट (१.३ मीटर) आ अधिकतम गहराई १४ फिट (४.४ मीटर) अछि ।

सहायक नदिसभसम्पादन

अलकनन्दाक पाँच सहायक नदिसभ अछि जे गढ़वाल क्षेत्रमे ५ अलग अलग स्थानसभपर अलकनन्दा सँ मिल पञ्च प्रयाग बनाबैत अछि ।[४] अलकनन्दा नदीक पहिल सहायक नदीसभमे विष्णुप्रयाग अछि जे धौली गङ्गामे अलकनन्दासँ मिलैत अछि । दोसर सहायक नदी नन्दप्रयाग छी जे नन्दाकिनी मे अलकनन्दासँ मिलैत अछि । तेसर सहायक नदीसभमे कर्णप्रयाग छी जे पिण्डारीमे अलकनन्दासँ मिलैत अछि । आ अन्तिम चारिम सहायक नदीसभमे रूद्र प्रयाग अछि जे मन्दाकिनीमे अलकनन्दासँ मिलैत अछि । देवप्रयाग जे भागीरथीमे अलकनन्दासँ मिलैत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन

  1. "चार धाम यात्रा" (एचटीएम), बहुगुणा का उदाली गांव।  |accessyear= प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता); |accessmonthday= प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता)
  2. Singh Negi, Sharad (1995). Uttarakhand: Land and People, page 6. MD Publications Pvt Ltd. ISBN 81-85880-73-5.
  3. Gopal, Madan (1990). K.S. Gautam. ed. India through the ages. Publication Division, Ministry of Information and Broadcasting, Government of India. प॰ 65. 
  4. Kapadia, Harish (2001). Trekking and Climbing in the Indian Himalaya, page 89. Stackpole Books. ISBN 0-8117-2953-2.

बाह्य जडीसभसम्पादन


एहो सभ देखीसम्पादन