विशाखपट्नम
विशाखपट्नम (उपनाम भाइज्याग) भारतक राज्य आन्ध्र प्रदेशक सबसँ पैग आ सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई बङ्गालक खाडीक तटमे अवस्थित अछि । ई विशाखपट्नम जिलाक मुख्यालय शहर आ आन्ध्र प्रदेशक आर्थिक राजधानी छी ।[४] सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार, ई शहरक जनसङ्ख्या २०,३५,९२२ रहल अछि जे एकरा भारतक सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल १४अम क्रमक शहर बनेनाए अछि ।[१] विशाखपट्नम महानगरीय क्षेत्र भारतक महानगरीय क्षेत्रसभक आधारमे ९अम क्रममे रहल अछि जकर जनसङ्ख्या ५३,४०,००० रहल अछि ।[५]
विशाखपट्नम
Visakhapatnam విశాఖపట్నం भाइज्याग - वेलटेयर | |
---|---|
उपनाम(सभ): द सिटी अफ डेस्टिनी, पूर्वी तटको गहना आन्ध्र प्रदेशक आर्थिक राजधानी | |
देश | भारत |
राज्य | आन्ध्र प्रदेश |
जिला | विशाखपट्नम |
नामकरण | विशाख |
सरकार | |
• अङ्ग | विशाखपट्नम नगर निगम परिषद |
क्षेत्रफल | |
• महानगर | ५४०.०० किमी२ (२०८.५० वर्गमाइल) |
• महानगर | ५५७३ किमी२ (२१५२ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ४५ मिटर (१४८ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• महानगर | २०३५९२२ |
• क्रम | १अम |
• घनत्व | ३८००/वर्ग किमी (९८००/वर्ग माइल) |
• महानगर | ५३,४०,००० |
वासिन्दा | भाइज्यागाइट |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | तेलुगु |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
डाक कोड | ५३० ०XX, ५३१ १XX |
टेलिफोन कोड | +९१-८९१-XXX XXXX |
सवारी दर्ता | AP–31,32,33,34 |
वेबसाइट | नगर निगम |
ई एक प्राकृतिक तथा सुरक्षित समुद्री बन्दरगाह छी । कृषि तथा खनिज सम्पत्तिमे समृद्ध आन्ध्र प्रदेश, मध्य प्रदेश आ उडिसा राज्य एहि बन्दरगाहक पृष्ठ प्रदेश कहल जाइत अछि । ई एक उल्लेखनीय मत्स्य-शिकार केन्द्र सेहो छी । विशाखपट्नम आन्ध्र प्रदेशक उत्तरी सरकारी तटमे गोदावरी नदीक मुखक उत्तरमे अवस्थित अछि । विशाखपट्नमके भाइज्यागक नामसँ सेहो चिनहल जाइत अछि । विशाखपट्नम भारतक चारिम पैग बन्दरगाह छी । ई भारतीय नौसेनाक पूर्वी कमाण्डक केन्द्र छी ।
इतिहास
सम्पादन करीमहत्त्व
सम्पादन करीविशाखपट्नमक बन्दरगाहक महत्व भारत भरि लोकप्रिय रहल अछि कियाकी ई कोरोमण्डल तटमे अवस्थित एकमात्र संरक्षित बन्दरगाह छी । एहिमे हालमे कएल सुधारसभ आब एतय १०.२ मिटर उँच पनडुब्बीसभके आश्रय देबमे सक्षम अछि । ई शहर एक महत्त्वपूर्ण पोत निर्माण केन्द्र सेहो छी । भारतमे बनल पहिल स्टीमरके विशाखपट्नमक बन्दरगाहमे सन् १९४८ मे उद्घाटन कएल गेल छल । विशाखपट्नम क्षेत्रक अर्थव्यवस्थाक आधार कृषि छी ।
शिक्षण संस्थान
सम्पादन करीबङ्गालक खाडीक उत्तरी ध्रुवमे अवस्थित उपनगर वाल्टेयरमे आन्ध्र विश्वविद्यालय रहल अछि । एतयक शैक्षिक संस्थानसभमे आन्ध्र मेडिकल कलेज, कलेज अफ नर्सिङ्ग, कलेज अफ इन्जिनियरिङ, गान्धी इन्स्टट्युट अफ टेक्नोलोजी एण्ड म्यानेजमेन्ट आ बहुतेक महाविद्यालय अछि ।
उद्योग
सम्पादन करीविशाखपट्नममे पनिया जहाज बनाबैवला कारख़ाना रहल अछि । ई एकटा प्राकृतिक तथा सुरक्षित समुद्री बन्दरगाह छी । कृषि तथा खनिज सम्पत्तिमे समृद्ध आन्ध्र प्रदेश, मध्य प्रदेश आ उडिसा राज्य एहि बन्दरगाहक पृष्ठ प्रदेश कहल जाइत अछि । ई एक उल्लेखनीय मत्स्य-शिकार केन्द्र सेहो छी ।
पर्यटन
सम्पादन करीविशाखपट्नम प्राचीन बौद्ध विरासत, भूवैज्ञानिक चमत्कार, प्रसिद्ध मन्दिरसभक एक उदार मिश्रणमे संस्कृति, कला आ शिल्प आदिक लेल प्रसिद्ध अछि । ई शहर समयानुसार परिवर्तनशील अछि आ परिमार्जित होइत आएल अछि, एतय धरि की ई शहर अपन समृद्ध इतिहासक संरक्षण प्रति सजग अछि । एकर सुन्दर पूर्वी घाट बङ्गालक खाडीक बुलु पानि उपर एक गजब स्पर्श दैत अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ १.० १.१ "Municipalities, Municipal Corporations & UDAs" (PDF)। Directorate of Town and Country Planning। Government of Andhra Pradesh। मूल (PDF)सँ 7 June 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 29 January 2016।
- ↑ २.० २.१ "Key Facts on VMR" (PDF)। Visakhapatnam Urban Development Authority। pp. 44–45। मूल (PDF)सँ 2018-12-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 21 December 2015।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Elevation for Visakhapatnam"। Veloroutes। अन्तिम पहुँच 26 August 2015।
- ↑ "Administration-AP-Financial Capital"। Visakhapatnam। 29 April 2015। अन्तिम पहुँच 13 August 2015।
- ↑ "Key Facts Of VMR www.vuda.gov.in" (PDF)। मूल (PDF)सँ 2018-12-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 17 February 2016।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)
बाह्य लिङ्कसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे विशाखपट्नमसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- विशाखपट्नम डियमओजेडमे
- विशाखपट्नम विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी